निकिता सिंह
निकिता सिंह Nikita Singh | |
---|---|
![]() | |
जन्म | |
राष्ट्रियता | भारतीय |
नागरिकता | भारत |
शिक्षा | ललित कला कें मास्टर - रचनात्मक लेखन फार्मेसी में स्नातक |
व्यवसाय | लेखिका |
सक्रिय वर्ष | २०११ - वर्तमान |
नियोक्ता | वेन्चर सोलर - सनपावर |
प्रसिद्धि कारण | एवरी टाइम्स इट रैन्स, समवन लाइक यू, लाईक अ लभ सँगक लेखिका |
वेबसाइट | nikitasingh.com |
निकिता सिंह एक भारतीय उपन्यासकार छी ।[१] हिनका द्वारा १० टा उपन्यास लिखल गेल अछि जाहिमे सँ किछ छी- इफ इट्स नोट फरएवर, लभ फेसबुक, राईट हियर राईट नाउ।[२] फरवरी २०१३, मे निकिता दुर्जोय दत्ताक सङ्ग सह-लेखनमे एक किताब- "समवन लाइक यू" लिखलक जकरा पेङ्गुइने इन्डिया द्वारा रिलीज कएल गेल छल आ ई उपन्यास हिन्दुस्तान टाइम्सक बेस्टसेलर सूचीमे नम्बर ५ पर शमावेस भेल ।[३]
प्रारम्भिक जीवन आ पेशा[सम्पादन करी]
निकिता सिंहक जन्म बिहारक पटनामे भेल आ एहि ठाम निकिता अपन जीवनक ४ वर्ष बितौने छल एकर बाद ओ एतए सँ इन्दौर चलि गेल जाहि ठाम हिनकर प्राथ्मिक शिक्षा भेल । २००८ मे राँचीक ब्रिजफोर्ड स्कूल, तुपादना सँ अपन स्कुली शिक्षा पूरी कएने अछि । २०१२ मे इन्दौरक एक्रोपोलिस इन्स्टीटूट अफ फार्मास्यूटिकल शिक्षा आ रिसर्चमे स्नातक कएलक । ओ वर्तमानमे न्यूयॉर्क शहरक द न्यू स्कूल सँ रचनात्मक लेखनमे मास्टर डिग्री हासिल करि रहल अछि । [४] २०११ मे पेङ्गुइने इन्डिया बुक्सक सङ्ग एक अनुबन्ध पर हस्ताक्षर केलक आ साथे ग्रेपवाइन इन्डियामे सेहो शामिल भेल ।
१९ वर्षक आयुमे हिनका द्वारा अपन पहिल उपन्यास @फेसबुक लिखल गेल तखन ओ स्नातकक विद्यार्थी छल । सिंह द्वारा पूरे भारतमे कलेजसभमे विभिन्न तेडेक्स सम्मेलनसभमे सेहो अपन भाषण देल गेल अछि । ओ ग्रेपवाइन इन्डियामे सेहो सम्पादकक रुपमे काम करैत अछि । हिनकर सभसँ नव रचना "लभ यू लाइक आ लभ सोँग" मार्च २०१६ मे आएल छल । [५] निकिता द्वारा लेखक आर्वाना घई कऽ सङ्ग 'एन्थोलजी' २५ स्ट्रोक अफ दयालुता सेहो सम्पादित कएल गेल ।
ग्रन्थसूची[सम्पादन करी]

- लभ @ फेसबुक (२०११)
- एक्सिडेन्टलि इन लभ विथ हिम? अगेन? (२०११)
- ईफ इट्स नोट फरएवर (२०१२)
- द प्रोमिश (२०१२)
- २५ स्टोक्स अफ काइन्ड्नेस (२०१३)
- समवन लाईक यु (२०१३)
- द अन्रिज्नेवल फेलोज (२०१३)
- राईट हियर राईट नाउ (२०१४)
- आफ्टर अल दिस टाइम (२०१५)
- लाइक अ लभ सोङ्ग (२०१६)
- एभरी टाइम्स इट रेन्स (२०१७)
- लेटर टु माई एक्स (२०१८)

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]
सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]
- ↑ "19 साल की उम्र में ही निकिता सिंह ने पहली किताब लभ ' फेसबुक लिखी"।
- ↑ "Nikita Singh Upcoming author TOI"।
- ↑ Aastha Atray Banan (1 August 2015). "Nikita Singh has written eight bestsellers in four years. What's her secret?". Hindustan Times. Retrieved 10 January 2016.
- ↑ "Student Achievement". Retrieved 10 January 2016
- ↑ "Kolkata: Nikita Singh launches 'Like a Love Song' at Starmark - newkerala.com #43965". www.newkerala.com. 2 April 2016. Retrieved 1 May 2016.