मधुबाला

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
मधुबाला
Madhubala
जन्म
मुमताज बेगम जहाँ देहलवी

(१९३३-०२-१४)१४ फरबरी १९३३
मृत्यु२३ फरबरी १९६९(१९६९-०२-२३) (३६ वर्ष)
राष्ट्रियताभारतीय
व्यवसायअभिनेत्री, चलचित्र निर्माता
जीवनसाथी(सभ)किशोर कुमार (वि. १९६०१९६९)


मधुबाला (मूल नाम: मुमताज जहाँ देहलवी; सन् १९३३ फरबरी १४ - सन् १९६९ फरवरी २३) एक भारतीय चलचित्र अभिनेत्री छी जे की शास्त्रीय भारतीय हिन्दी चलचित्रमे अभिनय केनए छल। ओ मुख्यतया हिन्दी चलचित्रमे अभिनय करैत छल। ओकर अभिनयमे आदर्शवादी भारतीय महिला देखल गेल छल।

प्रारम्भिक जीवन[सम्पादन करी]

मधुबाला कऽ जन्म सन् १९३३ फरबरी १४ मे दिल्ली कऽ एक पस्तुन मुस्लिम परिवारमे भेल छल। मधुबाला अपन माता-पिता कऽ ५म् सन्तान छल। हुनकर माता-पिता कऽ कुल ११ सन्तान छल। मधुबाला कऽ बाल्यकाल कऽ नाम मुमताज बेगम जहाँ देहलवी छल।

बलिउडमे प्रवेश[सम्पादन करी]

बलिउडमे ओ 'बेबी मुमताज' कऽ नामसँ केनए छल। ओ हिन्दी चलचित्र 'बसन्त' (१९४२) सँ अप्पन करियरक आरम्भ केनए छल। बसन्त चलचित्रमे मधुबालाक अभिनयसँ प्रभावित भऽ देविका रानी ओकर नाम मुमताजसँ बदलि 'मधुबाला' राखि देलक।

अभिनय यात्रा[सम्पादन करी]

मधुबालाक मुख्य भूमिका खेलवाक पहिल मौका केदार शर्मा अपन चलचित्र 'नील कमल' (१९४७) मे देनए छल। ई चलचित्रमे ओ राज कपूर कऽ साथ अभिनय केनए छल। ई चलचित्रमे ओ अभिनय केलाक बाद ओकरा 'सिनेमाक सौन्दर्य देवी' कहल जाए लगल छल। एकर २ सालक बाद बम्बे टकिजक चलचित्र 'महल' मे ओ अभिनय केलक। महल चलचित्रक गीत 'आएगा आनेवाला' दर्शकसभ बहुत पसन्द केलक।

विआह[सम्पादन करी]

मधुबालाक विआह कऽ लेल तीन अलग-अलग व्यक्तिसँ प्रस्ताव मिलल छल। मुदा मधुबाला किशोर कुमार कऽ चुनवाक निर्णय केलक। किशोर कुमार एक तलाक भेल व्यक्ति छल। सन्न १९६० मे किशोर कुमार विआह केलक। मुदा किशोर कुमारक माता-पिता कऽ मधुबाला स्वीकार नै छल। ओ लोकनि केर विचार छल जे मधुबालाक कारणसँ ओकरसभक बेटा कऽ पहिल विआह टूटल छल। किशोर कुमार माता-पिता कऽ खुश करवाक लेल हिन्दू रीति-रिवाजसँ पुनः शादी केलक, मुदा ओ अप्पन माए बाप केर नै मोनाए सकल।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]