सामग्री पर जाएँ

ऐन्ड्रिता रे

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
ऐन्ड्रिता रे
Aindrita Ray
ऐन्ड्रिता रे सन् २०१३ मे
जन्म
ऐन्ड्रिता रे

१६ अप्रैल[]
राष्ट्रियताभारतीय
व्यवसायमोडल, चलचित्र अभिनेत्री
सक्रिय वर्ष२००८-वर्तमान
जीवनसाथी(सभ)दिगनाथ मञ्चला (वि. २०१८)


ऐन्ड्रिता रे एक भारतीय चलचित्र अभिनेत्री छी,[] जे मुख्य रूप सँ कन्नड चलचित्रमे काज करि रहल अछि।

प्रारम्भिक जीवन

[सम्पादन करी]

हिनकर जन्म १६ अप्रैल १९८५ कें बङ्गाली परिवारमे उदयपुर, राजस्थान, भारतमे भेल छल।[] भारतीय वायुसेनामे प्रोस्टहोदोन्टिस्ट होमए कऽ कारण हिनकर पिता एके राय अपन परिवारक सङ्ग एक स्थान सँ दोसर स्थान जाएत रहैत छल आ अन्त्यमे ओ बेङ्गलोर आबि बैस गेल।[] एन्ड्रिता बाल्डविन महिला उच्च विद्यालय सँ अपन विद्यालय शिक्षा पूर्ण केलक, ओकर बाद ओ डेन्टल साइन्समे स्नातकक उपाधि प्राप्त करवाक लेल एमआर आर अम्बेडकर डेन्टल कौलेज, बेङ्गलोर चलि गेल।

ऐन्ड्रिता सन् २००८ मे चलचित्र मेरवानिजक सङ्ग नन्दिनीकें रूपमे अपन अभिनय करियर शुरू केलक। सन् २०१४ मे ओ बङ्गाली सुपरस्टार जीटकें विपरीत चलचित्र 'बच्चन' कऽ सङ्ग अपन बङ्गाली चलचित्र करियरकें शुरुआत केलक।

बेतरतीब काजसभ

[सम्पादन करी]

लगातार फ्लप चलचित्र करि अपन शाख कम करि लेलाक बाद ओ अन्तत: 'परमात्मा' नामक चलचित्रमे सहायक अभिनेत्रीकें रूपमे ओ पुनित राजकुमारक सङ्ग अभिनय केनए छल जकर लेल हुनका चलचित्र आलोचकसभद्वारा हुनकर जुनुनी चारित्रिक भूमिकाक लेल प्रशंसा कएल गेल छल। ऐन्ड्रिताकें सन् २०११ कें चलचित्र 'धूल' मे उत्कृष्ट अभिनयक लेल सेहो प्रशंसा प्राप्त भेल छल। सन् २०१२ मे, ओ अभिनेता दिगनाथक विपरीत 'पराजिता' चलचित्रमे अभिनय केनए छल जे बक्स अफिस पर आंशिक रूप सँ सफल भेल। ओ तेलुगु सिनेमा 'लभ इन हैदराबाद' नामक चलचित्र सँ तेलुगु चलचित्रमे अभिनय आरम्भ केनए छल। हुनकर अन्य तेलुगु भाषाक चलचित्र 'टोनी' छल जहिमे मुख्य अभिनेताक रूपमे रजनी कान्त आ दुनिया विजय छल।

सन् २०१४ मे ओ राजा चन्दाद्वारा निर्देशित बङ्गाली भाषाक चलचित्र 'बच्चन' सँ बङ्गाली चलचित्र उद्योगमे पदार्पण केनए छल। एकर बाद ओ राजा चन्दाकें निर्देशनमे निर्मित चलचित्र 'अमर अपनजन' मे अभिनय केनए छल।

व्यक्तिगत जीवन

[सम्पादन करी]

ऐन्ड्रिता अभिनेता दिगनाथ सँ बहुत समय धरि सम्बन्धमे रहलाक बाद सन् २०१८ दिसम्बर १२ कें ऐन्ड्रिता अभिनेता दिगनाथ मञ्चला सँ विवाह करि लेलक।[][][]

पुरस्कार

[सम्पादन करी]

एन्ड्रिता एखन धरि सर्वश्रेष्ठ अभिनेत्रीक लेल फिल्मफेयर अवार्ड- कन्नड़ आ फिल्मफेयर अवर्ड सर्वश्रेष्ठ सहायक अभिनेत्री- कन्नड़ कऽ लेल पुरस्कार प्राप्त केनए अछि। ओ बहुत रास पुरस्कारसभक लेल नामङ्कन सेहो प्राप्त केनए अछि।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "Sandalwood actress Aindrita Ray will soon be seen in her debut Bengali flick, called 'Bachchan'", Deccan Chronicle, २७ नवम्बर २०१३, अन्तिम पहुँच २७ जून २०१६ 
  2. "CCL photosoot 2012" 
  3. "Aindrita Ray | Manasaare | Meravanige | Yogaraj Bhat | Januma Janumadallu | Nooru Janmaku", www.mybangalore.com, मूलसँ २०१८-०९-२९ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१८-०६-०३  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  4. "I would rather be called cute than sexy!", specials.rediff.com, अन्तिम पहुँच २०१८-०६-०३ 
  5. "I’m really excited I’m marrying my best friend: Aindrita Ray" 
  6. "Aindrita Ray and Diganth to get married in December" 
  7. "Paresh Lamba designs Diganth’s D-day outfit" 

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]