निवाड़ी जिला
निवाड़ी जिला Niwari district | |
---|---|
जिला | |
![]() ओरछाक छतरियाँ | |
![]() | |
देश | भारत |
राज्य | मध्य प्रदेश |
प्रखण्ड | सागर |
स्थापना | 01 अक्टूबर 2018 |
मुख्यालय | निवाड़ी |
तहसीलें | निवाड़ी, ओरछा, पृथ्वीपुर, तरीछर कलां (प्रस्तावित) |
सरकार | |
• लोकसभा निर्वाचन क्षेत्र | टीकमगढ़ |
क्षेत्रफल | |
• Total | ११७० किमी२ (४५० वर्गमाइल) |
जनसङ्ख्या | |
• Total | ४,०४,८०७ |
• घनत्व | ३५०/वर्ग किमी (९००/वर्ग माइल) |
समय क्षेत्र | युटिसी+०५:३० (IST) |
निवाड़ी जिला भारतक मध्य प्रदेश राज्यक एक जिला छी। ई जिलाक मुख्यालय निवाड़ी छी।[१] ई मध्य प्रदेशक ५२अम जिला छी।[२] एहि जिलाक उत्तरमे दतिया जिला, पश्चिममे शिवपुरी जिला, दक्षिणमे टीकमगढ़ जिला तथा पूर्वमे उत्तर प्रदेश स्थित अछि।
निवाड़ी जिलाक प्रमुख दर्शनीय स्थल - रामराजा मन्दिर जे प्रभु श्रीरामक लेल आ एतयक दुर्गसभक लेल जानल जाइत अछि। ई एक पवित्र हिन्दू तीर्थस्थल छी आ नियमित रूप सँ विशाल संख्या मे भक्तसभक स्वागत करैत अछि आ ई आम तौर पर ओरछा मन्दिरक रूपमे सेहो जानल जाइत अछि। वार्षिक घरेलू पर्यटक संख्या लगभग ६५०,००० अछि आ विदेशी पर्यटक संख्या लगभग २५,००० अछि। एतयसँ बेतवा नदी आ जामनी नदी निकलि रहल अछि। एक अन्य दर्शनीय स्थल अछरू माता मंदिर सेहो अछि जे तहसील प्रथ्वीपुरक अन्तर्गत अबैत अछि। आ एतय एकटा प्राचीन किला सेहो अछि जे की (Gadhkundar) (गढ़कुण्डारक किला) नामसँ प्रचलित अछि जे महाराज खेतसिंह खंगारक किला सेहो कहल जाइत अछि।

विवरण
[सम्पादन करी]निवाड़ी जिलाक क्षेत्र टीकमगढ़ जिलाक हिस्सा छल आ १ अक्टूबर, २०१८ केँ एकरा अलग करि एकटा नव जिला बनाओल गेल। ई राज्यक ५२अम जिला बनल। एहि जिलाक अन्तर्गत पृथ्वीपुर तहसीलक ५६ पंचायत, निवाड़ीक ५४ पंचायत, ओरछाक १७ पंचायत शामिल कएल गेल। एहि प्रकार कुल १२७ ग्राम पंचायतसभ एहिमे सम्मिलित कएल गेल अछि। जनसंख्या आ क्षेत्रफल दुनुक आधार पर ई मध्य प्रदेशक सबसँ छोट जिला छी। एहि जिलासँ बेतवा नदी गुजरैत अछि, जेकर किनारपर ओरछा नगर बसल अछि। राष्ट्रीय राजमार्ग ३९, राष्ट्रीय राजमार्ग ४४ आ राष्ट्रीय राजमार्ग ५३९ निवाड़ी सँ गुजरैत अछि। निवाडीक क्षेत्रफल १३१८ वर्ग किलोमीटर अछि। निवाड़ी वर्तमानमे मध्य प्रदेशक सबसँ छोट जिला छी। एहि जिलाक लेल क्षेत्रीय परिवहन कार्यालय द्वारा एम पी - ७१ कोड देल गेल अछि।[३]
एक झलक में जिला
[सम्पादन करी]- क्षेत्र: १,१७० वर्ग किमी. मी.
- जनसंख्या: ४,०४,८०७
- भाषा: हिन्दी
- गाम: २८१
निवाड़ी जिलाक राजस्वक सबसँ पैग स्रोत एहि ठामक खनिज अछि। एखन धरि पाइरोफ्लाइट, ग्रेनाइट आ खण्डा पत्थरक लेल चिन्हल गेल निवाड़ी आब जल्दिये लोहाक अयस्कक लेल सेहो चिन्हल जाएत।[४]
तहसील आ गाम
[सम्पादन करी]तहसीलक नाम | गामक संख्या |
---|---|
निवाड़ी | १०५ |
पृथ्वीपुर | १४२ |
ओरछा | ३४ |
जनसांख्यिकी
[सम्पादन करी]२०११ क जनगणनाक समय, निवाड़ी जिलाक जनसंख्या ४०४,८०७ छल, जाहिमे ७९,२१८ (१९.५७%) शहरी क्षेत्रमे रहैत छल। निवाड़ीक लिंग अनुपात ८९७ महिला प्रति १,००० पुरुष छल। अनुसूचित जाति आ अनुसूचित जनजाति क्रमशः ९९,४४१ (२४.५७%) आ १८,२४४ (४.५१%) जनसङ्ख्याक अछि।[५]
एहो सभ देखी
[सम्पादन करी]सन्दर्भसामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "Tourism in the Economy of Madhya Pradesh," Rajiv Dube, Daya Publishing House, 1987, ISBN 9788170350293
- ↑ Sharma, Rajendra (५ जुलाई २०१८), "MP govt clears proposal for 52nd district", The Times of India, अन्तिम पहुँच १३ नवम्बर २०२३।
- ↑ "MP-71 NIWARI RTO Vehicle Registration Details", www.drivespark.com, १ जनवरी १९७०, अन्तिम पहुँच १३ नवम्बर २०२३।
- ↑ Rawat, Anil Kumar (२८ मई २०२३), "The land of Niwari district will now also produce iron", Patrika News (हिन्दीमे), अन्तिम पहुँच १३ नवम्बर २०२३।
- ↑ "Table C-16 Population by Mother Tongue: Madhya Pradesh", censusindia.gov.in, Registrar General and Census Commissioner of India।