चाउर
पठन सेटिंग्स
![](http://upload.wikimedia.org/wikipedia/commons/thumb/7/7b/White%2C_Brown%2C_Red_%26_Wild_rice.jpg/245px-White%2C_Brown%2C_Red_%26_Wild_rice.jpg)
![](http://upload.wikimedia.org/wikipedia/commons/thumb/b/ba/Rice_grains_%28IRRI%29.jpg/220px-Rice_grains_%28IRRI%29.jpg)
![](http://upload.wikimedia.org/wikipedia/commons/thumb/7/72/Rice_Animation.gif/220px-Rice_Animation.gif)
धानक बीयाकेँ चाउर कहल जाइत अछि। ई धानक उपरका छिल्का हटेलाक बाद प्राप्त होइत अछि। चाउर सम्पूर्ण पूर्वी जगतमे प्रमुख रूपसँ खाएल जाएवला अनाज छी। भारत आ नेपालमे चाउरसँ भात, खिचड़ी सहित बहुतेक पकवान बनैत अछि। चाउरक प्रयोग दक्षिण एसियाक देशसभमे अत्यधिक अछि।
एकरा संस्कृतमे 'तण्डुल', तमिलमे 'अरिसि' आ नेपालीमे 'चामल' कहल जाइत अछि। एकरा कहियो कताल 'षड्रस' सेहो कहल जाइत अछि, कियाकी एहिमे स्वादक छओ प्रमुख रस विद्यमान रहैत अछि। चाउरक फसलकेँ धान कहल जाइत अछि। बासमती चाउर भारत आ नेपालक प्रसिद्ध चाउर छी जे विदेशसभमे सेहो निर्यात कएल जाइत अछि।