शतरञ्ज

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
शतरञ्ज
एक शतरञ्ज सेटक भाग (बाम सँ दहिना): एक उज्जर राजा, एक कारी हाथी, एक कारी रङ्गक वजीर या रानी, एक उज्जर प्यादा या सैनिक, एक कारी घोड़ा आ एक उज्जर ऊंट।
उच्चतम अन्तराष्ट्रिय  संस्थावर्ल्ड चेस फेडरेसन
पहिलो खेलछट्ठम् शताब्दी – वर्तमान
अभिलक्षण
टिम सदस्यदुनू दिस २ खेलाड़ी
आकस्मिक खेल आम तौर पर १० सँ ६० मिनेट, प्रतियोगिता खेल दस मिनट सँ छह घण्टा या अधिक समयक लेल ।
आयोजना स्थानबोर्ड गेम
सार रणनीति खेल
उपस्थिति
ओलम्पिक१९००

शतरञ्ज (अङ्ग्रेजी: Chess) दुई खेलाड़ीसभक बीच खेलल जाइवला एक बौद्धिक आ मनोरञ्जक खेल छी । कोनो अज्ञात बुद्धि-शिरोमणीद्वारा पाँचम-छहम शताब्दीमे ई खेल संसारक बुद्धिजीविसभकें भेंटमे देनए छल । समझल जाइत अछि की ई खेल मूलतः भारतक आविष्कार छी, जकर प्राचीन नाम - 'चतुरङ्ग' छल; जे भारत सँ अरब होइत युरोप गेल आ फेर १५/१६हम शताब्दीमे तँ ई समुचा संसारमे लोकप्रिय आ प्रसिद्ध भ गेल ।

शतरञ्ज एक चौपाट (बोर्ड) क उपर दुई व्यक्तिसभक लेल बनल खेल छी । चौपाटक उपर कुल ६४ खाना या वर्ग होइत अछि, जहिमे ३२ चौरस कारी या अन्य रङ्ग आ ३२ चौरस उज्जर या अन्य रङ्ग क होइत अछि । खेलनिहार दुनू खेलाड़ी सेहो सामान्यतः कारी आ उज्जर कहलावैत अछि । प्रत्येक खेलाड़ी लग एक राजा, वजीर, दुई ऊँट, दुई घोड़ा, दुई हाथी आ आठ सैनिक होइत अछि । बीचमे राजा आ वजीर रहैत अछि । बगलमे ऊँट, ओकर बगलमे घोड़ा आ अन्तिम कतारमे दुई हाथी रहैत अछि । ओकर आगामे आठ पैदल या सैनिक रहैत अछि ।

चौपाट रखैत समय ई ध्यान देल जाइत अछि की दुई खेलाड़ीसभ दहिना दिसक खाना उज्जर होनाए चाही तथा वजीरक स्थान पर कारी वजीर कारी चौरसमे आ उज्जर वजीर उज्जर चौरसमे होनाए चाही । खेलक शुरुआत नित्य उज्जर खेलाड़ीसँ कएल जाइत अछि ।[१]

खेलक शुरुआत[सम्पादन करी]

शतरञ्ज सभसँ पुरान आ लोकप्रिय पट (बोर्ड) मे सँ एक छी, जे दुई प्रतिद्वन्दीसभद्वारा एक चौकोर पट (बोर्ड) पर खेलल जाइत अछि, जाहि पर विशेष रूपसँ बनल दुई अलग-अलग रङ्गक सामन्यात: उज्जर आ कारी मोहरासभ होइत अछि । उज्जर पहिने चलैत अछि, जकर बाद खेलाडी निर्धारित नियमसभक अनुसार एक-एक चाल चलैत अछि । एकर बाद खेलाड़ी विपक्षीक प्रमुख मोहरासभ, राजाकें शाह-मात (एक एहन अवस्था, जाहिमे पराजय सँ बचनाए असम्भव होए) देवाक प्रयास करैत अछि । शतरञ्ज ६४ खानाक पट या शतरञ्जी पर खेलल जाइत अछि, जे क्रम (दर्जा) कहल जाइवला आठ अनुलम्ब पङ्क्तिसभ व फाइल (कतार) कहल जाइवला आठ आड़ा पङ्क्तिसभमे व्यवस्थित होइत अछि । ई खाना दुई रङ्ग, एक हल्का, जेना उज्जर, माटिमैला, पियर आ दोसर गाढा, जेना कारी, या हरियर सँ एक क बाद दोसर क स्थितिमे बनल रहैत अछि । पट्ट दुई प्रतिस्पर्धीक बीच एहि प्रकार रखल जाइत अछि की प्रत्येक खेलाड़ी दिस दाहिना हाथक कोना पर हल्का रङ्ग भेल खाना होए । हर शतरञ्जक टुकड़ा आगा घुसकैक अपन शैली होइत अछि ।[२] 

मोहरा राजा मन्त्री/रानी हाथी/नाओ रथ/ऊँट घोड़ा सैनिक
सङ्ख्या
चिन्ह






वर्गसभक पहचान[सम्पादन करी]

Diagram showing how squares are named - columns are a through h, rows are 1 through 8
बीजगणितीय अङ्क पद्धतिमे वर्गसभक नामकरण

बिसातक प्रत्येक वर्ग एक अक्षर आ एक सङ्ख्या क एक विशिष्ट युग्मद्वारा पहचान कएल जाइत अछि ।

प्यादा वा सैनिक[सम्पादन करी]

खेलक शुरुआत उज्जर खेलाड़ीसँ कएल जाइत अछि । सामान्यतः ओ वजीर वा राजाकें आगा राखल गेल पैदल वा सैनिकक दो चौरस आगा चलैत अछि । प्यादा (सैनिक) तुरन्त अपन आगाक खाली वर्ग पर आगा चलि सकैत अछि या अपन पहिल कदम ओ दुई वर्ग चलि सकैत अछि यदि दुनू वर्ग खाली होइ ।[३]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "50 moves rules"। FICGS। अन्तिम पहुँच 2013-5-08 {{cite web}}: Check date values in: |accessdate= (help)
  2. "Laws of Chess"। FIDE। अन्तिम पहुँच 2013-05-08
  3. Bodlaender, Hans। "The rules of chess"। Chess Variants। अन्तिम पहुँच 2013-05-08

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]