झिझिया नाच

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
झिझिया नाच
Jhijhiya Naach
झिझिया नृत्य करैत महिलासभ
मूल नामझिझिया
ঝিঝিয়া
विधालोक नृत्य
बाजासभमन्जिरा, ढोल
उत्पत्तिमिथिला (भारतनेपाल क क्षेत्र)

झिझिया (जेकरा झिझरी सेहो कहल जाइत अछि) भारतनेपालक मिथिला क्षेत्र केर एकटा सांस्कृतिक लोक नृत्य थिक। ई हिन्दू महिना आश्विन (सितम्बर/अक्टूबर) मे दशहरा उत्सव केर समयमे कएल जाइत अछि। ई नृत्य विजय केर देवी दुर्गाक प्रति समर्पण प्रदर्शित करबाक सँग-सँगे कुनु परिवार, बच्चासभ आ समाज केर डायन-जोगिन आ काला जादूसँ बचेबाक लेल कएल जाइत अछि।

कलस्थापनक दिनसँ विजयादशमी धरि लगातार दश दिन धरि सन्ध्याकालमे महिलासभ आ कुमार युवतीसभद्वारा पाँचसँ पन्द्रह गोटे के समूहमे अपन माथ पर माटि के घैला राखि आ बेर-बेरसँ नृत्य कएल जाइत अछि। घैला के भितर एकटा अग्नि दीपक रखल होइत अछि आ घैलामे अनेकौं छिद्रसभ कएल जाइत अछि। एहन मानल जाइत अछि जे जदि कुनु डायन-जोगिन घैला के छिद्र गिनबाकमे सफल भऽ जाइत अछि, तँ नर्तक केर तुरन्त मृत्यु भऽ जाइत अछि।

मूल केर बारेमे मिथकसभ[सम्पादन करी]

प्रदर्शन[सम्पादन करी]

झिझिया गीत[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]


सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]


बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]