परराष्ट्र मन्त्रालय (नेपाल)
निकाय सङ्क्षेप | |
---|---|
एजेन्सी कार्यकारीसभ |
|
वेबसाइट | mofa.gov.np |
परराष्ट्र मन्त्रालय नेपालक अन्य राज्यसभ संगक मामिलासभ देखैल सबसँ उच्च सरकारी निकाय छी। नेपाल सरकार कुनो भी राज्यसँग कुटनैतिक तथा औपचारिक सम्बन्धसभ एहि मन्त्रालय मार्फत करैत अछि। ई मन्त्रालय अर्न्तर्गत विदेशमे २४ वटा कुटनैतिक नियोगसभ स्थापित अछि आ कुटनैतिक तालीम सम्बन्धी कार्यमे काठमाडौ त्रिपुरेश्वरस्थित परराष्ट्र मामिला अध्ययन प्रतिष्ठान कार्यरत अछि। हाल केन्द्रीय निकायक रूपमे ई मन्त्रालय आ एहि अर्न्तगत अतिथि सत्कार विभाग रहल अछि जिला स्थित सर्म्पर्क कार्यालय वीरगञ्जमे अछि।
सुरूमे जैशी कोठाक नाममे स्थापना भऽ प्रधानमन्त्री भीमसेन थापाक पालामे मुन्सीखाना सरकारी कार्यालयके परराष्ट्र विभाग बनालक। हाल उक्त विभाग परराष्ट्र मन्त्रालयक नामसँ चिनैत अछि।
उद्देश्यसभ
[सम्पादन करी]कार्यक्षेत्र आ जिम्मेवारी
[सम्पादन करी]नेपाल सरकार (कार्य विभाजन) नियमावली अनुसार परराष्ट्र मन्त्रालयक कार्यक्षेत्र आ जिम्मेवारी निम्नानुसार रहल अछि :
- नेपालक परराष्ट्र नीति सम्बन्धी,
- विदेशी राष्ट्रसभसगक सम्बन्ध सम्बन्धी,
- नेपालस्थित विदेशी नियोगसभ सम्बन्धी,
- विदेशमे नेपालक प्रतिनिधित्व सम्बन्धी,
- विदेशमे नेपाल सम्बन्धी प्रचार प्रसार सम्बन्धी,
- विदेशी राष्ट्रसभसँग लेखापढी सम्बन्धी,
- संयुक्त राष्ट्रसंघ तथा अन्तर्रराष्ट्रिय वा क्षेत्रीय संस्थासभ सम्बन्धी,
- सुपुर्दगी सम्बन्धी,
- राहदानी (पासपोर्ट) तथा विदेशमे भिसा सम्बन्धी,
- अन्तर्राष्ट्रिय सम्मेलनमे भाग लऽ सम्बन्धी,
- अतिथि सत्कार सम्बन्धी,
- शिष्टाचार (प्रोटोकल) सम्बन्धी,
- नेपाल एवम् आरो देशक नागरिकसभक आ-आपन सरकारसँ व्यक्तिउपरक दावा सम्बन्धी,
- विदेशमे रहल नेपाली नागरिकसभक अभिलेख तथा ओसभक हक हित आ संरक्षण सम्बन्धी,
- आर्थिक कुटनीति, अन्तर्रराष्ट्रिय व्यापार तथा पर्यटन प्रवर्द्धन सम्बन्धी,
- अन्तर्राष्ट्रिय स्तरमे जनस्तरीय एवम् गैरसरकारी संस्था स्तरीय सम्बन्ध विकास आ प्रवर्द्धन सम्बन्धी।
ई मन्त्रालय आ अर्न्तर्गतक निकायसभ
[सम्पादन करी]- विभिन्न १० टा महाशाखासभ,सिंहदरवार
- राहदानी विभाग, नारायणहिटी
- कन्सुलर सेवा विभाग, त्रिपुरेश्वर
- अतिथि सत्कार विभाग,
- सम्पर्क कार्यालय बीरगञ्ज
राजदूतावाससभ भेल स्थानसभ
[सम्पादन करी]नेपालक राजदूतावाससभ भेल स्थानसभ
[सम्पादन करी]अबु धाबी, बैङ्कक, बेइजिङ्ग, बर्लिन, ब्रसेल्स, काइरो, कोलम्बो,कोपनहेगन, ढाका,दोहा, इस्लामाबाद, लण्डन, मस्को, नयाँ दिल्ली, पेरिस, रियाद, टोक्यो, वासिङ्टन डी.सी., याङगुन,बहराइन, सउल, क्यानवेरा आ क्वालालम्पुरमे नेपाली राजदूतावास
राष्ट्रसङ्घक लेल नेपालक स्थायी नियोग भेल स्थानसभ
[सम्पादन करी]भियना, न्यूयोर्क आ जेनेभा
नेपाली महावाणिज्य दूतावास भेल स्थानसभ
[सम्पादन करी]जेदा , न्यू योर्क, हङकङ, ल्हासा, कोलकाता आ दिल्ली
सर्म्पर्क ठेगाना
[सम्पादन करी]परराष्ट्र मन्त्रालय
नारायणहिटी, काठमाडौ
फोन नं.: ४४१६०११, ४४१६०१२
फ्याक्स: ९७७-१-४४१६०१६/ ४४१९०४४
इमेल: adm@mofa.gov.np