सामग्री पर जाएँ

शेख जाइद भव्य मस्जिद

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
शेख जाइद भव्य मस्जिद
جامع الشيخ زايد الكبير
धर्म
आवद्धताइस्लाम
Ownershipसरकार
स्थान
स्थानअबु धाबी, संयुक्त अरब इमिरेट्स
वास्तुकला
प्रकारमस्जिद
Groundbreaking१९९६
कार्य सम्पन्न२० डिसेम्बर २००७

शेख जाइद भव्य मस्जिद (अरबी: جامع الشيخ زايد الكبير‎), संयुक्त अरब इमिरेट्सक राजधानी शहर अबु धाबीमे स्थित अछि[] आ देशमे उपासनाक लेल प्रमुख साइट मानैत अछि । मस्जिदक डिजाइन यूसुफ अब्देलकी नामक एक सिरियन वास्तुकार द्वारा कएल गेल अछि ।[]

परियोजना संयुक्त अरब इमिरेट्स (यूएई) मे , इस्लामी संसारक सांस्कृतिक विविधताक वास्तुकला आ कलाक ऐतिहासिक आ आधुनिक मूल्यसभसंग एकजुट करै चाहैत शेख जायद बिन सुल्तान अल नाहयानक शुभ अध्यक्षतामे शुरू केने छल ।[] मस्जिद १९९६ सँ २००७ तक निर्माण कएल गेल छल । ई संयुक्त अरब इमिरेट्सक सबसँ पैग मस्जिद छी । मस्जिद परिसर लगभग १२ हेक्टरक क्षेत्रफलमे फैलल अछि । पूर्वोत्तर धरहरामे स्थित पुस्तकालयमे इस्लामिक विषयसंग सम्बन्धी प्राचीनकालिन पुस्तकसभ राखने अछि । २०० वर्ष अगा देखिल कुछ दुर्लभ कला आ सिक्कासभ सेहो राखने अछि । ईदक समयमे ई ४१,००० सँ बसी व्यक्तिसभ द्वारा एकै समयमे भ्रमण करै सकैत अछि ।[] इस्लामिक संसार आ संयुक्त अरब इमिरेट्सक विविधताक प्रतिबिम्बमे , अरबी, अंग्रेजी, फ्रान्सेली, इटालियन, स्पेनिश, जर्मनीकोरियाली भाषासभमे समावेश कएल व्यापक सामग्रीसभ समावेश अछि । दुई वर्षक दौडानमे एहि शहरके ट्रिपएड्भाइसर द्वारा विश्वक दोसर मनपरल ठाँउ कहै चिन्ह लगाने छल ।[]

शेख जाइद भव्य मस्जिदक डिजाइन आ निर्माण "एकताबद्ध" रूपमे बहुत देशसभ भारत, इटाली, जर्मनी, मिश्र, टर्की मोरक्को, पाकिस्तान, मलेशिया, ईरान, चीन, बेलायत, न्युजिल्यान्ड, गणतन्त्र म्यासेडोनियासंयुक्त अरब इमिरेट्स क कारीगरसभ आ सामग्रिसभक उपयोग करै राखने अछि । ३,००० सँ बढी कार्यकर्ता आ ३८ प्रसिद्ध करार कम्पनीसभसँ मस्जिदक निर्माणमे भाग लेने छल । सिङ्गमरमर ढुङ्गा, सुन, रत्न, क्रिस्टल सहित लाम्बा समय सम्म चलने प्राकृतिक सामाग्रीसभ एकर अधिकांश डिजाइन आ निर्माणक लेल चुनिएल छल । सिरेमिक एस ई इटालियन कम्पनी इम्प्रेगिलो द्वारा बनाएल अछि ।

आयाम आ तथ्याङ्क

[सम्पादन करी]

मस्जिद ४०,००० सँ बेसी उपासकसभके समायोजन करै सकैत पर्याप्त क्षमता अछि, जबकि मुख्य प्रार्थना हलमे ७,००० सँ बेसी अटावैत अछि । दुई छोट प्रार्थना हलमे प्रत्येक कक्षमे १५०० क क्षमताक रहल अछी । जहिमध्ये एक कक्ष स्त्रीक प्रार्थनाक लेल अछि ।[]

प्रमुख वास्तु विशेषता

[सम्पादन करी]

शेख जाइद भव्य मस्जिद सँग बहुत विशेष आ अद्वितीय तत्वसभ अछि: मुख्य प्रार्थना कक्षक गलैँचा, ईरानक गलैँचा कम्पनी द्वारा बनाईएल संसारक सबसँ पैग गलैँचा आ ईरानी कलाकार अली खालीकि द्वारा डिजाइन केने मानैत अछि । ई गलैँचा ५,६२७ मी (६०,५७० वर्ग फिट) क आकारमे अछि, लगभग १,२००-१,३०० गलैँचासभ जोड बनाने छल ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. १.० १.१ १.२ "अबु धाबीमा शेख जाइद मस्जिद", www.szgmc.ae 
  2. "यूसुफ अब्देलकी | आर्कीयात्रा", www.architravel.com, मूलसँ २०१७-११-०७ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ५ नोभेम्बर २०१७  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  3. "शेख जाइद मस्जिद, अबु धाबी", संसारको आश्चर्य, मूलसँ २०१७-१२-०१ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१७-११-२५  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  4. द राष्ट्रिय दैनिक संवाददाता (२७ मई २०१७), "शेख जाइद मस्जिद विश्वक दोसर मनपरल स्थानमे परै सफल | द राष्ट्रिय दैनिक", अन्तिम पहुँच २८ मई २०१७ 

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]