नेपालक भूगोल
महादेश | एसिया |
---|---|
क्षेत्र | दक्षिण एसिया |
निर्देशांक | २८°००′उ॰ ८४°००′पू॰ / २८.०००°N ८४.०००°E |
ठाम | Ranked 93rd |
• Total | १,४७,१८१ किमी२ (५६,८२७ वर्ग माइल) |
• Land | 92.94% |
• Water | 7.06% |
तट | ० किमी (० माइल) |
सिमाना | Total land borders: २,९२६ किमी (१,८१८ माइल) चिन: १,२३६ किमी (७६८ माइल) भारत: १,६९० किमी (१,०५० माइल) |
उच्चतम बिन्दु | सगरमाथा ८,८४८ मी (२९,०२९ फिट) |
नमहर नदि | कर्णाली |
बड्का नदि | रारा ताल |
नेपालक लम्बाई करिब ८८५ किलोमिटर (५०० माइल)आ चौडाई १९३ किलोमिटर (१२५ माइल) अछी । नेपालक कूल क्षेत्रफल १४७,५१६ वर्ग किलोमिटर (५६,८२७ sq माइल)अछी । नेपाल भौगोलिक हिसाबसँ ३ भागमे विभाजन कएल अछी: हिमाली क्षेत्र, पहाडी क्षेत्र, आ तराइ क्षेत्र। ई क्षेत्रसभ पूर्व-पश्चिम दिशामे देशभरि फैलिएल अछी आ ई सभ नेपालक प्रमुख नदी तथा पहाडसभ ठाउ-ठाउमे विभाजन केने अछी ।
नेपालक सबसँ दक्षिण भागमे दक्षिणतर्फ गेल समुन्द्री सतहसँ ५९ मिटरसँ मिटरधरिक उचाइ रहल क्षेत्र तराई प्रदेश छी । नेपालक कुलक्षेत्रफल मध्ये १७% भूभाग ओगेटेने ई प्रदेशक उत्तर दक्षिण फैलावट २५ सँ ३० किलोमिटरधरिक रहल अछी ।
पहाडी भूभागमे १,००० सँ ४,००० मिटरधरिक (३,३००–१३,१२५ फू) उचाईक पर्वत परैत अछी । ई क्षेत्रमे महाभारत लेक आ सिवालिक श्रृखला (चुरिया) नामक दुई छोट पहाडी श्रृखला मुख्य श्रृखला अछी । पहाड क्षेत्रमे काठमाडौं उपत्यका सेहो परैत अछी जे नेपालक सबसँ उर्वर तथा शहरी क्षेत्र छी। पहाडी क्षेत्रक उपत्यकासभक तुलनामे २,५०० मिटर (८,२०० फिट)सँ उच्च स्थलमे जनघनत्व बहुत कम अछी ।
हिमाली क्षेत्रमे संसारक सबसँ उच्च हिमश्रृंखलासभ परैत अछी । ई क्षेत्रक उत्तरमे चीनक सिमानामे संसारक सर्वोच्च शिखर, सगरमाथा ८,८४८ मिटर (२९,०३५ फि) अवस्थित अछी। संसारक ८,००० मिटर भन्दा अग्ला १४ चुचुरा मध्ये ८ नेपालक हिमाली क्षेत्रमे परैत अछी । कञ्चनजङ्घा, संसारक तेसर उच्च शिखर सेहो एही हिमाली क्षेत्रमे परैत अछी । नेपालक सब भौगोलिक क्षेत्रक मुख्य समस्यामे वन बिनास एक मुख्य छी जेस भूक्षय आ इकोसिस्टमक विनास होइत अछी ।