रजनीकान्त

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
रजनीकान्त
Rajinikanth
Rajinikanth at the Inauguration of MGR Statue.jpg
रजनीकान्त सन् २०१८ मे
जन्म
शिवाजीराव गायकवाड

(१९५०-१२-१२)दिसम्बर १२, १९५०
व्यवसायअभिनेता
सक्रिय वर्ष१९७५-वर्तमान
जीवनसाथी(सभ)लथा रङ्गचारी
(१९८१-वर्तमान)
बालबच्चा
सम्बन्धीधनुष (जमाए)
पुरस्कारपद्म विभूषण (२०१६)[१] पद्म भूषण (२०००)


शिवाजीराव गायकवाड (तमिलரஜினிகாந்த், Rajiṉikānt ?; अङ्ग्रेजी: Rajinikanth) अपन रङ्गमञ्च नाम रजनीकान्त कऽ रूपमे स्थापित एक भारतीय चलचित्रक अभिनेता आ राजनीतिज्ञ छी जे विशेष रूप सँ तमिल सिनेमामे काज करैत अछि । ओ एक बस कन्डक्टरक रूपमे बेङ्गलोर महानगर यातायात सेवामे काज करैत नाटकमे अभिनय केनाए आरम्भ केनए छल । सन् १९७३ मे, ओ अभिनयमे डिप्लोमा करवाक लेल मद्रास चलचित्र संस्थानमे सामिल भऽ गेल । अभिनेताक रूपमे ओ अपन चलचित्र जीवनक आरम्भ राष्ट्रिय चलचित्र पुरस्कार विजेता चलचित्र अपूर्व रागङ्गल (१९७५) सँ केनए छल जकर निर्देशक कैलाशम बालाचन्दर छल जकरा स्वयं रजनीकान्त अपन गुरु मानैत अछि ।[२]भारतीय चलचित्र शिवाजी (२००७) मे अपन भूमिकाक लेल ओ २६ करोड़ (सन् २०१७ मे ५६ करोड़ या $ ७.८ मिलियनक बराबर) भुगतान लेनए छल जे ओ समयमे अभिनेता ज्याकी च्यानक बाद एसियामे सभ सँ बेसी भुगतान लेनिहार अभिनेता छल । प्रारम्भिक चरणमे प्रतिनायकक भूमिका कएलाक बाद ओ तमिल चलचित्रमे अस्थिरे अस्थिर एक स्थापित अभिनेताक रूपमे उदाएल । अपन जीवनक किछ वर्षमे ओ तमिल सिनेमाक महान सितारा बनि गेल आ तखन सँ ओ भारतक लोकप्रिय संस्कृतिमे एक प्रतिमान बनि चुकल अछि ।[३] रजनीकान्तक विशेष शैली तथा संवाद बोलवाक विशेष अन्दाज हिनकर जनप्रियता तथा आकर्षणक प्रमुख कारण छी ।[३] अन्य भारतीय क्षेत्रीय चलचित्र उद्योगमे अभिनय करवाक सङ्गे ओ संयुक्त राज्य अमेरिकाक हलिउड चलचित्र 'ब्लडस्टोन' (१९८८) मे सेहो अभिनय केनए छल । सन् २०१८ धरि रजनीकान्त ६ तमिलनाडु राज्य चलचित्र पुरस्कार - ४ सर्वश्रेष्ठ अभिनेता पुरस्कार आ सर्वश्रेष्ठ अभिनेताक लेल २ विशेष पुरस्कार आ एकटा फिल्मफेयर सर्वश्रेष्ठ तमिल अभिनेता पुरस्कार जितने अछि । अभिनय वाहेक ओ एक चलचित्र निर्मातापटकथा लेखकक रूपमे सेहो काज केनए अछि । अपन चलचित्र करियर वाहेक ओ एक परोपकारी, आध्यात्मिकता आ द्रविड़ राजनीतिमे प्रभावशील नेताक रूपमे सेहो काज करैत अछि ।

भारत सरकार हिनका सन् २००० मे पद्म भूषण आ कला क्षेत्रमे हिनकर योगदानक लेल सन् २०१६ मे पद्म विभूषण सँ सम्मानित केनए छल । भारतक ४५अम अन्तर्राष्ट्रिय चलचित्र महोत्सव (२०१४) मे, हिनका 'भारतीय चलचित्र व्यक्तित्वक लेल शताब्दी पुरस्कार' सँ सम्मानित केनए छल ।

व्यक्तिगत जीवन[सम्पादन करी]

अभिनय यात्रा[सम्पादन करी]

मुख्य चलचित्रसभ[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Rajinikanth gets Padma Vibhushan; Padma Shri for Priyanka, Ajay Devgn", The Indian Express (New Delhi), २६ जनवरी २०१४, २५ अक्टुबर २०१६-कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ८ दिसम्बर २०१६  |deadurl= प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता)
  2. श्रीनिवासन, मीरा (४ सितम्बर २०१०), "फ्यूज़न ऑफ़ कल्चर एट सेलिब्रिटी वेडिंग", द हिन्दू, अन्तिम पहुँच २४ जून २०१३ 
  3. ३.० ३.१ Ethiraj, Gopal (१४ दिसम्बर २००९), "Sunday Celebrity: Rajini is simple, stylish, spiritual, that explains his uniqueness", Asian Tribune, अन्तिम पहुँच १४ दिसम्बर २००९ 

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]