सिङ्ही
सिङ्ही Asian stinging catfish | |
---|---|
![]() | |
![]() | |
संरक्षण स्थिति | |
वैज्ञानिक वर्गीकरण ![]() | |
जगत: | जन्तु जगत |
वर्ग: | एक्टिनोप्टेरिगी |
गण: | सिलुरिफोर्म्स |
परिवार: | हेटेरोप्नेउस्टेडे |
वंश: | हेटेरोप्नेउस्टेस |
प्रजाति: | H. fossilis
|
वैज्ञानिक नाम | |
Heteropneustes fossilis (ब्लोच, १७९४)
| |
पर्याय | |
सिङ्ही जकरा अङ्ग्रेजी भाषामे सामान्यतया एसियन स्टिङ्गिङ क्याटफिस या फोसिल क्याट कहल जाएत अछि। ई माछक वैज्ञानिक नाम अङ्ग्रेजी: Heteropneustes Fossilis छी। क्याटफिस परिवारक ई प्रजाति भारत, नेपाल, बङ्गलादेश, पाकिस्तान, श्रीलंका, थाइल्याण्ड, म्यानमार आ भुटानमे पाओल जाएत अछि। भारतक केरल राज्यमे ई माछकेँ 'कडू' या 'कर्री' कहल जाएत अछि तँ आसाममे एकरा स्थानीयसभ 'सिङ्ही' कहैत अछि। बङ्गलादेशमे ई माछकेँ बङ्गला भाषामे 'सिङ्ही माछ' आ श्रीलंकामे एकरा सिन्हाला भाषामे 'हुङ्गा' कहैत अछि।[१][२]
कारी रङ्गक सिङ्ही माछक डङ्क बहुत प्रभावशाली होएत अछि मुदा विषालु नै होएत अछि। ई माछक डङ्क मारला सँ लगभग एक घण्टा धरि विष शरीरमे चलैत रहैत अछि। ई माछ मुख्य रूप सँ पोखरि, खाई, दलदल आ खत्तामे पाओल जाएत अछि मुदा कहियो कहियो ई माछ गन्दा नदीमे सेहो भेट जाएत अछि। ई कनीक नुनगर आ गन्दा पानि सहन करि सकैत अछि। ई माछ सर्वभक्षी होएत अछि। ई प्रजाति मनसुनक महिनाक समयमे सीमित पानिमे प्रजनन करैत अछि मुदा पर्याप्त वर्षाक कारण पानि जमा भऽ गेला पर पोखरि, छोट खाईसभमे प्रजनन करि सकैत अछि। एकर औषधीय महत्वक कारण एकर बजारमे बहुत माङ्ग अछि।
विवरण[सम्पादन करी]
सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]
- ↑ [१] Archived 2016-10-02 at the Wayback Machine.[[]],
- ↑ List of Freshwater Fish of Sri Lanka