मानसी जोशी

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
मानसी जोशी
व्यक्तिगत जानकारी
जन्म (१९९३-०८-१८) १८ अगस्त १९९३ (उमर २९)
उत्तरकाशी, उत्तराखण्ड, भारत
बल्लेबाजी शैलीदाहिना हाथ सँ
गेन्दबाजी शैलीदाहिना हाथ सँ मध्यम तेज
काजगेन्दबाज
अन्तर्राष्ट्रिय जानकारी
राष्ट्रिय पक्ष
ओडिआई पदार्पण१० फरवरी २०१७ v आयरल्यान्ड महिला
अन्तिम ओडिआई१६ सितम्बर २०१८ v श्रीलंका महिला
ओडिआई पोसाक क्रम१०
टि२०आई पदार्पण२६ नवम्बर २०१६ v बंगलादेश महिला
अन्तिम टि२०आई१० फरबरी २०१९ v न्युजिल्यान्ड महिला
खेल जीवनी तथ्याङ्क
प्रतियोगिता महिला वनडे महिला टि-२०
म्याच
रन स्कोर
बल्लेबाजी औषत ६.००
१००/५० ०/० ०/०
उत्कृष्ट स्कोर *
कूल बल ३०७ १८
विकेट
गेन्दबाजी औषत २९.४० ८.००
एक पारीमे ५ विकेट
एक म्याचमे १० विकेट उ/नै उ/नै
उत्कृष्ट गेन्दबाजी ३/२५ १/८
क्याच/स्टम्प २/– ०/–
स्रोत: इएसपिएन क्रिकइन्फो, ६ मार्च २०१९

मानसी जोशी (जन्म १८ अगस्त १९९३) एक भारतीय महिला क्रिकेट टिमक अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट खेलाड़ी छी, जे सन् २०१६ नवम्बरमे भारतीय राष्ट्रिय महिला टिमक लेल अपन अन्तर्राष्ट्रिय खेल जीवनक पदार्पण केनए छल। ओ दाहिना हाथ सँ मध्यम-तेज गेन्दबाजक भूमिका निर्वाह करैत अछि आ दाहिना हाथ सँ बल्लेबाजी करैत अछि।[१]

करियर[सम्पादन करी]

जोशीक जन्म भारतक उत्तराखण्ड राज्यक रुड़की नामक एक छोट शहरमे भेल छल।[२] उत्तराखण्ड सँ भेलाक बादो ओ महिला घरेलू क्रिकेट हरियाणाक लेल खेलनाए शुरू केलक आ एखनो एहि टिम सँ घरेलु क्रिकेट खेलैत अछि।[३] ओ अपना आपकें भारतीय पुरुष क्रिकेट टिमक पूर्व बल्लेबाज भारत रत्न सँ सम्मानित सचिन तेन्दुलकरकें अपन प्रेरणाक स्रोत मानैत आबि रहल अछि।[४]हरियाणा क्रिकेट एसोसिएसनक ट्रायलमे भाग लेलक आ फेर सिनियर महिला राज्य टिममे अन्डर-१९ मे चयनित भेल।[५] मानसीकें वेस्टइन्डिजक विरुद्द नवम्बर २०१६ कें श्रृङ्खलाक लेल ट्वान्टी-२० अन्तर्राष्ट्रिय (टि-२०) कऽ लेल भारतीय महिला क्रिकेट टिममे शामिल कएल गेल छल। ओहि श्रृङ्खलामे हुनका कोनो म्याचमे खेलाएल नई गेल छल, मुदा ओहि महिनाक अन्तमे ओ टि-२० मे पदार्पण केलक।[६]

मानसी जोशी थाइल्याण्डमे महिला ट्वान्टी-२० एशिया कपमे बंगलादेश महिला क्रिकेट टिमक विरुद्ध अपन पहिल अन्तर्राष्ट्रिय टि-२० म्याच खेलने छल।[७] ओ अपन पहिल म्याचमे तीन ओभर गेन्दबाजी करि ८ रन दऽ १ विकेट लेनए छल आ ओकर बाद भेल म्याचमे थाइल्यान्ड विरुद्ध ८ रन दऽ २ विकेट लेनए छल। ओहि म्याचमे हिनका प्लेयर अफ द म्याच चुनल गेल छल । (ओना तँ ओ खेलकें टि-२० अन्तर्राष्ट्रियकें दर्जा नई देल गेल छल)।[८]

मानसी सन् २०१७ महिला क्रिकेट विश्वकप क्वालिफायरमे आयरल्यान्ड महिला क्रिकेट टिमक विरुद्ध १० फरवरी २०१७ कें महिला एकदिवसीय अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट (वनडे) कऽ शुरूआत केनए छल।[९] हिनका हिन्दुस्तान टाइम्सद्वारा २६ मई, २०१७ कें एचटी यूथ फोरममे अपन सूचीमे शीर्ष ३० भारतीय महिलामे समावेश करि सम्मानित केनए छल। जोशी २०१७ महिला क्रिकेट विश्वकपक फाइनलमे पहुचै वाली भारतीय महिला टिमक हिस्सा छल, जतय टिम इङ्ल्यान्ड महिला क्रिकेट टिम सँ मात्र नौ रन सँ पराजित भऽ गेल छल।[१०]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]