हिण्डन नदी

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
हिण्डन नदी
Hindon River
हिण्डन नदीक हवाई चित्र
देश भारत
क्षेत्र उत्तर प्रदेश
स्रोत सिवालिक पहाड
 - स्थान सहारनपुर जिला, भारत
 - निर्देशाङ्क ३५°०५′उ॰ ७७°०८′पू॰ / ३५.०८३°N ७७.१३३°E / 35.083; 77.133
मुख यमुना नदी
 - निर्देशाङ्क २८°०४′उ॰ ७७°०४′पू॰ / २८.०६७°N ७७.०६७°E / 28.067; 77.067निर्देशाङ्क: २८°०४′उ॰ ७७°०४′पू॰ / २८.०६७°N ७७.०६७°E / 28.067; 77.067
लम्बाई ४०० किमी (२४९ माइल)
बेसिन ७,०८३ किमी (२,७३५ वर्ग मिटर)

हिण्डन नदी, उत्तरी भारतमे यमुना नदीक एक सहायक नदी छी । एकर पुरातन नाम हरनदी या हरनन्दी सेहो छल ।[१][२] एकर उद्गम सहारनपुर जिलामे निचला हिमालय क्षेत्रक ऊपरी शिवालिक पर्वतमालामे स्थित अछि । ई पूर्णत: वर्षा-आश्रित नदी छी आ एकर बेसिन क्षेत्र ७,०८३ वर्ग किमी अछि। ई गंगायमुना नदिसभक बीच लगभग ४०० किमीक लम्बाईमे मुजफ्फरनगर जिला, मेरठ जिला, बागपत जिला, गाजियाबाद, नोएडा, ग्रेटर नोएडा सँ निकलैत दिल्ली सँ किछ दूरी पर यमुनामे मिल जाइत अछि ।[३] कहियो महानगरक पहचान मानल जाइवाली हिण्डन नदीक अस्तित्व खतरामे अछि । एकर पानि पिय लायक त कहियो नै रहल, आब ई नदीमे प्रदूषण एते बढि चुकल अछि कि जलीय प्राणियसभक अस्तित्व सेहो खतरामे पहुँच गेल अछि । ऐनामे हिण्डन नदी आब केवल शोध करै तक सीमित रहि गेल अछि । ई नदीमे अक्सिजनक मात्रा लगातार घटैत जा रहल अछि । वर्षा ऋतुमे सेहो ई लगभग जलविहीन रहैत अछि । नदीमे लगातार औद्योगिक अपशिष्ट आ पूजन सामग्री आदि डालल गेला कारण ओहिमे घुलित अक्सिजनक मात्रा दुई सँ तीन मिलिग्राम प्रति लीटर रहि गेल अछि । शोधकर्ता डाक्टर प्रसूम त्यागीक अनुसार प्रायः अक्सिजनक स्तर ६० लाख मिलिग्राम प्रति लीटर या ओई सँ बेसी होवाक चाही । याह कारण अछि कि नदीमे मोहन नगर आ छगारसीक पास जलीय जीवनक नाम पर केवल काइरोनास लार्वा बचल अछि, जे भारी जल प्रदूषणक संकेत छी । ई सूक्ष्म जीवक श्रेणीमे आबैत अछि ।[४]

हिण्डन नदीमे मोहन नगर औद्योगिक क्षेत्रसँ डिस्टलरीक अपशिष्ट, वेस्ट डिस्चार्ज, धार्मिक पूजन सामग्री आ मलमूत्र मिलैत अछि । एकर बाद छगारसी ग्राममे पशुसभक नहेनाए आ खनन आदि होइत अछि, जकार कारण प्रदूषणमे बढोत्तरी होइत अछि । लगभग दस साल पहिने धरि नदीमे अनेक कशेरुकी प्राणी, माछ आ बेंग आदि मिलैत छल, जे कि वर्तमानमे मात्र सूक्ष्मजीव, काइरोनमस लार्वा, नेपिडी, ब्लास्टोनेटिडी, फाइसीडी, प्लैनेरोबिडी परिवारक सदस्य मात्र बचल अछि ।[४]

सहायक नदिसभ[सम्पादन करी]

दून घाटी सँ निकलैवला काली नदी, १५० किमीक यात्रामे सहारनपुर, मुजफ्फरनगर, मेरठगाजियाबाद होइत हिण्डन नदीमे एकर यमुनामे मिलन सँ पूर्व मिलैत अछि । काली नदी सेहो उच्च प्रदूषण ल क चलैत अछि आ पश्चिमी उत्तर प्रदेशक बहुत सन प्रदूषित जल यमुनाके पहुंचैत अछि ।[३][५]

सन्दर्भ सूची[सम्पादन करी]

  1. रावण के गाँव में नहीं मनता दशहरा। वेब दुनिया। १४ अक्टूबर २००७
  2. जहां रावण ने भी शिवलिंग की पूजा की थी। सङ्ग्रहित २००४-०४-१० वेब्याक मेसिन अमर उजाला
  3. ३.० ३.१ जैन, शरद के.; पुष्पेन्द्र के अग्रवाल, विजय पी॰सिंह (२००७). हाइड्रोलॉजी एण्ड वटर रिसोर्सेज़ ऑफ इंडिया- खंड-५७ - ट्रिब्यूटरीज़ ऑफ यमुना रिवर. स्प्रिंजर. प॰ 350. आइएसबिएन 1402051794. http://books.google.com/books?id=ZKs1gBhJSWIC&pg=RA1-PA345&dq=Yamuna+River&lr=&as_brr=0#v=onepage&q=Yamuna%20River&f=false. 
  4. ४.० ४.१ "हिंडन नदी : जल बना जहर"मूलसँ 2012-03-15 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2016-11-30 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  5. ल्युविस, हीदर (अंग्रेज़ीमे). हिण्डन रिवर: गैस्पिंग फ़ॉर ब्रैथ. मेरठ: जनहित फ़ाउण्डेशन. http://www.downtoearth.org.in/full6.asp?foldername=20070215&filename=news&sec_id=51&sid=25. [permanent dead link]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]