चायखेती

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

नेपालक पूर्वी जिलासभ इलाम, पाँचथर, झापा, धनकुटा, तेह्रथुम आदि स्थानमे चायखेती होइत अछि । बहुत वर्षा होमएवला ठाम (वार्षिक २०० से.मी. धरि) मुदा पानि नै जमैवला ठाममे चायखेती कएल जाइत अछि । नेपालमे गुम्टी, तग्दा ७८, चिनीयाँ, आसामिज आदि जातिक चाय खेती कएल जाइत अछि । नेपालक अर्थोडक्स चाय युरोप, अमेरिका, अस्ट्रेलिया लगायतक देशसभमे लोकप्रिय रहल अछि । हाल नेपालमे कोनो रसायनिक मल तथा कीटनाशक प्रयोग नै करि अर्गेनिक चाय उत्पादन करवाक प्रचलन शुरू भेल अछि ।

नेपालमे चायखेतीके इतिहास[सम्पादन करी]

नेपालमे चायखेतीके इतिहास करिब १४३ वर्ष पुरान रहल अछि । सन् १८६२ मे कर्नेल गजराजसिंह थापा चीनसँ उपहारस्वरूप प्राप्त चायके गाछ इलामक इलाम चायबगानमे रोप्लाक बाद नेपालमे चाय खेती प्रारम्भ भेल अछि । चायक उक्त बीया चीन सरकार प्रथम राणा प्रधानमन्त्री जङ्गबहादुर राणाके उपहार देनए छल ।[१] ओहि समयमे अन्दाजी भारतमे सेहो चायखेती प्रारम्भ भेल छल ।


चित्र दीर्घा[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. Fuller, Thomas (21 April 2008)। "A Tea From the Jungle Enriches a Placid Village"The New York Times। New York। p. A8।