पासाङ ल्हामु शेर्पा

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
पासाङ ल्हामु शेर्पा
པ་སངས་ལྷ་མོ།
Pasang Lhamu Sherpa
व्यक्तिगत जानकारी
मुख्य काजपर्वतारोही
जन्म (१९६१-१२-१०) दिसम्बर १०, १९६१ (उमर ६२)
लुक्ला, सोलुखुम्बु, नेपाल
मृत्युअप्रैल २२, १९९३(१९९३-०४-२२) (३१ वर्ष)
सगरमाथा, नेपाल
राष्ट्रियतानेपाली
जीवन-यात्रा
आरम्भिक उमर१५ बर्ष
शुरूपर्वतारोही, पथप्रदर्शक
उल्लेखनीय चढ़ाईपहिल नेपाली महिला सगरमाथा आरोही −२०५०
परिवार
जीवनसाथीसोनाम छिरिङ शेर्पा
बच्चा२ बेटीसभ (दावा फुटी आ डिक्की) आ १ बेटा (नाम्गेल)

पासाङ ल्हामु शेर्पा वा पासाङ ल्हमो शरपा (शेर्पा:, विश्व के सर्वोच्च शिखर सगरमाथा आरोहण केनिहार प्रथम नेपाली महिला छी । ओ सन् १९९३ अप्रैल २२ मे सगरमाथाक सफल आरोहण केनए छल । एहिसँ पहिने हुनकर तीन बेर सगरमाथा आरोहण करिबाक प्रयास असफल भेल छल । ओ सगरमाथाक दक्षिणी मोहडासँ आरोहण केनए छल । सगरमाथाक शिखरसँ पति सोनाम छिरिङसंग घुमैतकाल हुनकर मृत्यु भेल छल ।

सगरमाथाक सफल आरोहण करिसँ पहिने ओ मोन्ट ब्लाङ्क, चोयु हिमालय तथा अन्य हिमालयसभक सफल आरोहण केनए छल ।

जीवनी[सम्पादन करी]

पासाङके जन्म सोलुखुम्बु जिलाक चौरीखर्क, लुक्ला सुर्के-४ मे सन् १९६१ दिसम्बर १० मे भेल छल । पिता फूर्वा कितार शेर्पासंग १४ वर्षक छोट उमरसँ ओ हिलडुल करैलेल आरम्भ क देनए छल । अपन घरक एकमात्र बेटी पासाङ सन् १९७९ मे पूर्णरूपसँ ट्रेकिङ पेशामे लागल छल । सन् १९९० आ ओकरबाद लगातार दुई वर्ष सगरमाथा आरोहण करिक हुनकर योजना असफल भेल छल ।

सम्मान[सम्पादन करी]

पासाङ ल्हामुक सहासक सम्मान करैत नेपाल सरकार हुनका नेपालक राष्ट्रिय विभूति घोषित केनए अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य लिङ्कसभ[सम्पादन करी]