सामग्री पर जाएँ

दिव्याङ्का त्रिपाठी

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
दिव्याङ्का त्रिपाठी
Divyanka Tripathi
दिव्याङ्का त्रिपाठी सन् २०१८ मे
जन्म (१९८४-१२-१४) १४ दिसम्बर १९८४ (उमर ४०)
शिक्षामाउन्टेनियरिङ् कोर्स
मातृसंस्थानेहरु इन्स्टिच्युट अफ माउन्टेनियरिङ्
प्रसिद्धि कारणये है मोहब्ब्ते आओर बनू मैं तेरी दुल्हन
जीवनसाथी(सभ)विवेक दहिया (वि. २०१६)


दिव्याङ्का त्रिपाठी दहिया (जन्म १४ डिसेम्बर १९८४), एक भारतीय अभिनेत्री छी जे कि हिन्दी टेलिभिजनमे कार्य करैत अछि। ओ भारतीय टिभी च्यानल जी टिभीसँ प्रशारण होएवाला "बनू मैं तेरी दुल्हन" मे मुख्य दोहोरो भूमिका निर्वाह करैत अछि तँ दोसर टिभी च्यानल स्टार प्लससँ प्रशारण होएवाला "ये है मोहब्बतें" मे डा.इशिता भल्लाक भूमिकाक लेल प्रख्यात अछि। सन् २०१७ मे, ओ नृत्य रियालिटी शो "नच बलिए" समेत जीतने छल।[]

प्रारम्भिक जीवन

[सम्पादन करी]

दिव्याङ्का त्रिपाठीक जन्म १४ डिसेम्बर १९८४ मे भारतके मध्य प्रदेशके भोपालमे भेल छल। ओ भोपालके नूतन कलेजसँ पढाई पूरा केनए अछि। ओ उत्तरकाशीमे नेहरू इन्स्टिच्युट अफ माउन्टेनियरिङ् सँ पर्वतारोहणक कोर्स पूरा केनए अछि।

त्रिपाठी अपन करियरक सुरुवात अल इण्डिया रेडियो, भोपालमे एक गोटे एङ्करक रूपमे शुरू केनए छल। ओ सन् २००३ मे "प्यान्टिन जी टीन क्वीन" मे भाग लेनए छल आओर मिस ब्यूटिफुल स्किनक शीर्षक जीतने छल। सन् २००४ मे, त्रिपाठी भारतक सर्वश्रेष्ठ सिनेस्टारक योजनामे भाग लेनए छल आओर भोपाल क्षेत्रसँ शीर्ष ८ मे पडए मे सफल रहल्। ओ फेरसँ इन्दौर जोनसँ चुनाव लडिन्, जतय हुनका उपविजेता घोषित कएल गेल छल। ई प्रतियोगिताक चरण २ के लेल ओ अपन योग्यता सुनिश्चित केनए छल जतय ओ अन्ततः जितवा मे असफल रहल्। हुनका "मिस भोपाल" के ताज पहिराओल् गेल छल। त्रिपाठी दूरदर्शनमे टेलिफिल्म्समे अभिनयक शुरुआत केनए छल।

मीडिया मे

[सम्पादन करी]

सन् २०१७ मे, त्रिपाठी स्वतन्त्रता दिवस (१५ अगस्ट) पर चण्डीगढमे एक गोटे १२ वर्षीय बालिकाक बलात्कार के निन्दा करैत किछ भावुक ट्वीट्स पोस्ट केनए छल, जाहिमे सँ किछमे ओ प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी के सम्बोधित केनए छल, जाहिमे बलात्कारी के विरुद्ध कडा कारबाही करवाक आग्रह केनए छल।

व्यक्तिगत जीवन

[सम्पादन करी]

त्रिपाठी, "बनू मैं तेरी दुल्हन" के सह-अभिनेताक रूपमे अभिनय केनए शरद मल्होत्रा सँ डेट केनए छल। ओ सन् २०१५ धरि, एकटा सम्बन्धमे छल। १६ जनवरी २०१६ मे, ओ अपन "ये है मोहब्बतें" के सह-अभिनेता विवेक दहियासँ रोक्का केनए छल। दुनु गोटे ८ जुलाई २०१६ मे भोपालमे विवाह केनए छल। "नच बलिए" के सेटमा, त्रिपाठी खुलासा केनए छल जे हुनकर प्रेम कहानी हुनका द्वारा लेल गेल दुईटा निर्णयद्वारा बनाओल गेल छल।

फिल्मोग्राफी

[सम्पादन करी]

चलचित्रसभ

[सम्पादन करी]
वर्ष शीर्षक भूमिका टिप्पणी
२०१२ लाला हरदौल रानी पद्मावती [][]
२०१४ ए डाइभोर्स टू रिमेम्बर जारा []

टेलिभिजन

[सम्पादन करी]

पुरस्कार आ नामाङ्कन

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "'Yeh Hai Mohabbatein' Actress Divyanka Tripathi Hits Milestone, Gets Pampered in Unique Way", ibtimes.co.in, अन्तिम पहुँच १२ जुलाई २०१५ 
  2. "Divyanka tripathis princess diaries", tellychakkar.com, मूलसँ २७ मई २०१९ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १४ अक्टुबर २०१५ 
  3. आकृति:Cite av media
  4. Tellychakkar Team (११ जुलाई २०१३), "Sharad Malhotra and Divyanka Tripathi are all set to work together... again...", tellychakkar.com, मूलसँ २७ मई २०१९ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १४ अक्टुबर २०१५ 

बाह्य जडिसभ

[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]