नेपालक सिनेमा

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
नेपालक सिनेमा
Cinema of Nepal
नेपाली चलचित्र उद्योग
स्क्रिन सं.१३०
 • प्रति आय०.२ प्रति १,००,००० (२००१)
मुख्य वितरकम्युजिक नेपाल
माउन्टेन रिभर फिल्म्स
निर्मित चलचित्र
एनिमेटेड१९+
डकुमेन्ट्री२५+

नेपालक सिनेमा या नेपाली चलचित्र उद्योग नेपाली भाषाक चलचित्र निर्माण करैवला उद्योग छी । नेपाली चलचित्र उद्योग काठमाडौंमे रहल अछि । नेपालमे चलचित्रक विकास क्रम किछ देरसँ सुरू भेलाक बादो अखन वर्तमान समयमे ई क्षेत्र सशक्त बनि रहल अछि । नेपाली सिनेमा उद्योगमे वर्षमे दर्जनौ चलचित्रसभक निर्माण भ रहल अछि । नेपालमे चलचित्रक व्यावस्थापन आ नियमन नेपाल चलचित्र विकास बोर्ड करैत अछि । नेपाली चलचित्र उद्योग विभिन्न चरण पार करि आधुनिक प्रविधिक युगमे अपनाआपके समायित क चुकल अछि । पिछला किछ समयसँ नेपाली चलचित्रसभ नीक कमाई क रहल अछि । नेपालक अर्थतन्त्रमे सेहो चलचित्र क्षेत्रक योगदान दिन प्रति दिन उच्च भ रहल अछि । नेपालमे रहल पैग जनसमूह चलचित्रके कर्मस्थल बनाए नेपाली चलचित्र क्षेत्रक प्रवर्द्धन क रहल अछि ।

इतिहास[सम्पादन करी]

प्रारम्भिक चरण[सम्पादन करी]

नेपाली भाषामे निर्मित पहिल चलचित्र भारतमे वि.सं. २००८ सालमे निर्मित सत्य हरिश्चन्द्र छी, जे नेपालीमे सेहो डबिङ्ग करि सार्वजनिक कएल गेल छल । नेपालमे निर्मित चलचित्रक पहिलो बेर प्रदर्शन वि.सं. २०२२ सालक आसिन महिनामा आमा चलचित्रसँ भेल छल । आमा चलचित्रक निर्देशन हिरा सिंह खत्री केनए छल । चलचित्रमे शिवशंकर मानन्धरभुवन चन्दक अभिनय छल । जकरा नेपाली सिनेमाक पहिल नायक आ नायिका मानल जाइत अछि मुदा सरकारी लगानीमे निर्मित आमा चलचित्र निर्माण होमएसँ पहिने वि.सं. २०१८ सालमे नीजि लगानीमे निर्माण आरम्भ कएल गेल चलचित्र माइतीघर मुदा आमासँ पाछा मात्र सार्वजनिक भेल छल । माइतीघर चलचित्रमे माला सिन्हा आ चिदाम्बर प्रसाद लोहनीक प्रमुख भूमिका रहल छल । ई जोडी बादमे विवाह सेहो केनए छल । चलचित्रमे सुनील दत्त आ कमेडियन राजेन्द्र नाथक विशेष उपस्थिति रहल छल । चलचित्रक निर्देशन बिएस थापा केनए छल तँ कुशल प्रतिभा जयदेव सङ्गीत देनए छल । चलचित्रमे लता मंगेशकर, आशा भोंसले, उषा मंगेशकरक संगे प्रेमध्वज प्रधान, सिपी लोहनी आ अरुणा लामा स्वर देनए छल ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]