नेपालक प्रतिनिधि सभा निर्वाचन, २०७४

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
नेपालक प्रतिनिधिसभा निर्वाचन, २०७४
Nepalese legislative election, 2017
नेपाल
← २०१३
(स.नि.)
अगहन १०
अगहन २१, २०७४
२०२२ →

चारिम प्रतिनिधि सभाक सम्पूर्ण २७५ सिट
बहुमतक लेल १३८ सिट
पञ्जीकृत१,५४,२७,७३१
कूल मतदान६६%[१][२]
  First party Second party Third party
 
नेता खड्गप्रसाद ओली शेरबहादुर देउवा प्रचण्ड
पार्टी नेकपा एमाले नेपाली काँग्रेस नेकपा (माके)
शीर्ष नेताक रूपमे जुलाई २०१४ मार्च २०१६ मे १९९९
नेताक सिट झापा- डडेल्धुरा चितवन-
सिट जित ८० २३ ३६
सिट १२१ ६३ ५३

  चारिम दल पाँचम दल
 
नेता महन्थ ठाकुर उपेन्द्र यादव
पार्टी राष्ट्रिय जनता पार्टी नेपाल ससफो, नेपाल
शीर्ष नेताक रूपमे २१ अप्रैल २०१७ जुन २०१५
नेताक सिट महोत्तरी- सप्तरी-
सिट १७ १६


प्रधानमन्त्री निर्वाचनसँ पहिने

शेरबहादुर देउवा
नेपाली काँग्रेस

प्रधानमन्त्री

निर्णय बाँकी
निर्णय बाँकी

प्रतिनिधिसभा निर्वाचन नेपालक संसदक नीचला सदन प्रतिनिधि सभाक २७५ सदस्य चयनक लेल दुई चरणमे वि.सं. २०७४ अगहन १० आ वि.सं. २०७४ अगहन २१ मे निर्वाचन सम्पन्न भेल अछि ।[३][४]देशक प्रधानमन्त्री बनवाक लेल ई निर्वाचनमे ओ उम्मेदवारकें बहुसङ्ख्यक सदस्यसभक समर्थन प्राप्त कर पड़त । निर्वाचन आयोग नेपालक अनुसार ई निर्वाचनमे मतदान करवाक योग्य मतदाताक सङ्ख्या १ करोड़ ५४ लाख २७ हजार ७ सय ३१ रहल जनेनाए अछि ।

पृष्ठभूमि[सम्पादन करी]

सन् २००२ में मई महिनामें प्रतिनिधि सभाक नव निर्वाचन करबैक लेल पूर्व राजा ज्ञानेन्द्र शाहक सलाहमे तत्कालिन प्रधानमन्त्री शेरबहादुर देउवाद्वारा सन् १९९९ मे निर्वाचित भेल पिछला प्रतिनिधि सभाकें भङ्ग केनए छल । जारी गृहयुद्धक कारण निर्वाचन नै भऽ सकल अन्ततः राजा ज्ञानेन्द्र चारि टा प्रधानमन्त्रीसभकें किछ वर्षक अन्तरमे खारिज करि सन् २००५ फरबरीमे शाही सत्ता कब्जा केलक । सन् २००६ मे जनआन्दोलन बाद राजाद्वारा पूर्व प्रतिनिधि सभाकें बहाल कएल गेल । सन् २००७ जनवरी १५ मे अन्त्तरिम व्यवस्थापिका संसदक स्थापना कएल गेल । अन्त्तरिम व्यवस्थापिका संसदमे सात दलक गठबन्धन आ नेपाली कम्युनिस्ट पार्टी (माओवादी) बीच भेल समझौता अनुसार नियुक्त कएल सदस्यसभ सामिल छल ।

अन्त्तरिम व्यवस्थापिका संसदद्वारा नेपालक पहिल संविधान सभाक निर्वाचन कराएल गेल छल जकर मुख्य उद्देश्य देशक नयाँ संविधान बनेनाए छल । निर्धारित समयसीमा भितर पहिल संविधान सभामे निर्वाचित सदस्यसभक असफलताक कारण संविधान नै बनि सकल जाहि कारण नेपालक दोसर संविधान सभाक निर्वाचन भेल छल जे सन् २०१५ सितम्बर २० मे नेपालक संविधानकें मञ्जुरी देलक । संविधानक घोषणाक बाद, दोसर संविधान सभाकें एकात्मक व्यवस्थापिका संसदमे परिवर्तित केनए छल । दोसर संविधान सभाक कार्यकाल २१ जनवरी २०१८ धरि वा प्रतिनिधि सभाक निर्वाचनक लेल नामाङ्कनक अन्तिम दिनधरि कायम कएल गेल छल । ई प्रावधान अनुसार, व्यवस्थापिका संसदक कार्यकाल सन् २०१७ अक्टुबर १४ मे समाप्त भऽ गेल अछि ।

