सामग्री पर जाएँ

रघुराम राजन

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
रघुराम राजन
Raghuram Rajan
वर्ल्ड इकोनोमिक आउटलुक कन्फ्रेन्समे रघुराम राजन
भारतीय रिजर्व बैंकक २३म गवर्नर
कार्यकाल
सन् २०१३-२०१६
पूर्वाधिकारीडि सुब्बाराव
उतराधिकारीउर्जित पटेल
अन्तर्राष्ट्रीय मुद्राकोषक मुख्य अर्थशास्त्री
कार्यकाल
सन् २००३-२००६
पूर्वाधिकारीकेनेथ रोगाफ
उतराधिकारीसाइमन जनसन (अर्थशास्त्री)
व्यैक्तिक विवरण
जन्म (१९६३-०२-०३) फरबरी ३, १९६३ (उमर ६२)
भोपाल, भारत
राष्ट्रियताभारतीय
मातृ शिक्षा प्रतिष्ठानमेसाचुसेट्स इन्स्टिच्युट अफ टेक्नोलोजी (पीएचडी)
इन्डियन इन्स्टिच्युट अफ मेनेजमेन्ट अहमदाबाद (एमबिए)
इन्डियन इन्स्टिच्युट अफ टेक्नोलोजी दिल्ली(बीटेक)
हस्ताक्षर

रघुराम राजन (पूरा नाम: रघुराम गोविन्द राजन, तमिल:ரகுராம் கோவிந்த ராஜன்[] जन्म: 3 फरबरी 1963) भारतीय रिजर्व बैंकक २३अम गभर्नर छलाह। सन २०१३ मे ४ सितम्बर कें दुव्वुरी सुब्बारावक सेवानिवृत्तिक पश्चात रघुराम ई पदभार ग्रहण केने छलाह।[][] अहि पद सँ पहिने ओ प्रधानमन्त्री, मनमोहन सिंहक प्रमुख आर्थिक सल्लाहकार[]शिकागो विश्वविद्यालयक बुथ स्कुल अफ बिजनेसमे एरिक जे ग्लिचर फाइनान्सक गणमान्य सर्विस प्रोफेसर छलाह।[][] सन् २००३ सँ सन् २००६ धरि ओ अन्तर्राष्ट्रिय मुद्रा कोषक प्रमुख अर्थशास्त्री आ अनुसन्धान निर्देशक[]भारत मे वित्तीय सुधारक लेल योजना आयोग द्वारा नियुक्त समितिक नेतृत्व सेहो केलनि ।[]

राजन मेसाचुसेट्स इन्स्टिच्युट अफ टेक्नोलोजीक अर्थशास्त्र विभाग आ स्लोन स्कुल अफ मेनेजमेन्ट; नार्थ-वेस्टर्न विश्वविद्यालयक क्यालौग स्कुल अफ मेनेजमेन्ट आ स्टाकहोम स्कुल अफ इकोनोमिक्स मे अतिथि प्रोफेसर सेहो रहल छलाह । ओ भारतीय वित्त मन्त्रालय, विश्व बैंक, फेडरल रिजर्व बोर्ड आ' स्वीडिश संसदीय आयोगक सल्लाहकारक रूपमे सेहो काज केने छथि ।[] सन् २०११ मे ओ अमेरिकी फाइनान्स ऐसोशिएसनक अध्यक्ष छलाह तथा वर्तमान मे अमेरिकन एकेडेमी अफ आर्ट्स एन्ड साइन्सेजक सदस्य छथि ।

प्रारम्भिक जीवन

[सम्पादन करी]

रघुराम राजनक जन्म भारतक भोपाल शहरमे ३ फरवरी १९६३ के भेल छल । सन् १९८५ मे ओ भारतीय प्रौद्योगिकी संस्थान, दिल्ली सँ इलेक्ट्रिकल इन्जिनियरिंग मे स्नातक डिग्री हासिल केलनि । इन्डियन इन्स्टिच्युट अफ मेनेजमेन्ट, अहमदाबाद सँ ओ सन् १९८७ मे एमबीए केने छलाह । मेसाच्युट्स इन्स्टिच्युट अफ टेक्नोलोजी सँ ओ सन् १९९१ मे अर्थशास्त्र विषयमे पीएचडी केलनि ।

स्नातक स्तर धरि पढ़ाईक बाद राजन शिकागो विश्वविद्यालयक ग्रेजुएट स्कुल अफ बिजनेस मे शामिल भऽ गेलाह । सितम्बर २००३ सँ जनवरी २००७ धरि ओ अन्तर्राष्ट्रीय मुद्रा कोष मे आर्थिक सल्लाहकार आ अनुसन्धान निर्देशक (मुख्य अर्थशास्त्री) रहलाह । जनवरी २००३ मे अमेरिकन फाइनान्स एसोसिएशन द्वारा देल जायवला फिशर ब्ल्याक पुरस्कारक प्रथम प्राप्तकर्ता छलाह । ई सम्मान ४० सँ कम उमरक अर्थशास्त्री सभ कें वित्तीय सिद्धान्त आ अभ्यास मे योगदानक लेल प्रदान कएल जाइत अछि।[]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. http://india.blogs.nytimes.com/2012/10/06/a-conversation-with-chief-economic-adviser-raghuram-g-rajan/
  2. २.० २.१ २.२ "Archive copy", मूलसँ २०१३-०९-०७ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१६-११-११  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  3. By PTI (२०१३-०९-०४), "Raghuram Rajan takes over as 23rd Governor of Reserve Bank of India - The Economic Times" (अङ्ग्रेजीमे), Economictimes.indiatimes.com, अन्तिम पहुँच २०१६-०७-२०  লেখা " Sep 04, 2013, 03.45 PM IST " উপেক্ষা করা হয়েছে (सहायता)
  4. "भारत के पीएम (PM) ने सलाहकार के रूप में पूर्व-आईएमएफ (ex-IMF) मुख्य अर्थशास्त्री को नियुक्त किया", मूलसँ २०१०-१२-०८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१६-११-११  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  5. ५.० ५.१ "शिकागो विश्वविद्यालय के बायो", मूलसँ २०१०-११-०८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१६-११-११  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  6. योजना आयोग ने समिति को नियुक्त किया
  7. बायोग्राफिकल इंफॉर्मेशन, इंटरनैशनल मानटेरी फंड
राजनैतिक कार्यलय
पूर्वाधिकारीक नाम
केनेथ रोगाफ
अन्तर्राष्ट्रिय मुद्राकोषक मुख्य अर्थशास्त्री
२००३-२००६
उत्तराधिकारीक नाम
साइमन जनसन (अर्थशास्त्री)