अमिताभ बच्चन
अमिताभ बच्चन Amitabh Bachchan | |
---|---|
![]() बच्चन सन् २०१३ में | |
जन्म | अमिताभ हरिवंश राय बच्चन ११ अक्टुबर १९४२ |
मातृसंस्था | शेरवुड कलेज, नैनीताल किरोरी मल कलेज, दिल्ली विश्वविद्यालय[१] |
व्यवसाय | अभिनेता, निर्माता, गायक, टेलिभिजन प्रस्तोता |
सक्रिय वर्ष | १९६९-वर्तमान |
जीवनसाथी(सभ) | जया भादुरी (१९७३-वर्तमान) |
बालबच्चा |
|
अभिभावक(सभ) | हरिवंश राय बच्चन तेजी बच्चन |
पुरस्कार | पद्म विभूषण २०१५[२] |
वेबसाइट | srbachchan.tumblr.com |
हस्ताक्षर | |
![]() |
अमिताभ बच्चन (जन्म-११ अक्टूबर) बालिवुडके सबसँ लोकप्रिय अभिनेता छथि । १९७०क दशक मे अमिताभ बड़ लोकप्रिय होयबाक कारण ओ भारतीय सिनेमाक इतिहास मे सर्वप्रमुख व्यक्तित्व बनि गेलाह । बच्चन अपन कैरियर मे अनेक पुरस्कार जीतने छथि, जाहि मे तीन गोट राष्ट्रीय फ़िल्म पुरस्कार ओ बारह फ़िल्म-फ़ेयर पुरस्कार सेहो शामिल अछि । हुनकर नाम सर्वाधिक सर्वश्रेष्ठ अभिनेता फिल्मफेयर अवार्डक रिकार्ड मे रहल अछि ।
इलाहाबाद, उत्तर प्रदेश,मे जनमल अमिताभ बच्चन हिन्दु कायस्थ परिवार सं अछि । हुनक पिता, डॉ॰ हरिवंश राय बच्चन प्रसिद्ध हिन्दी साहित्यकार छलाह, आ हुनक माय तेजी बच्चन करांचीके सिख परिवार सं संबन्ध रखैत छलीह ।[३]
आरम्भिक जीवन[सम्पादन करी]
इलाहाबाद, उत्तर प्रदेश, मे जनमल अमिताभ बच्चन हिन्दु कायस्थ परिवार सं सम्बन्ध राखथि अछि । हुनक पिता, डॉ॰ हरिवंश राय बच्चन प्रसिद्ध हिन्दी कवि छलाह, आ' हुनकर माय तेजी बच्चन कराचीके सिख परिवार सं सम्बन्ध रखैत छलीह ।[४] आरंभ मे बच्चनक नाम इन्कलाब राखल छल जे कि भारतीय स्वतन्त्रता संग्रामक समय मे प्रयोग कएल गेल छल संगहि ई नाम प्रेरित वाक्यांश इंकलाब जिंदाबाद सं लेल गेल छल किन्तु तत्पश्चात हुनकर नाम पुन: अमिताभ राखल गेल जकर अर्थ थीक, "एहन प्रकाश जे कहियो नै मिझबय"। यद्यपि हुनक अन्तिम नाम श्रीवास्तव छल तत्पश्चात हुनक बाबुजी अहि उपनाम के अपन कृति सभ मे प्रकाशित करौने छलाह ओ 'बच्चन' नाम सं उद्धृत केने छलाह । ई हुनक अन्तिम नाम छल जाहि सं हुनकर चलचित्र सभ आ' सभ लौकिक प्रयोजन सभक लेल उपयोग कएल गेल। आब ई नाम हुनकर समस्त परिवारीजन सभक उपनाम बनि गेल अछि ।
अमिताभ, स्व० हरिवंश राय बच्चनजी केरि दुइ पुत्र मे ज्येष्ठ छथि । हुनकर दोसर पुत्रक नाम अजिताभ थीक । हुनक माय के रंगमंच वा अभिनय मे अत्यधिक रुचि छल आर हुनका चलचित्र मे सेहो भूमिका-निर्वाह करबाक प्रस्ताव कएल गेल किन्तु हुनका गृहणी बनल रहब नीक लगलनि । अमिताभक करियरक चयन मे हुनकर मायक सेहो कुछ सहयोग छल कारण ओ सभ सदति अहि बात पर जोर देने छलीह जे हुनका बहुविध चर्चित रहि अभिनय रंगमंच के अपन करियर बनाबहि पड़़त ।[५] अमिताभजी केरि साहित्यकार बाबुजी केरि देहांत २००३ मे भेल छल और हुनक मायक २१ दिसम्बर २००७ मे भेल छल । [६] [७]
महानायक अमिताभ दुइ बेर एम.ए.क उपाधि प्राप्त केने छथि । मास्टर अफ आर्ट्स (स्नातकोत्तर) इलाहाबाद के ज्ञान प्रबोधिनी केर बायज हाई स्कूल (बीएचएस) तदुपरान्त नैनीताल के सिंहवुड कालेज मे अध्ययनरत छलाह जतय कला संकाय मे प्रवेश भेटल । अमिताभ ओकर बादक शिक्षाक लेल दिल्ली विश्वविद्यालय केरि किरोड़ीमल कालेज गेल जतय हुनका विज्ञान स्नातक के उपाधि भेटलन्हि । अपन आयुक दोसर ओ तेसर दशक मे बच्चन अभिनय मे करियर प्रारंभ करबा' लेल कलकत्ता केरि एक शिपिंग फर्म - बर्ड एण्ड कंपनी मे भंडारपाल-सह~ मधयवर्ती ब्रोकर नौकरी छोड़ि देने छलाह ।
सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]
- ↑ "Alumni meet at Kirori Mal College", The Times of India, फरबरी २६, २०१०।
- ↑ "Padma Awards 2015", Press Information Bureau, Government of India, जनवरी २५, २०१५, अन्तिम पहुँच २६ जनवरी २०१५।
- ↑ "www.sugandh.com/seema/amitabhji/stardust.html"।
- ↑ "www.sugandh.com/seema/amitabhji/stardust.html"।
- ↑ "Reviews on: To Be or Not To Be Amitabh Bachchan - Khalid Mohamed", अप्रैल १३, २००५, अन्तिम पहुँच २००७-०३-११।
- ↑ Khan, Alifiya, "Teji Bachchan passes away", Hindustan Times, मूलसँ २०१९-०१-०५-मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २००७-१२-२२।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता) - ↑ Khan, Alifiya, "Teji Bachchan passes away", Hindustan Times, मूलसँ २०१९-०१-०५-मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २००७-१२-२२।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता)
बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]
- अमिताभ बच्चन अमिताभ बच्चन कऽ बारेमें सम्पूर्ण जानकारी
- अमिताभ बच्चनके जीवन कऽ कहानी सुनु तस्वीर सं... Archived 2011-11-13 at the Wayback Machine.[[]]
- अमिताभ बच्चन भारत रत्नक असली हकदार छी: ठाकरे (नवभारत टाइम्स)
- अमिताभ बच्चन कऽ जीवनी
- आवाजके जादू से राज कायम अमिताभ
![]() |
विकिमिडिया कमन्समे आर बहुत रास अमिताभ बच्चनसँ सम्बन्धित मिडिया सामग्रीसभ अछि । |