सामग्री पर जाएँ

सुब्रत रोय

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
सुब्रत रोय सहारा
जन्म (१९४८-०६-१०) १० जुन १९४८ (उमर ७७)
राष्ट्रियताभारतीय
अन्य नामसभसहाराश्री
व्यवसायसहारा इन्डिया परिवारक संस्थापक एवं अध्यक्ष
सक्रिय वर्षसन् १९७८ – वर्तमान
प्रसिद्धि कारणपुणे वारियर्स इन्डिया, ग्रासवेनर हाउस, एमबी भ्याली सिटी, प्लाजा होटल, ड्रिम डाउनटाउन होटलक मालिक।
जीवनसाथी(सभ)स्वप्ना रोय
बालबच्चा
वेबसाइटsahara.in/saharasri/

सुब्रत रोय सहारा (जन्म १० जून १९४८) भारतक एक व्यवसायी तथा सहारा इन्डिया परिवारक संस्थापक, प्रबन्ध निदेशक आ अध्यक्ष छी। हुनका 'सहाराश्री' कऽ नामसँ सेहो जानल जाइत अछि। इन्डिया टुडेद्वारा हुन्कर नाम भारतक दश सर्वाधिक शक्तिसम्पन्न लोकसभमे शामिल केने छल। ओ सन् १९७८ मे सहारा इन्डिया परिवारकs स्थापना केलक। सन् २००४ मे टाइम पत्रिका द्वारा सहारा समूहकs भारतीय रेलक बाद दोसर सबसँ बड़का नियोक्ता बतौने छल। ओ पुणे वॉरियर्स इन्डिया, ग्रॉसवेनर हाउस, एमबी वैली लेक सिटी, प्लाजा होटल, ड्रीम डाउनटाउन होटलके मालिक छी।[][]

प्रारम्भिक जीवन

[सम्पादन करी]

रायकs जन्म १० जून १९४८ कs बिहारक अररिया जिलामे पिता सुधीर चन्द्र राय आर माँ छबि रायके घर भेल छल।[]कोलकाताके होली चाइल्ड स्कूलमे प्राम्भिक शिक्षा पूरा करलाके बाद राजकीय तकनीकी संस्थान गोरखपुरसँ मैकेनिकल इन्जिनियरिङमे डिप्लोमा केलक।[] ओ १९७८ मे गोरखपुरसँ अपन व्यवसाय प्रारम्भ केलक।[] संप्रति हुन्कर निवास लखनऊ मे अछि।[]

व्यावसायिक जीवन

[सम्पादन करी]

रोय द्वारा १९७८ मे गोरखपुरमे सहारा इन्डिया परिवारक स्थापना कएल गेल, जकर ओ प्रबन्ध कार्यकर्ता (प्रबन्ध निदेशक) आर चेयरम्यान छी।[][]भारतक एक बहु-व्यापारिक कम्पनि छी, जकर कार्य वित्तीय सेवासभ, गृहनिर्माण वित्त (हाउसिङ फाइनेन्स), म्युचुअल फन्डसभ, जीवन बीमा, नगर-विकास, रीयल-इस्टेट, अखबार एवं टेलीविजन, फिल्म-निर्माण, खेल, सूचना प्रौद्योगिकी, स्वास्थ्य, पर्यटन, उपभोक्ता सामग्री सहित अनेको क्षेत्रसभमे फैलल अछि। किछ दिन पहिले धरि ओ आई पी एल कs फ्रेंचाईजी पुणे वॉरियर्स इन्डिया, लन्डनके ग्रॉसवेनर हाउस,मुम्बईके लोनावालामे स्थित एमबी वैली सिटी तथा न्यूयार्कके प्लाजा होटल, ड्रीम डाउनटाउन होटलक मालिक सेहो छी।[]

रोय द्वारा सन्चालित सहारा समूहके लग ३० जून-२०१० धरि १,०९,२२४ करोड़ रूपैयाकs परिसम्पतिसभ अछि।[१०]

व्यवसाय दर्शन

[सम्पादन करी]

रोय द्वारा अपन व्यवसायकs प्रगति हेतु "सामूहिक भौतिकवाद" कs दर्शन देलक,[११]जिकर अभिप्राय अछि "सामूहिक प्रगति आर उन्नति, समूहिक देखरेखमे।"

  • "शान्ति, सुख: सन्तुष्टि" १९९४, मनकs शान्ति आर खुश रहsसँ सम्बन्धीत टिप्पणिसभ आ निबन्ध।[१२]
  • "मान, सम्मान-आत्मसम्मान"[१३]

