सामग्री पर जाएँ

आसिन

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
आसिन
एहि महिनाक दौरान प्रमुख हिन्दू पावनि दिवाली मनाओल जाइत अछि।
मूल नामअश्विन् (संस्कृत)
पञ्चाङ्गहिन्दू कलेन्डर
महिना सङ्ख्या
दिन सङ्ख्या२९ या ३०
ऋतुशरद ऋतु
ग्रेगोरियन महिनासितम्बर–अक्टुबर
महत्वपूर्ण दिनसभ

आसिन (नेपाली: आश्विन, असोज, बङ्गाली: আশ্বিন, संस्कृत: अश्विन्) हिन्दू कलेन्डरक १२ महिनासभमे सँ एक महिना छी। ई महिना केर भोजपुरी, अवधि आ थारु भाषामे कुवार महिना कहल जाइत अछि। चन्द्रमासक अनुसार ई महिना भाद्र पूर्णिमाक काल्हिसँ सुरु भेल मानल जाइत अछि ताहिना सौर्यमास अनुसार आसिनक महिना कन्या सङ्क्रान्तिक दिन सुरु होइत अछि मुदा शाक्य पञ्चाङ्गक अनुसार आसिन महिना कन्या सङ्क्रान्तिक ५ दिन बाद सुरु होइत अछि। नेपालमे सौर्यमासके प्रयोगमे आनल गेल अछि। आसिनक महिना शरदऋतुक पहिल महिना छी। अङ्ग्रेजी महिनाक आधा सितम्बर[] महिना आ आधा अक्टुबर महिना आश्विन महिनामे पड़ैत अछि।

पावनिसभ

[सम्पादन करी]

आसिन महिनामे विवध पावनिसभ मनाएल जाइत अछि। जे निम्नलिखित अछि:

  1. नवरात्री (१-९ आसिन)
  2. दुर्गा पूजा (६-१० आसिन)
  3. कोजागरा (१५ आसिन)
  4. शरद पूर्णिमा (१५ आसिन)
  5. विजयादशमी या दशहरा (१० आसिन)
  6. दिवाली पावनि जाहिमे धनतेरस (२८ आसिन), नर्क चतुर्दशी (२९ आसिन) आ लक्ष्मी पुजा (आसिनक अन्तिम दिन)
  7. काली पूजा (आसिनक पहिल चन्द्र)

सन्दर्भ सूचीसभ

[सम्पादन करी]
  1. Henderson, Helene. (Ed.) (2005) Holidays, festivals, and celebrations of the world dictionary Third edition. Electronic edition. Detroit: Omnigraphics, p. xxix. ISBN 0-7808-0982-3

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]