सामग्री पर जाएँ

अपर्णा पोपट

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
अपर्णा पोपट
Aparna Popat
Popat smiling at the camera in a white sweatshirt
राष्ट्रपति डॉ. ए.पी.जे. अब्दुल कलाम बैडमिंटन के लिए सुश्री अपर्णा पोपट को अर्जुन पुरस्कार-2005 प्रदान करते हुए
व्यक्तिगत जानकारी
जन्म नामअपर्णा लालजी पोपट
जन्म (१९७८-०१-१८) १८ जनवरी १९७८ (उमर ४७)
मुम्बई, महाराष्ट्र, भारत
ऊँचाई१.६३ मी (५ फिट ४ इन्च)
राष्ट्रभारत
सक्रियता काल१९८९–२००६
हाथ का इस्तेमालदहिना
महिला एकल
उच्चतम वरीयता१६[]
बीडबल्युएफ प्रालेख

अपर्णा पोपट (गुजराती: અપર્ણા પોપટ; जन्म: १८ जनवरी सन् १९७८[]) पुर्व भारतीय ब्याडमिन्टन खेलाडी छी। ओ सन् १९९७ आ सन् २००६ क बीच सभ सिनियर राष्ट्रिय च्याम्पियनशिप जितैक साथ साथे न बेर भारतक राष्ट्रिय च्याम्पियन रहल अछि।

प्रारम्भिक जीवन

[सम्पादन करी]

अपर्णा पोपटक जन्म १८ जनवरी सन् १९७८ क मुम्बई, महाराष्ट्रमे लालजी पोपट आ हीना पोपटक गुजराती परिवारमे भेल छल। ओ मुम्बई के जे. बी. पेटिट हाई स्कुल आ बेङगलोरक माउन्ट कर्मेल कलेज सँ अपन प्री-युनिवर्सिटी कोर्स पुरा केलक। अपर्णा लग मुम्बई विश्वविद्यालय सँ वाणिज्यमे स्नातकक डिग्री सेहो अछि।[]

प्रशिक्षण पृष्टभुमि

[सम्पादन करी]

अपर्णा सन् १९८६ मे मुम्बईमे ब्याडमिन्टन खेलनाए शुरू केलक। ८ सालक उमरमे ओह कोचिङगक लेल अनिल प्रधान लग पहुचल। राष्ट्रिय च्याम्पियन होएक नाता सँ, ओ खेलक बहुत रास चुनौतिसभक सामना करैक लेल आवश्यक कौशल विकसित करैमे अपर्णाक मदद केलक।

सन् १९९४ मे, ओ अपन क्षमतासभक आ विस्तार करैक लेल बेङगलोरमे प्रकाश पादुकोण ब्याडमिन्टन एकाडमीमे दाखिला लेनए छल।[] पुर्व अल इङ्गल्यान्ड च्याम्पियन, प्रकाश पादुकोण क तहत प्रशिक्षण लेलाक बाद, ओ अपन फिटनेसक निर्माण केलक आ अन्तरराष्ट्रिय स्तर पर अधिक प्रतिस्पर्धी होएक लेल तकनीकसभक सिखलक।

सन् २००२ मे ओ बेङगलोरक केङगेरी स्थित भारतीय खेल प्राधिकरण क प्रशिक्षण केन्द्रमे स्थानान्तरित भा गेल छल, जत ओ कोच गंगुला प्रसाद सँ खेलक बारीकियासभ सिखने छल।

अपर्णा सन् १९९७ मे हैदराबादमे अपन पहिल वरिष्ठ राष्ट्रिय खिताब जितए छल। सन् २००६ धरि ओ सब वरिष्ठ राष्ट्रिय खिताब जितलक, जे हुनका प्रकाश पादुकोणक लगातार न टा राष्ट्रिय एकल खिताब जितैक रेकर्डक बराबरी केलक।[]

ओ जनवरी २००६ मे बेङ्गलोरमे १५ वर्षीय साइना नेहवालक हराबैक बाद २७ सालक उमरमे न टा वरिष्ठ राष्ट्रिय खिताबमे सँ अन्तिम खिताब जितने छल।[]

अनन्तरराष्ट्रिय स्तर पर हुनकर उपलब्धिसभ रहल अछि, २ ओलम्पिक खेलसभ आ १ एसियाई खेलसभमे प्रतिभागिता, सन् १९९६ मे विश्व जुनियर च्याम्पियनशिपमे एक रजत पदक आ ३ राष्ट्रमण्डल खेलसभमे ४ पदक सम्मलित अछि।

१७ साल धरि पेशेवर ब्याडमिन्टनक बाद, ओ हातक चोटक कारण सन् २००६ मे खेल सँ सन्यास ल लेलक। हुनकर चोट बिना निदानक रहल। ओ नेशनल च्याम्पियनशिपमे अपराजित रहील।

वर्तमानमे ओ मुम्बईमे इन्डियन आयल कर्पोरेशनक साथ कार्यरत अछि।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "Previous stars – Aparna Popat", Tata Padukone Academy, मूलसँ २१ मई २००७ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १४ अगस्त २०१३  |deadurl= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  2. २.० २.१ २.२ "18 जनवरी: आज आप अपना बर्थडे इनके साथ शेयर कर रहे हैं", द क्विंट, मूलसँ २०१९-०२-२६ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २६ फरवरी २०१९ 
  3. "राष्ट्रमंडल खेलों से ज्यादा कड़े होंगे एशियाई खेल: अपर्णा पोपट", नवभारत टाइम्स, २४ जुलाई २०१८, अन्तिम पहुँच २६ फरवरी २०१९ 
  4. "जब फ़ाइनल में भिड़ीं सायना नेहवाल और पीवी सिंधु", बीबीसी हिन्दी, १५ अप्रैल २०१८, अन्तिम पहुँच २६ फरवरी २०१९