आधिकारिक भाषा
आधिकारिक भाषा, कोनो राज्य या देशक घोषित भाषा होइत अछि जे की सम्पुर्ण राजकीय प्रायोजनसभमे प्रयोग होइत अछि । उदाहरणतः नेपालक सम्पूर्ण भाषा राष्ट्रभाषा छी आ भारतक राष्ट्रभाषा हिन्दी छी ।
बोली, विभाषा, भाषा आ राजभाषा
[सम्पादन करी]ओना तँ बोली, विभाषा आ भाषाक मौलिक अन्तर बताए पेनाए कठिन अछि, कियाकी एहिमे मुख्यतया अन्तर व्यवहार-क्षेत्रक विस्तार पर निर्भर अछि । वैयक्तिक विविधताक कारण एक समाजमे बाजल जाइवाला एके टा भाषाक कयन रूप देखाएल गेल अछि । मुख्य रूपसँ भाषाक याह रूपसभकें अपना लोकनि ई प्रकार देखैत छी ।
(१) बोली,
(२) विभाषा आ
(३) भाषा (अर्थात परिनिष्ठित या आदर्श भाषा)
बोली भाषाक छोट एकाई छी । एकर सम्बन्ध गाम या मण्डलसँ रहैत अछि । एहिमे प्रधानता व्यक्तिगत बोलीकें रहैत अछि आ देशज शब्दसभ तथा घरेलू शब्दावलीक बाहुल्य होइत अछि । ई मुख्य रूपसँ आम भाषा छी । अतः एहिमे साहित्यिक रचनासभकें प्रायः अभाव रहैत अछि । व्याकरणिक दृष्टिसँ सेहो एहिमे असाधुता होइत अछि ।
विभाषा कऽ क्षेत्र बोलीकें अपेक्षा विस्तृत होइत अछि ई एक प्रान्त या उपप्रान्तमे प्रचलित होइत अछि । एक विभाषामे स्थानीय भेदसभक आधार पर बहुतेक बेलीसभ प्रचलित रहैत अछि । विभाषामे साहित्यिक रचनासभ मिल सकैत अछि ।
भाषा, अथवा कही परिनिष्ठित भाषा या आदर्श भाषा, विभाषाक विकसित स्थिति छी । एकरा राष्ट्र-भाषा या टकसाली-भाषा सेहो कहल जाइत अछि ।
प्रायः देखल जाइत अछि की विभिन्न विभाषासभमे सँ कियो एक विभाषा अपन गुण-गौरव, साहित्यिक अभिवृद्धि, जन-सामान्यमे अधिक प्रचलन आदिक आधार पर राजकार्यक लेल चुनि लेल जाइत अछि आ ओकरा राजभाषा कऽ रूपमे या राष्ट्रभाषा घोषित करि देल जाइत अछि ।
आधिकारिक भाषा, राज्यभाषा, राष्ट्रभाषा आ राजभाषा
[सम्पादन करी]कोनो प्रदेशक राज्य सरकारद्वारा ओ राज्यक अन्तर्गत प्रशासनिक कार्यसभकें सम्पन्न करवाक लेल जे भाषाक प्रयोग कएल जाइत अछि, ओकरा आधिकारिक भाषा कहल जाइत अछि । ई भाषा सम्पूर्ण प्रदेशक अधिकांश जन-समुदायद्वारा बाजल आ समझल जाइत अछि । प्रशासनिक दृष्टिसँ सम्पूर्ण राज्यमे सर्वत्र ई भाषाकें महत्त्व प्राप्त रहैत अछि ।
एहो सभ देखी
[सम्पादन करी]बाह्य जडीसभ
[सम्पादन करी]- राजभाषा हिन्दी (गुगल पुस्तक ; लेखक - भोलानाथ तिवारी)
- राजभाषा हिन्दी : विवेचना और प्रयुक्ति (गूगल पुस्तक ; लेखक - डॉ किशोर वासवानी)
- राजभाषा सहायिका (गूगल पुस्तक ; लेखक - अवधेश मोहन गुप्त)
- भारत सरकार का राजभाषा विभाग
- संसदीय राजभाषा समिति
- राजभाषा विकास परिषद