वेङ्कटरामन रामकृष्णन
वेङ्कटरामन रामकृष्णन | |
---|---|
![]() | |
जन्म | १९५२ चिन्दबरम, तमिल नाडु, भारत |
निवास | संयुक्त राजशाही (ब्रिटेन) |
राष्ट्रीयता | संयुक्त राज्य अमेरिका |
क्षेत्र | जैव-रासायन, जैव-भौतिकी आ कम्प्युटेसनल जीवविज्ञान |
संस्थाएँ | एमआरसी लेबोरेट्रिज अफ मोलिक्युलर बायोलोजीक स्ट्रकचरल स्टडिज विभाग, क्याम्ब्रिज, इङ्ल्यान्ड |
प्रसिद्ध कार्य | एक्स-रे क्रिस्टेलोग्राफी |
पुरस्कार | रसायन विज्ञानमे नोबेल पुरस्कार, २००९ |
वेङ्कटरामन "वेङ्की" रामकृष्णन (तमिल: வெங்கட்ராமன் ராமகிருஷ்ணன்) (जन्म: १९५२, तमिलनाडु) एक जीव वैज्ञानिक छी । हिनका सन् २००९मे रसायन विज्ञानक नोबेल पुरस्कार सँ सम्मानित कएल गेल छल ।[१] हिनका ई पुरस्कार कोशिकाक भितर प्रोटिनक निर्माण करैवाला राइबोसोमक कार्यप्रणाली व संरचनाक उत्कृष्ट अध्ययनक लेल प्रदान कएल गेल छल । हिनकर ई उपलब्धि सँ कारगर प्रतिजैविकसभक विकसित करैमे सहायता मिलत । इजरायली महिला वैज्ञानिक अदा योनोथ आ अमेरिकाक थमस स्टिजक सेहो संयुक्त रूप सँ ई सम्मानक लेल चुनल गेल छल ।[२]
तीनु वैज्ञानिकसभ त्रि-आयामी चित्रक मद्दत सँ दुनियाक समझेलक कि कोन तरह सँ राइबोसोम अलग-अलग रसायनसभके संग प्रतिक्रिया करैत अछि, एकर लेल ओ एक्स-रे क्रिस्टलोग्राफीक सहारा लेने छल जे राइबोसोम्जक हजारो गुना पैग चित्र आगा लाबैत अछि । वर्तमानमे श्री वेङ्कटरामन रामकृष्णन ब्रिटेनक प्रतिष्ठित क्याम्ब्रिज विश्वविद्यालय सँ जुडल अछि आ विश्वविद्यालयक एमआरसी लेबोरेट्रिज अफ मोलिक्युलर बायोलोजीक स्ट्रकचरल स्टडिज विभाग (संरचनात्मक अध्ययन) विभागक प्रमुख वैज्ञानिक छी ।[३]
जीवनी[सम्पादन करी]
सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]
- ↑ "The Nobel Prize in Chemistry 2009 "for studies of the structure and function of the ribosome"", Nobel Prize.org।
|accessyear=
प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता);|accessmonthday=
प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता) - ↑ "जिन्दगी के रसायन ने दिलाया रामकृष्णन को नोबेल", पत्रिका डाट कम।
|accessyear=
प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता);|accessmonthday=
प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता) - ↑ "भारतीय मूल के वेंकटरामन को नोबेल सम्मान", BBC।
|accessyear=
प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता);|accessmonthday=
प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता)
बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]
- बिबिसी हिन्दी संवाददाताद्वारा वेङ्कटरामन रामकृष्णनक साक्षात्कार।
- बिबिसी हिन्दी संवाददाता वन्दनाद्वारा वेङ्कटरामन रामकृष्णनक साक्षात्कार