श्री राम जन्मभूमि तीर्थ क्षेत्र

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
श्री राम जन्मभूमि तीर्थ क्षेत्र
श्री राम जन्मभूमि तीर्थ क्षेत्रक लोगो
स्थापना५ फरबरी २०२०; ३ वर्ष आगा (२०२०-०२-05)
प्रकारट्रस्ट
उद्देश्यअयोध्या राम मन्दिरक निर्माण आ व्यवस्थापन
मुख्यालय२०, ग्रेटर कैलाश भाग -१, नयाँ दिल्ली
स्थान
  • राम जन्मभूमि
क्षेत्र
अयोध्या, उत्तर प्रदेश
सदस्य
१५[१]
अध्यक्ष
महन्त नृत्यगोपाल दास
वेबसाइटsrjbtkshetra.org[२]

श्री राम जन्मभूमि तीर्थ क्षेत्र भारत सरकारद्वारा उत्तर प्रदेशक अयोध्या शहरमे राम मन्दिर निर्माणक लेल स्थापित एक ट्रस्ट छी। एहि ट्रस्टमे १५ सदस्य ट्रस्टीसभ सम्मिलित भऽ बनाओल गेल अछि,[३][४] एकर गठन भारतक सर्वोच्च न्यायालयक निर्णयकेँ अनुसार भेल अछि। भारतक प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीद्वारा स्वयं लोक सभामे ५ फरवरी २०२० कऽ श्री राम जन्मभूमि तीर्थ क्षेत्र गठनक घोषणा कएल गेल छल।[५][६]

श्री राम जन्मभूमि तीर्थ क्षेत्रक आर-२०, ग्रेटर कैलाश पार्ट -१, नयाँ दिल्ली, ११००४८ मे अपन पञ्जीकृत कार्यालय सहित पञ्जीकृत कएल गेल अछि। एकर दोसर कार्यालय राम रामचरी चार-धाम मन्दिर, रामकोट अयोध्या - २२४१२३ मे अछि।[७] ई तीर्थ क्षेत्रक निर्माण २.७७ एकड़ (पहिने विवादित) भूमिक सङ्ग-सङ्गे ६७.७०३ एकड़ भूभागक अधिग्रहण अयोध्या अधिनियम १९९३ मे निश्चित क्षेत्रक अधिग्रहणक अनुसार कएल गेल छल। [८]

ई ट्रस्टक नेतृत्व महन्त नृत्यगोपाल दास करि रहल अछि। [९] भारतक पूर्व महान्यायभिकर्ता आ ओकील परासरन ई ट्रस्टक सदस्य छी शुरूमे ई ट्रस्टक नेतृत्व परासरनद्वारा कएल गेल छल।

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

विस्तार