सम्मान/पुरस्कार

[सम्पादन करी]
  • डॉक्टरेटक मानद उपाधि (२०१३,यूनिर्वसिटी ऑफ़ ईस्ट लन्डन)[१४]
  • दि बिजनेस आइकॉन ऑफ दि ईयर (२०११,लन्डन)[१५]
  • डी लिट कs मानद उपाधि (२०११,ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय,दरभंगा)[१६]
  • २०१२ मे इन्डिया टुडेके द्वारा भारतक दस सबसँ प्रभावशाली व्यवसायिसभमे शुमार।[१७]
  • २००४मे टाइम पत्रिका (अँग्रेजी) द्वारा "भारतीय रेलवेके बाद भारतमे दोसर सबसँ बड़का नियोक्ता"के रूपमे नामांकित।[१८]
  • एकर अलावा हुन्का "आई टी ए-टी वी आइकॉन ऑफ दि ईयर" (२००७),"ग्लोबल लीडरशिप अवार्ड" (२००४), "बिजनेस ऑफ दि ईयर अवार्ड" (२००२),"विशिष्ट राष्ट्रीय उड़ान सम्मान" (2010), "वोकेशनल अवार्ड फॉर एक्स्क्लेंस" (द्वारा रोटरी इन्टरनेशनल,2010), "कर्मवीर सम्मान" (1994), "बाबा-ए-रोजगार अवार्ड" (1992), "उद्यम श्री" (1994), "दि नेशनल सिटीजन अवार्ड" (२००१) आर "इन्डियन टेलीविज़न अकादमी अवार्ड"(२०१३) सेहो प्राप्त भेल अछि।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "Subrata Roy", timesofindia.com, २००३-०७-१०, अन्तिम पहुँच २०१४-०३-१२
  2. "Sahara India", newagebd.com, २०१२-०५-२४, मूलसँ २०१३-११-०२ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१४-०३-१२ |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  3. "Sahara India Pariwar", Sahara.in, मूलसँ २०१४-०३-१४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१४-०३-१२ |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  4. "India's Sahara Group", thedailystar.com, २०१२-०५-२४, अन्तिम पहुँच २०१४-०५३-१२
  5. "Subroto Roy Biography", mapsofindia.com, २०११-०२-२३, अन्तिम पहुँच २०१४-०२३-१२
  6. বাঙ্গালীর বিত্ত সাধনা সাহারার ইতিকথা, (Bangalir Vitta Sadhana: Saharar Itikatha), Mani Shankar Mukherjee, 2003
  7. "Owner of Pune Warriors runs Sahara India Pariwar as managing worker", THE AUSTRALIAN, २०१०-०५-०६, अन्तिम पहुँच २०१४-०३-१२
  8. "Subrata Roy Sahara", businessweek.com, अन्तिम पहुँच २०१४-०३-१२
  9. Sahara chief, money all safe and well, Amrit Dhillon, 11 जून 2005, South China Morning Post
  10. "ए बी पी न्यूज पर समाचार, कौन है सुब्रत राय", मूलसँ २०१४-०३-०५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१७-०१-२२ |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  11. "Wearing Nationalism On His Sleeve", Business Standard, २००२-०९-१८, अन्तिम पहुँच २०१४-०३-१२
  12. The quirks and eccentricities of 'Saharasri' Subrata Roy, Jency Jacob, मार्च 1, 2014
  13. Subrata Roy: Confident of swimming the troubled waters, AMRITA NAIR-GHASWALLA, सितंबर 8, 2012
  14. "UK university confers honorary doctorate on Subrata Roy", timesofindia.indiatimes.com, २०१३-०७-१०, अन्तिम पहुँच २०१४-०२-१३
  15. "Grand lounch of Powerbrand", indianfoline.com, २०११-१२-१५, अन्तिम पहुँच २०१४-२-१३
  16. "Mithila varsity confers D Litt on Subrata Roy - Times Of India", Articles.timesofindia.indiatimes.com, २०११-०५-१७, मूलसँ २०१२-०३-२७ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१४-०२-१३ |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  17. "High and Mighty-2012", Indiatoday.intoday.in, अन्तिम पहुँच २०१४-०४२-१३
  18. Perry, Alex (२००४-१२-०६), "A Tale of Two Indias", TIME, मूलसँ २०१३-०८-१७ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१४-०२-१३ |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)

    बाह्य जडीसभ

    [सम्पादन करी]