सामग्री पर जाएँ

देविका वैद्य

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
देविका वैद्य
Devika Vaidya
व्यक्तिगत जानकारी
पुरा नामदेविका पुर्णेदु वैद्य
जन्म (१९९७-०८-१३) १३ अगस्त १९९७ (उमर २७)
पुणे, महाराष्ट्र
बल्लेबाजी शैलीबामा हाथ सँ
गेन्दबाजी शैलीलेगब्रेक गूगली
काजअल-राउण्डर
अन्तर्राष्ट्रिय जानकारी
राष्ट्रिय पक्ष
ओडिआई पदार्पण१६ नवम्बर २०१६ v वेस्टइन्डिज महिला
अन्तिम ओडिआई९ अप्रिल २०१८ v इङ्ल्यान्ड महिला
Only T20I३० नवम्बर २०१४ v दक्षिण अफ्रिका महिला
गृह टिम जानकारी
वर्षटिम
२०१०–वर्तमानमहाराष्ट्र
खेल जीवनी तथ्याङ्क
प्रतियोगिता टेस्ट महिला वनडे टि-२०
म्याच
रन स्कोर १६९ -
बल्लेबाजी औषत २८.१६ -
१००/५० -/- ०-१ -
उत्कृष्ट स्कोर ८९ -
कूल बल -
विकेट -
गेन्दबाजी औषत २२.५० -
एक पारीमे ५ विकेट -
एक म्याचमे १० विकेट -
उत्कृष्ट गेन्दबाजी २/११ -
क्याच/स्टम्प -
स्रोत: क्रिकइन्फो, ०८ मार्च २०१९

देविका पुर्णेदु वैद्य (जन्म; १३ अगस्त १९९७, पुणे, महाराष्ट्र) एक भारतीय महिला क्रिकेट टिमक खेलाडी छी।[] देविका महाराष्ट्रक लेल भारतीय महिलाक घरेलू क्रिकेट प्रतियोगिता खेलैत अछि।[] ओ बामा हाथ सँ बल्लेबाजी आ लेग ब्रेक गुगली गेन्दबाजी करैत अछि आ एक हरफनमौला खेलाडी छी।[]

व्यक्तिगत जीवन

[सम्पादन करी]

देविका वैद्यक जन्म १३ अगस्त सन् १९९७ कऽ भारतक महाराष्ट्र राज्यक पुणे जिलामे भेल छल। देविकाकें मात्र ७ सालक छोट उमर सँ क्रिकेटक शौक आबि गेल छल आ सन् २०१४ मे भारतीय टिम मे ओ अपन जगह बनाए लेने छल।[]

हिनका सन् २०१४ मे भारतक दक्षिण अफ्रिका दौराक लेल देविका वैद्यक मौका देल गेल छल आ ३० नवम्बर २०१४ कें बेङ्गलोरमे महिला ट्वान्टी- ट्वान्टी अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट खेलमे पहिल बेर मुकाबला खेलऽकें अवसर भेटल आ ओ अपन अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट करियरक आरम्भ केलक।[] हुनका सर्वश्रेष्ठ महिला जुनियर क्रिकेटर कऽ लेल सन् २०१४-१५ मे एमए चिदम्बरम ट्रफी सँ सेहो सम्मानित कएल गेल छल।[]

अपन ट्वान्टी-२० अन्तर्राष्ट्रिय म्याचमे देविकाक बल्लेबाजी करवाक ता धरि मौका नई भेटल मुदा गेन्दबाजीमे बहुत भारी साबित होएत ३ ओभरमे ३० रन देनए छल आ कोनो सफलता सेहो हाथ नै लागल छल। ई म्याचमे भारत दक्षिण अफ्रिका महिला क्रिकेट टिमकें मात्र १६ रन सँ हरेने छल।[]

देविका वैद्य महिला वनडे क्रिकेट कऽ शुरुवात आइसिसी महिला च्याम्पियनसिपक समयमे वेस्टइन्डिज कऽ विरुद्ध विजयवाडामे केनए छल। ओहि म्याचमे ओ ४५ गेन्द पर नाबाद ३२ रनक उपयोगी पारी खेलने छल। जबकि गेन्दबाजीमे ४ ओभरमे २० रन देलक आ एक महत्वपूर्ण विकेट लेनए छल।[]

अपन दोसरे वनडे क्रिकेट म्याचमे देविका श्रीलंका टिम कऽ विरुद्ध शानदार बल्लेबाजी करैत ८९ रनक उत्कृष्ट पारी खेलने छल। ई मुकाबला आइसिसी महिला क्रिकेट विश्वकप क्वालिफायरक दौरान कोलम्बोमे खेलल गेल छल।[][१०]

सन् २०१८ मे देविका वैद्यक घरेलू क्रिकेटमे २०१८-१९ सिनियर महिला टी-२० च्यालेन्जर ट्रफीमे भारतीय ग्रीन टिममे सम्भावित खेलाडीसभक सूचीमे मौका देल गेल छल। जबकि ई ट्रफीमे इन्डिया ब्लू टिम अपन उत्कृष्ट प्रदर्शन करैत खिताब अपन नाम केनए छल।[११]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "Devika Vaidya", ईएसपीएन क्रिकइन्फो, अन्तिम पहुँच ९ मार्च २०१६ 
  2. "Devika Vaidya replaces injured Pooja Vastrakar" (अङ्ग्रेजीमे), आईसीसी क्रिकेट, अन्तिम पहुँच ८ मार्च २०१९ 
  3. "Devika Vaidya's Journey From Pretending To Be A Boy To Playing For The Indian Team Is Inspiring" (अङ्ग्रेजीमे), इंडिया टाइम्स, ३० जून २०१७, अन्तिम पहुँच ८ मार्च २०१९ 
  4. "Harmanpreet Kaur's father and coach recalls how she was snubbed by the Punjab police in 2011" (अङ्ग्रेजीमे), स्पोर्ट्सकीड़ा, २३ जुलाई २०१७, अन्तिम पहुँच ८ मार्च २०१९ 
  5. "Full Scorecard of India Women vs South Africa Women Only T20I 2014 - Score Report | ESPNcricinfo.com" (अङ्ग्रेजीमे), ईएसपीएन क्रिकइन्फो, अन्तिम पहुँच ८ मार्च २०१९ 
  6. "BCCI’s top award for Kohli", द हिन्दू, ३१ दिसम्बर २०१५, अन्तिम पहुँच १९ मई २०१८ 
  7. Staff, CricketCountry (१७ नवम्बर २०१८), "टी20 विश्व कप से बाहर हुई पूजा वस्तराकर, देविका वैद्य को मिला मौका", क्रिकेट कंट्री, अन्तिम पहुँच ८ मार्च २०१९ 
  8. "Full Scorecard of India Women vs West Indies Women, ICC Women's Championship, 3rd ODI - Score Report | ESPNcricinfo.com" (अङ्ग्रेजीमे), क्रिकइन्फो, अन्तिम पहुँच ८ मार्च २०१९ 
  9. Pradhan, Snehal, "With a half-century in just her second ODI, Devika Vaidya is shaking up Indian women’s cricket" 
  10. "Women's WC Qualifiers: India beats Sri Lanka by 114 runs" (अङ्ग्रेजीमे), द हिन्दू, अन्तिम पहुँच ८ मार्च २०१९ 
  11. "The Board Of Control For Cricket In India", बीसीसीआई, मूलसँ २०१९-०३-२७ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ८ मार्च २०१९  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]