दीपा कर्मकार
![]() | ||||||||||||||||
व्यक्तिगत विवरण | ||||||||||||||||
---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|
पूरा नाम: | दीपा कर्मकार | |||||||||||||||
उपनाम(सभ): | गोल्डेन गर्ल | |||||||||||||||
जन्म: | अगरतला, त्रिपुरा, भारत | ९ अगस्त १९९३|||||||||||||||
उचाई: | ४ फिट ११ इन्च | |||||||||||||||
खेल | ||||||||||||||||
राष्ट्र: | ![]() | |||||||||||||||
मेडल रेकर्ड
|
दीपा कर्मकार (बङ्गाली: দিপা কর্মকার , अङ्ग्रेजी: Dipa Karmakar) (जन्म:९ अगस्त १९९३) एक कलात्मक जिम्नास्ट छी जे सन् २०१६ ग्रीष्मकालीन ओलम्पिकमे भारतक प्रतिनिधित्व केनए छल। ओलम्पिकमे भाग लऽ प्रतिस्पर्धा कएनिहार ओ पहिल भारतीय महिला जिम्नास्ट छी[१][२], आ पिछला ५२ वर्षमे एहन केनिहार प्रथम भारतीय पुरुष अथवा महिला जिम्नास्ट छी।
सन् २०१६ कऽ रियो ओलम्पिक खेलमे ओ १५.०६६ अङ्कक सङ्ग चारिम स्थान प्राप्त केनए छल।[३] ओ ग्लासगोमे सम्पन्न २०१४ राष्ट्रमण्डल खेलमे कास्य पदक जीत सभक ध्यान अप्पना दिस खिच्ने छल।[४] राष्ट्रमण्डल खेलक इतिहासमे ई सफलता प्राप्त केनिहार ओ पहिल भारतीय महिला छी।[५]
प्रारम्भिक जीवन आ करियर
[सम्पादन करी]कर्मकार पूर्वोत्तर भारतक त्रिपुरा राज्यक अगरतला शहरक छी। ओ ६ वर्षक कम उमरसँ जिम्नास्टिक्स आरम्भ केनए छल आ ओहि समयसँ एखनधरि अपन प्रशिक्षक विश्वेश्वर नन्दीक निर्देशनमे अभ्यास कऽ रहल अछि। जिम्नास्टिक्स कक्षामे प्रवेश लेबऽ कऽ समयमे दीपा फ्ल्याट फिटक समस्यासँ ग्रस्त छल। प्रशिक्षक नन्दीक अनुसार फ्ल्याट फिटक कारणसँ दीपाक उछालमे समस्या आबि रहल छल। एकरा दुरुस्त बनेबामे दीपा आ ओकर प्रशिक्षकक लेल चुनौतीपूर्ण कार्य रहल। सन् २००७ मे जलपाईगुडीमे ओ जुनियर नेसनल्स जीत लेलक। सन् २००७ सँ दीपा राज्य, राष्ट्रिय आ अन्तर्राष्ट्रिय प्रतियोगितासभमे समग्रमे ७७ पदक जित चुकल अछि जाहिमे सँ ६७ स्वर्ण पदक रहल अछि।[६]
२०१६ ओलम्पिक
[सम्पादन करी]दीपा २०१६ ग्रीष्मकालीन ओलम्पिकमे भारतक प्रतिनिधित्व केलक। ओलम्पिकमे भाग लऽ प्रतिस्पर्धा कएनिहार ओ पहिल भारतीय महिला जिम्नास्ट छी[१][२], आ पिछ्ला ५२ वर्षमे एहन केनिहार प्रथम भारतीय, पुरुष अथवा महिला, जिम्नास्ट छी।
ई ओलम्पिकमे ओ फाइनलधरि यात्रा तय करैमे सफल भेल। फाइनलमे ओ बहुतकम अङ्कक अन्तर (०.१५०) सँ कास्य पदक प्राप्त करऽमे असफल भेल आ चारिम स्थानमे अपन मोन बुझेनाए छल। ओ अति कठिन मानल जाएवला प्रोदुनोभा बोल्टक सफल प्रदर्शन केनए छल जे आइधरि विश्वमे ५ महिला जिम्नास्ट मात्र सफलतापूर्वक केनए अछि। ओना तँ ओ कोनो पदक नै जीत सकल मुदा तहियो ई उपलब्धिक कारण हुनका भारतमे चर्चित बनेलक।[७] भारतक महानतम् क्रिकेट खेलाडी सचिन तेन्दुलकर कहलक - 'जित्नाए आ हारनाए खेलक एकटा भाग छी। अहाँक ई उपलब्धिसँ हमसभ देशवासी केर गौरवान्वित बनेनाए अछि।'[७] बेइजिङ ओलम्पिकमे स्वर्ण पदक जीत चुकल भारतीय निशानेबाज अभिनव बिन्द्रा कहलक - 'दीपा कर्मकार अहाँ हमर हिरो छी।'[७]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ १.० १.१ "Dipa Karmakar becomes 1st Indian woman gymnast to qualify for Rio Olympics", The Economic Times, Press Trust of India, १९ अप्रैल २०१६, अन्तिम पहुँच ११ अगस्त २०१६।
- ↑ २.० २.१ Naik, Shivani (१८ Apr २०१६), "Dipa Karmakar becomes first Indian woman gymnast to qualify for Olympics", The times of india, अन्तिम पहुँच ११ अगस्त २०१६।
- ↑ Simone Biles of USA wins Gold in Women's Vault Gymnastics
- ↑ Naik, Shivani (२४ अगस्त २०१४), "After a flight, a landing: Why Dipa Karmakar’s medal in Commonwealth Games is its bravest bronze", The Indian Express, अन्तिम पहुँच १३ अप्रैल २०१६।
- ↑ "Glasgow 2014 - Dipa Karmakar profile", Glasgow 2014 Ltd, मूलसँ ३ मार्च २०१६ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ३१ जुलाई २०१४।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "Tripura's Dipa Karmakar says she is aiming for an Olympic Medal", BDNews24, ६ नवम्बर २०१५, मूलसँ ८ अगस्त २०१८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १२ अगस्त २०१६।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ ७.० ७.१ ७.२ "दीपा कर्मकार का फैन हुआ क्रिकेट जगत, सहवाग बोले - धोनी हेलीकॉप्टर, तुम जम्बोजेट", मूलसँ २०१६-०८-१८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १८ अगस्त २०१६।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)