मधुबाला

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
Jump to navigation Jump to search
मधुबाला
जन्म मुमताज बेगम जहाँ देहलवी
(१९३३-०२-१४)फरबरी १४, १९३३ [१]
नयाँ दिल्ली, भारत
मृत्यु २३ फरबरी १९६९(१९६९-०२-२३) (३६ वर्ष) [१]
मुम्बई, महाराष्ट्र, भारत
वासस्थान मुम्बई, भारत
राष्ट्रियता भारतीय
रोजगार अभिनेत्री
धर्म मुस्लिम
जिवनसाथी किशोर कुमार (विवाह १९६०–१९६९) «Did not recognize date. Try slightly modifying the date in the first parameter.–Did not recognize date. Try slightly modifying the date in the first parameter.»"विवाह: किशोर कुमार to मधुबाला" Location: (linkback://mai.wikipedia.org/wiki/%E0%A4%AE%E0%A4%A7%E0%A5%81%E0%A4%AC%E0%A4%BE%E0%A4%B2%E0%A4%BE)

मधुबाला (असल नाम मुमताज जहाँ देहलवी) (जन्म: १४ फेब्रुवरी १९३३, दिल्ली - मृत्यु: २३ फरवरी १९६९ , मुम्बई ) एक भारतीय चलचित्र अभिनेत्री छी जे की क्लासिक सिनेमामे दिखाई देनए छल। भारतीय हिन्दी चलचित्रक एक अभिनेत्री छल। उनकर अभिनयमे आदर्शवादी भारतीय महिला देखल गेल छल।

प्रारम्भिक जीवन[सम्पादन करी]

मधुबाला कऽ जन्म १४ फरवरी १९३३ मे दिल्ली कऽ एक पश्तून मुस्लिम परिवारमे भेल छल। मधुबाला अपन माता-पिता कऽ ५अम सन्तान छल। उनकर माता-पिता कऽ कुल ११ सन्तान छल। मधुबाला कऽ बाल्यकाल कऽ नाम मुमताज बेगम जहाँ देहलवी छल। एक भविष्यवक्ता उनकर माता-पितासँ उनकर बारेमे एना कहने छल कि मुमताज अत्यधिक ख्याति तथा सम्पत्ति आर्जन करत मुद्दा उनकर जीवन दुखःमय होइत।

बलिउडमे प्रवेश[सम्पादन करी]

बलिउडमे उनकर प्रवेश 'बेबी मुमताज़' कऽ नामसँ भेल छल। उनकर पहिल चलचित्र बसन्त (१९४२) छी। देविका रानी बसन्तमे उनकर अभिनयसँ बहुत प्रभावित भेल छल, तथा उनकर नाम मुमताजसँ बदलि ' मधुबाला' राइख देलक।

अभिनय यात्रा[सम्पादन करी]

उनका मुख्य भूमिका खेलवाक पहिल मौका केदार शर्मा अपन चलचित्र नील कमल (१९४७) मे देनए छल। ई चलचित्रमे ओ राज कपूर कऽ साथ अभिनय केनए छल। ई चलचित्रमे उनकर अभिनयक बाद उनका 'सिनेमा क सौन्दर्य देवी' (Venus Of The Screen) कहल जाइ लगल। एकर २ सालक बाद बम्बे टकीज क चलचित्र महल मे ओ अभिनय केलक। महल चलचित्रक गीत 'आयेगा आनेवाला' दर्शकसभ बहुत पसन्द केलक। ई चलचित्रक गीत पार्श्व गायिका लता मङ्गेश्वर, ई चलचित्रक सफलता तथा मधुबालाक करियरमे, बहुत सहायक सिद्ध भेल।

विवाह[सम्पादन करी]

मधुबाला कऽ विवाह कऽ लेल तीन अलग-अलग व्यक्तिसँ प्रस्ताव मिलल छल। मुद्दा मधुबाला किशोर कुमार कऽ चुनवाक निर्णय केलक। किशोर कुमार एक तलाक भेल व्यक्ति छल। १९६० मे किशोर कुमार विवाह केलक। मुद्दा किशोर कुमार के माता-पिता कऽ मधुबाला स्वीकार नै छल। उनकर विचार छल कि मधुबाला के उनकर बबेटा कऽ पहिल विवाह टूटवाक कऽ कारण छी। किशोर कुमार माता-पिता कऽ खुश करवाक लेल हिन्दू रीति-रिवाज से पुनः शादी केलक, मुद्दा ओ उनका मना नै सकल।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]