हर्षनाथ मन्दिर

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
हर्षनाथ मन्दिर, राजस्थान
हर्षनाथ मन्दिर
नाम
वास्तविक नाम:हर्षनाथ मन्दिर
अवस्थिति
स्थान:सीकर जिला, भारत
निर्देशाङ्क:२७°३०′५९.७९″उ॰ ७५°११′१.७६″पू॰ / २७.५१६६०८३°N ७५.१८३८२२२°E / 27.5166083; 75.1838222निर्देशाङ्क: २७°३०′५९.७९″उ॰ ७५°११′१.७६″पू॰ / २७.५१६६०८३°N ७५.१८३८२२२°E / 27.5166083; 75.1838222
कला आ संस्कृति
मुख्य देवता:शिव हर्षनाथ
वास्तुशैली:महामेरु शैली, वास्तु शास्त्र एवम् पञ्चरात्र शास्त्र
ऐतिहासिक पृष्ठभूमि
निर्माण तिथि:विक्रम संवत १०३० (९७३ ई.)
निर्माणकर्ता:शैव सन्त भावरक्तद्वारा

हर्षनाथ राजस्थान राज्यमे सीकर जिलाक निकट स्थित एक ऐतिहासिक मन्दिर छी। स्थानीय अनुश्रुतिक अनुसार ई स्थान पूर्वकालमे ३६ माइलक घेरामे बसल गेल छल। वर्तमानमे हर्षनाथ नामक ग्राम हर्षगिरि पहाडीक तलहटीमे बैसल अछि आ सीकरसँ प्रायः आठ माइल दक्षिण-पूर्वमे अछि। हर्षगिरि ग्रामक नजदिक हर्षगिरि नामक पहाडी अछि, जे ३,००० फुट ऊँच अछि आ एही पर लगभग ९०० वर्षसँ अधिक प्राचीन मन्दिरसभक खण्डहर अछि। ई मन्दिरसभमे एक काला पत्थर पर उत्कीर्ण लेख प्राप्त भेल अछि, जे शिवस्तुतिसँ प्रारम्भ होएत अछि आ जे पौराणिक कथाक रूपमे लिखल गेल अछि, लेखमे हर्षगिरि आ मन्दिरक वर्णन अछि आ एहीमे कहल गेल अछि कि मन्दिरक निर्माणक कार्य आषाढ शुक्ल त्रयोदशी, सोमबार , १०३० विक्रम सम्वत् (९५६ ई.) मे प्रारम्भ भ विग्रहराज चौहानक समयमे १०३० विक्रम सम्वत (९७३ ई.) मे पूरा भेल छल।

चित्र दिर्घा[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]