निकिता दत्ता

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
निकिता दत्ता
Nikita Dutta
निकिता दत्ता २३म एसओएल लायन्स गोल्ड अवार्ड्स २०१६ कऽ समयमे
जन्म (१९९१-११-१३) १३ नवम्बर १९९१ (उमर ३२)[१]
राष्ट्रियताभारतीय
व्यवसायअभिनेत्री, मोडल
सक्रिय वर्ष२०१४–वर्तमान
प्रसिद्धि कारणफेमिना मिस इन्डिया २०१२ फाइनलिस्ट[२]
उल्लेखनीय कार्यसभ
एक दूजे के वास्ते


निकिता दत्ता (जन्म १३ नवम्बर १९९१[१]) एक भारतीय अभिनेत्री छी। ओ फेमिना मिस इन्डिया २०१२ कऽ फाइनलिस्टसभमे सँ एक छल। ओ बलिउड चलचित्र क्षेत्रमे अपन करियरक शुरुआत चलचित्र 'लेकर हम दीवाना दिल' सँ केनए छल, जतय ओ सहायक भूमिकामे छल। एकर बाद ओ 'ड्रीम गर्ल' धारावाहिकक सङ्ग टेलिभिजन करियरक शुरुआत केनए छल। ओ 'एक दूजे के वास्ते'[३] सुमन तिवारी आ 'हासिल' नामक टेलिभिजन धारावाहिकमे आँचल श्रीवास्तवक किरदारक लेल दर्शकदीर्घामे लोकप्रिय अछि।[४] सन् २०१९ मे प्रदर्शन भेल बलिउड चलचित्र 'कबीर सिंह' मे सेहो ओ अभिनय केनए छल।[५][६]

व्यक्तिगत जीवन[सम्पादन करी]

निकिता दत्ताक जन्म १३ नवम्बर १९९१ [१] कऽ दिन अनिल कुमार दत्ता आ अलका दत्ताक घर दिल्लीमे भेल छल।[७] निकिताके एकटा बहीन अछि जकर नाम अंकिता दत्ता छी।[८] निकिताक पिता भारतीय नौसेनामे एक अधिकारी छी। दत्ता अपन अधिकांश जीवन विशाखापट्टनम, मुम्बईकोच्चिमे बितेने अछि।[९] ओ अपन विद्यालय शिक्षा मुम्बई सँ केनए अछि आ उच्च शिक्षा सेन्ट जेभियर्स कौलेज, मुम्बई सँ अर्थशास्त्रमे स्नातक करि केनए अछि।[१०].

करियर[सम्पादन करी]

निकिता दत्ता अपन बलिउड करियरक शुरुआत सन् २०१४ मे प्रदर्शित चलचित्र लेकर हम दीवाना दिल[११] सँ केनए छल जहिमे ओ रोजक भूमिका निभेने छल। चलचित्रमे मुख्य भूमिका अरमान जैन आ दीक्षा सेठ निभेने छल। एकर बाद ओ गोल्ड[१२]कबीर सिंह[१३] जका चलचित्रमे काज केनए अछि।

ओ अपन टेलिभिजन करियरक शुरुआत लाइफ ओके पर प्रसारित ड्रीम गर्ल धारावाहिक सँ केनए छल जहिमे ओ लक्ष्मी माथुरक भूमिका निभेने छल।[१४] टेलिभिजन धारावाहिक एक दूजे के वास्ते सँ निकिता दत्तासँ लोकप्रियता भेटल छल जे सोनी टिभी पर प्रसारित कएल जाएत छल।

पुरस्कार[सम्पादन करी]

निकिता दत्ताके एक दूजे के वास्ते[१५] धारावाहिकमे उत्कृष्ट जोड़ी (नामिक पल कऽ सङ्ग) लायन्स गोल्ड आवार्ड्स जितने छल जखन की 'हासिल' धारावाहिकक लेल लोकप्रिय अभिनेत्री लायन्स गोल्ड अवार्ड्स जितने छल।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. १.० १.१ १.२ "Zayed Khan and Vatsal Sheth celebrated co-star Nikita Duttas birthday in advance; see pics"। अन्तिम पहुँच 14 November 2017
  2. "I don't mind wearing a bikini on the small screen - Beauty Pageants - Indiatimes"। अन्तिम पहुँच 14 November 2017
  3. Baddhan, Raj (2016-02-10)। "Sony TV to launch 'Ek Duje Ke Vaaste' this month"BizAsia | Media, Entertainment, Showbiz, Events and Music (ब्रिटिश अंग्रेज़ीमे)। अन्तिम पहुँच 2019-07-10
  4. "Nikita Dutta, Vatsal Seth, Zayed khan start shooting for Haasil - Times of India"The Times of India (अंगरेजीमे)। अन्तिम पहुँच 2019-07-10
  5. "EXCLUSIVE: Nikita Dutta talks about more recognition coming her way after Kabir Singh, film's criticism & more"PINKVILLA (अंगरेजीमे)। अन्तिम पहुँच 2019-08-17
  6. "Nikita Dutta on Kabir Singh: "I've been told I'm the best thing in the second half of Kabir Singh""Masala.com (अंगरेजीमे)। अन्तिम पहुँच 2019-07-10
  7. "I do not have a godfather in the industry says Nikita Dutta - Beauty Pageants - Indiatimes"। अन्तिम पहुँच 14 November 2017
  8. "Nikita Dutta - Beauty Pageants - Indiatimes"। अन्तिम पहुँच 14 November 2017
  9. "Happy Father's Day, daddy!"। अन्तिम पहुँच 14 November 2017
  10. Lifestyle, The Trending World (2019-07-07)। "Nikita Dutta (Actress) Lifestyle, Biography, Unknown Facts, Age and More — Biography Adda"Medium (अंगरेजीमे)। मूलसँ 2019-07-11 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2019-07-11 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  11. Hungama, Bollywood। "Lekar Hum Deewana Dil Cast & Crew - Bollywood Hungama"Bollywood Hungama। अन्तिम पहुँच 14 November 2017
  12. "Gold: Akshay Kumar's film also marks Bollywood debut of TV actor Nikita Dutta?"indianexpress.com। 21 September 2017। अन्तिम पहुँच 14 November 2017
  13. "Shahid Kapoor finds new co-star in Nikita Dutta"Pune Mirrorमूलसँ 13 November 2018 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 13 November 2018 {{cite news}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  14. India, The Hans (2015-11-17)। "Nikita Dutta exits the show Dream Girl"www.thehansindia.com (अंगरेजीमे)। अन्तिम पहुँच 2019-07-10
  15. "Lions Gold Awards: EDKV's Namik Paul-Nikita Dutta, Beyhadh's Kushal Tandon & Others Shine"। 5 January 2017। अन्तिम पहुँच 14 November 2017

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]