विकिपिडिया:मुख्य लेख/आवेदनसभ/विजयादशमी

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

विजयादशमी[सम्पादन करी]

विजयादशमी

विजयादशमी वा बडा दशैं (अन्य नाम: दशहरा, विजया दशमी, नवरात्र, आयुध-पूजाप्रणय) नेपाल, भारत आ अन्य देशसभमे रहल हिन्दूसभक प्रमुख पावनि अछि । ई नेपालक राष्ट्रिय पावनि समेत रहल अछि । विजयादशमी (नवरात्र) हिन्दू धर्मवलम्बीसभ आश्विन शुक्ल प्रतिपदासँ नवमीधरि (नवरात्रभर) शक्तिक आराधना करि दशम दिन भोर दशमीक दिन टीका-प्रसाद ग्रहण आ विशेष रुपमे पुर्णिमा धरि (प्रसाद ग्रहणक लेल) मनाओल जाइत अछि ।

प्रतिपदासँ क्रमशः शैलपुत्री, ब्रह्मचारिणी, चन्द्रघण्टा, कुष्माण्डा, स्कन्दमाता, कात्यायिनी, कालरात्री, महागौरीसिद्धिदात्री करि अन्तिममे नवदुर्गाक पूजा करैत सप्तशती (चण्डी) पाठ करि नवदुर्गा आ त्रीशक्ति महाकाली, महालक्ष्मी आ महासरस्वतीक विशेष पूजाआजा आ आराधाना कएल जाइत अछि । विजयादशमीक दिन भगवतीद्वारा दानवी शक्ति उपर आ रामद्वारा रावन उपर विजय हासिल कएल उपलक्ष्य आ खुसीयालीमे नवदुर्गा भवानीक प्रसादस्वरुप लाल टिका आ जमरा लगेबाक चलन अछि । आसिन (आश्विन) महिनाक शुक्ल पक्षक दशमी तिथिक दिन ई पावनिक प्रमुख दिन छी । बताएल जाइत अछि कि भगवान् राम एहि दिन रावणक वध केनए छल । एकरा असत्य उपर सत्यके विजयक रूपमे लेल जाइत अछि । (पूरा लेख...)

  • मुख्य सम्पादक: बिप्लब आनन्द
  • आवेदनके कारणसभ: लेखक आधार बढिया भेला कारणसँ
प्रमुख लेख समन्वय समितिके सदस्यद्वारा
  •    उपरोक्त लेख मुख्य लेखके मापदण्ड अनुसार अछि, आर मुख्य लेख के लेल चुनल जाएके लेल मतदान के लेल सिफारिस करए छी । --बिप्लब आनन्द (वार्ता) १५:००, २९ सितम्बर २०१६ (NPT)


 समर्थन[सम्पादन करी]

  1. आवेदनकर्ताके रूपमे  समर्थन -- बिप्लब आनन्द (वार्ता) १५:००, २९ सितम्बर २०१६ (NPT)
  2. विजयादशमी के शुभकामना !!!  समर्थन G10dra ») १५:४०, २९ सितम्बर २०१६ (NPT)
  3.  समर्थन--Nilamkarn (वार्ता) ०७:२१, ३० सितम्बर २०१६ (NPT)
  4.  समर्थन--राजा उप्रेती (वार्ता) ०७:३४, ३० सितम्बर २०१६ (NPT)

असमर्थन[सम्पादन करी]