सामग्री पर जाएँ

शिला मेहता

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
शिला मेहता
Shila Mehta
कथक करैत शिला मेहता
जन्म
व्यवसायनृत्य कलाकार, कोरियोग्राफर, शिक्षक, सङ्गीतकार
Dancesकथक
वेबसाइटshilamehtakathak.in

शिला मेहता एक भारतीय महिला शास्त्रीय नृत्य कलाकार, कोरियोग्राफर, शिक्षक आ सङगीतकार छी।[१] शिला मेहताक वास्तविक पृष्ठभूमि कथक नृत्य छी। ओ उत्तर भारतीय नर्तकीक रूपमे जानल जाएत अछि। ओ भारत, उत्तर अमेरिका, अस्ट्रेलिया आ युरोपक दौरा समेत करि ओ दुनिया भरिक दर्शकसभक लेल मुरीद बनेने अछि।[२] मेहता भारतक मुम्बई शहरमे नुपुर जङ्कर एकेडमी अफ परफरमिङग आर्ट्स एन्ड रिसर्च सेन्टरक संस्थापक छी। ई एकेडमी एखन स्थानीय आ अन्तर्राष्ट्रिय छात्रसभक लेल एक सांस्कृतिक केन्द्रक रुपमे विकसित भऽ गेल अछि।[१] ई संस्थान भारतीय सांस्कृतिक सम्बन्ध परिषद, नयाँ दिल्ली, भारतक सङ्ग पञ्जीकृत अछि।

प्रारम्भिक जीवन आ तालिम

[सम्पादन करी]

शिलाक जन्म भारतक पश्चिममे रहल राज्य पश्चिम बङ्गालक राजधानी शहर कोलकातामे भेल छल। हुनकर जन्म नव वर्षक दिन यानी १ जनवरीकें भेल अछि। ओ अपन प्रारम्भिक शिक्षा कोलकाताक प्राथमिक विद्यालय आ अपन उच्च शिक्षा कलकत्ता विश्वविद्यालय सँ पुरा केनए अछि। कलकत्ता विश्वविद्यालय सँ स्नातक कऽ उपाधि प्राप्त केनए अछि। ओकर बाद हुनकर रुचि कऽ विषय नृत्य आ सङ्गीत भेलाक कारण ओ महाराष्ट्र चलि गेल। ओ कवि कुलगुरु कालिदास संस्कृत विश्वविद्यालय, महाराष्ट्र, भारत सँ ललित कलामे स्नातकोत्तर कऽ अध्ययन करि ओतय सँ ओ स्नातोकोत्तर कऽ उपाधि प्राप्त केलक। स्नातोकोत्तर अध्ययन पश्चात ओ भारतीय राज्य उत्तर प्रदेशक इलाहाबाद शहरमे जाए प्रयाग सङ्गीत समिति सँ नृत्य प्रवीण कऽ उपाधि प्राप्त केलक। एकर बाद ओ योर्क विश्वविद्यालय, टोरन्टो, क्यानाडाक माध्यम सँ व्यावसायिक विकासक एक व्यापक श्रेणीक कार्य केनए अछि जहिमे समकालीन नृत्य, नृत्य चिकित्सा आ साइट-विशिष्ट नृत्यक खोज सम्मलित अछि। नृताचार्य श्री प्रह्लाद दासक नेतृत्वमे मेहता अपन पाँच वर्षक आयु सँ नृत्य केनाए शुरू केनए छल। सोलह वर्षक आयु सँ, ओ कुमुदिनी लाखिया जका अन्य प्रख्यात प्रतिपादकसभक सम्पर्कमे आबि गेल छल। ओ नृत्य क्षेत्रक धुरन्धर पण्डित चित्रेश दास, पण्डित विजय शंकर आ पण्डित बिरजु महाराज कऽ सङ्ग प्रशिक्षणक सिखबाक लेल बहुत समय व्यतित केनए छल।[३] नृत्य विधाक उपयोगी कला ताल सिखवाक लेल ओ तालयोगी पण्डित सुरेश तलवलकर कऽ अधीनमे ओ अपन लय आ ताल प्रशिक्षण पूर्ण केनए छल।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. 1 2 "Shila Mehta Kathak", Kathak Dancer Shila Mehta, मूलसँ २६ जुलाई २०१४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १८ जुलाई २०१४। |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  2. ↑ Vereecken, Eva (२०१०-१२-१३), "Belgium discovers Kathak with Shila Mehta", www.narthaki.com, Nathaki, अन्तिम पहुँच १८ जुलाई २०१४।
  3. ↑ RAJAN, ANJANA (२०१३-०७-११), "The Hindu", www.thehindu.com, अन्तिम पहुँच १८ जुलाई २०१४।

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]