सर्वोच्च अदालतक पूर्व न्यायधिश कमल नारायण दासक अध्यक्षतामे पाँच सदस्यीय निर्वाचन क्षेत्र निर्धारण आयोगक स्थापना कएल गेल जकरा सन् २०१३ कऽ निर्वाचनमे भेल २४० निर्वाचन क्षेत्रकें घटाए १६५ निर्वाचन क्षेत्र कायम केनाए छल । आयोग सन् २०१७ अगस्त २० मे अपन प्रतिवेदन सरकार समक्ष प्रस्तुत केनए छल । ई आयोगद्वारा निर्धारित निर्वाचन क्षेत्रसभ नेपालक संविधान २०७२ अनुसार आगामी २० वर्षधरि परिवर्तन नै भऽ सकैत अछि ।

आयोजन[सम्पादन करी]

खर्च सीमा[सम्पादन करी]

प्रतिनिधिसभा निर्वाचनक लेल एक उम्मेदवार अधिकतम २५ लाख खर्च करि सकैत अछि से सीमा निर्वाचन आयोग निर्णय केनए अछि । ई सीमा अन्तर्गत उम्मेदवार अपन सवारीसाधन प्रयोग करवाक लेल ५ लाख, प्रचारप्रसार सामग्रीक लेल १ लाख, ढुवानीक लेल ७५ हजार, गोष्ठी तथा अन्तरक्रियाक लेल ८ लाख, अन्य प्रचार प्रसार/ छापा तथा विद्युतीय माध्यमक लेल १ लाख, कार्यलय सञ्चालनक लेल ५ लाख, प्रतिनिधि परिचालनक लेल २ लाख तथा विविध खर्चक लेल १ लाख २२ हजार मुकड़र केनए अछि ।[५]

निर्वाचन कार्यक्रम[सम्पादन करी]

वि.सं. २०७४ भादो १५ गते मन्त्रिपरिषद्क बैठकसँ निर्वाचन आयोगसँ प्राप्त सुझावक आधारमे प्रदेशसभा आ प्रतिनिधि सभाक निर्वाचन २०७४ अगहन १० (सन् २०१७ नवम्बर २६) आ अगहन २१ गते (सन् २०१७ दिसम्बर ७) सम्पन्न करवाक लेल दुई चरणमे निर्वाचन आयोजन करैक निर्णय केनए छल ।[६]पहिल चरण अन्तर्गत ३२ हिमाली जिलामे निर्वाचन कएल गेल तँ दोसर चरणमे ४५ जिलामे निर्वाचन सम्पन्न कएल गेल ।[७][८]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "पहिलो चरणको मतदान शान्तिपूर्ण सम्पन्न, ६५ प्रतिशत मत खस्यो" (नेपालीमे), २०१७-११-२६, अन्तिम पहुँच २०१७-१२-०७ [permanent dead link]
  2. "'६७ प्रतिशत मतदान'" (नेपालीमे), अन्तिम पहुँच २०१७-१२-०७ 
  3. "Govt decides to hold provincial, parliamentary polls in two phases", The Himalayan Times, International Media Network Nepal (Pvt) Ltd, अन्तिम पहुँच ३१ अगस्त २०१७ 
  4. "प्रतिनिधि सभा र प्रदेश सभाको निर्वाचन", सेतोपाटी, अन्तिम पहुँच १६ भदौ २०७४ 
  5. "प्रतिनिधि सभा र प्रदेशमा उम्मेदवारले कति खर्च गर्न पाउँछन् ?" (नेपालीमे), अन्तिम पहुँच २०१७-१२-०७ [permanent dead link]
  6. "प्रदेश र प्रतिनिधि सभा निर्वाचन मंसिर १० र २१ मा", annapurnapost.com (नेपालीमे), मूलसँ २०१७-११-२७-मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१७-१२-०७  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता)
  7. "प्रतिनिधि र प्रदेश सभा सदस्यमा जम्मा ४१ जना महिला उम्मेदवार" (नेपालीमे), २०१७-१०-२४, अन्तिम पहुँच २०१७-१२-०७ 
  8. "दोस्रो चरणको प्रदेश र प्रतिनिधि सभा निर्वाचनको ३ सय ८४ सिटका लागि झन्डै ५ हजारको उम्मेदवारी" (नेपालीमे), २०१७-११-०३, अन्तिम पहुँच २०१७-१२-०७ [permanent dead link]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]