"शतरञ्ज" के अवतरणसभमे अन्तर
Biplab Anand (वार्ता | योगदान) +शतरञ्ज |
(कोनो अंतर नै)
|
अन्तिम परिवर्तन १६:४८, ४ नवम्बर २०१७
उच्चतम अन्तराष्ट्रिय संस्था | वर्ल्ड चेस फेडरेसन |
---|---|
पहिलो खेल | छट्ठम् शताब्दी – वर्तमान |
अभिलक्षण | |
टिम सदस्य | दुनू दिस २ खेलाड़ी आकस्मिक खेल आम तौर पर १० सँ ६० मिनेट, प्रतियोगिता खेल दस मिनट सँ छह घण्टा या अधिक समयक लेल । |
आयोजना स्थान | बोर्ड गेम सार रणनीति खेल |
उपस्थिति | |
ओलम्पिक | १९०० |
शतरञ्ज (अङ्ग्रेजी: Chess ) दुई खेलाड़ीसभक बीच खेलल जाइवला एक बौद्धिक आ मनोरञ्जक खेल छी । कोनो अज्ञात बुद्धि-शिरोमणीद्वारा पाँचम-छहम शताब्दीमे ई खेल संसारक बुद्धिजीविसभकें भेंटमे देनए छल । समझल जाइत अछि की ई खेल मूलतः भारतक आविष्कार छी, जकर प्राचीन नाम - 'चतुरङ्ग' छल; जे भारत सँ अरब होइत युरोप गेल आ फेर १५/१६हम शताब्दीमे तँ ई समुचा संसारमे लोकप्रिय आ प्रसिद्ध भ गेल ।
शतरञ्ज एक चौपाट (बोर्ड) क उपर दुई व्यक्तिसभक लेल बनल खेल छी । चौपाटक उपर कुल ६४ खाना या वर्ग होइत अछि, जहिमे ३२ चौरस कारी या अन्य रङ्ग आ ३२ चौरस उज्जर या अन्य रङ्ग क होइत अछि । खेलनिहार दुनू खेलाड़ी सेहो सामान्यतः कारी आ उज्जर कहलावैत अछि । प्रत्येक खेलाड़ी लग एक राजा, वजीर, दुई ऊँट, दुई घोड़ा, दुई हाथी आ आठ सैनिक होइत अछि । बीचमे राजा आ वजीर रहैत अछि । बगलमे ऊँट, ओकर बगलमे घोड़ा आ अन्तिम कतारमे दुई हाथी रहैत अछि । ओकर आगामे आठ पैदल या सैनिक रहैत अछि ।
चौपाट रखैत समय ई ध्यान देल जाइत अछि की दुई खेलाड़ीसभ दहिना दिसक खाना उज्जर होनाए चाही तथा वजीरक स्थान पर कारी वजीर कारी चौरसमे आ उज्जर वजीर उज्जर चौरसमे होनाए चाही । खेलक शुरुआत नित्य उज्जर खेलाड़ीसँ कएल जाइत अछि ।[१]
खेलक शुरुआत
शतरञ्ज सभसँ पुरान आ लोकप्रिय पट (बोर्ड) मे सँ एक छी, जे दुई प्रतिद्वन्दीसभद्वारा एक चौकोर पट (बोर्ड) पर खेलल जाइत अछि, जाहि पर विशेष रूपसँ बनल दुई अलग-अलग रङ्गक सामन्यात: उज्जर आ कारी मोहरासभ होइत अछि । उज्जर पहिने चलैत अछि, जकर बाद खेलाडी निर्धारित नियमसभक अनुसार एक-एक चाल चलैत अछि । एकर बाद खेलाड़ी विपक्षीक प्रमुख मोहरासभ, राजाकें शाह-मात (एक एहन अवस्था, जाहिमे पराजय सँ बचनाए असम्भव होए) देवाक प्रयास करैत अछि । शतरञ्ज ६४ खानाक पट या शतरञ्जी पर खेलल जाइत अछि, जे क्रम (दर्जा) कहल जाइवला आठ अनुलम्ब पङ्क्तिसभ व फाइल (कतार) कहल जाइवला आठ आड़ा पङ्क्तिसभमे व्यवस्थित होइत अछि । ई खाना दुई रङ्ग, एक हल्का, जेना उज्जर, माटिमैला, पियर आ दोसर गाढा, जेना कारी, या हरियर सँ एक क बाद दोसर क स्थितिमे बनल रहैत अछि । पट्ट दुई प्रतिस्पर्धीक बीच एहि प्रकार रखल जाइत अछि की प्रत्येक खेलाड़ी दिस दाहिना हाथक कोना पर हल्का रङ्ग भेल खाना होए । हर शतरञ्जक टुकड़ा आगा घुसकैक अपन शैली होइत अछि ।[२]
मोहरा | राजा | वजीर/रानी | किश्ती | फील | घोड़ा | प्यादा |
---|---|---|---|---|---|---|
सङ्ख्या | १ | १ | २ | २ | २ | ८ |
चिन्ह |
वर्गसभक पहचान
बिसातक प्रत्येक वर्ग एक अक्षर आ एक सङ्ख्या क एक विशिष्ट युग्मद्वारा पहचान कएल जाइत अछि ।
प्यादा वा सैनिक
खेलक शुरुआत उज्जर खेलाड़ीसँ कएल जाइत अछि । सामान्यतः ओ वजीर वा राजाकें आगा राखल गेल पैदल वा सैनिकक दो चौरस आगा चलैत अछि । प्यादा (सैनिक) तुरन्त अपन आगाक खाली वर्ग पर आगा चलि सकैत अछि या अपन पहिल कदम ओ दुई वर्ग चलि सकैत अछि यदि दुनू वर्ग खाली होइ ।[३]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
- ↑ "50 moves rules"। FICGS। अन्तिम पहुँच 2013-5-08।
{{cite web}}
: Check date values in:|accessdate=
(help) - ↑ "Laws of Chess"। FIDE। अन्तिम पहुँच 2013-05-08।
- ↑ Bodlaender, Hans। "The rules of chess"। Chess Variants। अन्तिम पहुँच 2013-05-08।
बाह्य जडीसभ
- ChessGames.com - online chess database and community
- ChessLive - online database
- Mathworld - chess and mathematics
- Jmrw.com - chess and art