सामग्री पर जाएँ

नृत्य गोपाल दास

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
महंत नृत्य गोपाल दास
Mahant Nritya Gopal Das
राम मंदिर भूमि पूजा के दौरान महंत नृत्य गोपाल दास
जन्म (१९३८-०६-११) ११ जुन १९३८ (उमर ८६)
केरहाला/काहोला गांव, मथुरा जिला, भारत
उपाधि/सम्मान
गुरूमहंत राम मनोहर दास

महंत नृत्य गोपाल दास (जन्म - ११ जून १९३८) अयोध्याक सबसँ पैग मंदिर, मणि राम दासक छावनीक प्रमुख आ राम जन्मभूमि न्यासश्री राम जन्मभूमि तीर्थ क्षेत्रक प्रमुख छी,[] जे अयोध्यामे राम मन्दिरक निर्माणक लेल गठित संस्था अछि। ओ श्री कृष्ण जन्मस्थान सेवा संस्थानक प्रमुख सेहो छी।[]

पृष्ठभूमि

[सम्पादन करी]

हिनकर जन्म ११ जून १९३८ मे मथुरा जिलाक केरहला गाममे भेल छल।[] १९५३ मे अपन दसम कक्षाक परीक्षा उत्तीर्ण करलाक बाद ओ वाणिज्यक अध्ययनक लेल मथुराक एक कलेजमे प्रवेश केलक, मुदा अपन अध्ययन पूरा करबासँ पहिने, १२ वर्षक उमरमे ओ अयोध्या चल गेल।[] अयोध्यामे ओ महंत राम मनोहर दासक शिष्य बनल आ वाराणसीमे संस्कृत विश्वविद्यालयसँ शास्त्रीक उपाधि प्राप्त केलक। १९६५ मे, २७ वर्षक उमरमे ओ श्री मणिराम दास छावनी (छोट छावनी) क छठम महंतक बाद ओ ओकर महंत बनल। ई मन्दिर शहरक प्रमुख धार्मिक आ आध्यात्मिक आकर्षणसभमे सँ एक छी, जतय प्रतिदिन महंत नृत्य गोपाल दास सैकड़ो तीर्थयात्रीसभसँ भेटैत छथि। हुनका रामायण भवन आ श्री चार धाम मंदिर सहित मन्दिरसभक निर्माणक श्रेय देल जाइत अछि। ओ "मणिराम छावनी" चलाबैत छथि जतय ५०० साधु रहैत छथि। ओ १९८४ सँ राम जन्मभूमि आन्दोलन सँ सक्रिय रूप सँ जुड़ल अछि। २००६ मे जखन रामचन्द्र दास परमहंसक मृत्यु भेल तखने ओ राम जन्मभूमि न्यासक प्रमुखक पद ग्रहण केलक आ वर्तमानमे ओ श्री राम जन्मभूमि तीर्थ क्षेत्रक प्रमुख छी आ श्री कृष्ण जन्मभूमि ट्रस्टक प्रमुख सेहो छी।

श्री राम जन्मभूमि तीर्थ क्षेत्र

[सम्पादन करी]

भारत सरकारद्वारा उत्तर प्रदेशक अयोध्या शहरमे राम मन्दिर निर्माणक लेल स्थापित एक ट्रस्ट छी। एहि ट्रस्टमे १५ सदस्य ट्रस्टीसभ सम्मिलित भऽ बनाओल गेल अछि,[][] एकर गठन भारतक सर्वोच्च न्यायालयक निर्णयकेँ अनुसार भेल अछि। भारतक प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीद्वारा स्वयं लोक सभामे ५ फरवरी २०२० कऽ श्री राम जन्मभूमि तीर्थ क्षेत्र गठनक घोषणा कएल गेल छल।[][]

श्री राम जन्मभूमि तीर्थ क्षेत्रक आर-२०, ग्रेटर कैलाश पार्ट -१, नयाँ दिल्ली, ११००४८ मे अपन पञ्जीकृत कार्यालय सहित पञ्जीकृत कएल गेल अछि। एकर दोसर कार्यालय राम रामचरी चार-धाम मन्दिर, रामकोट अयोध्या - २२४१२३ मे अछि।[] ई तीर्थ क्षेत्रक निर्माण २.७७ एकड़ (पहिने विवादित) भूमिक सङ्ग-सङ्गे ६७.७०३ एकड़ भूभागक अधिग्रहण अयोध्या अधिनियम १९९३ मे निश्चित क्षेत्रक अधिग्रहणक अनुसार कएल गेल छल। [१०]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. Hebbar, Nistula (१९ फरबरी २०२०), "Ram temple trust elects Nritya Gopal Das as president", The Hindu, अन्तिम पहुँच २४ नवम्बर २०२३ 
  2. "Coronavirus | Ram temple trust head Mahant Nritya Gopal Das tests positive for COVID-19", The Hindu (en-INमे), २०२०-०८-१३, आइएसएसएन 0971-751X, अन्तिम पहुँच २०२०-०८-१३ 
  3. "जानें कौन हैं श्री रामजन्मभूमि न्यास के अध्यक्ष महंत नृत्य गोपालदास", Amar Ujala (हिन्दीमे), १९ फरबरी २०२०, अन्तिम पहुँच २४ नवम्बर २०२३ 
  4. Bakshi, Gorky (२०२०-०२-२०), "Ram Mandir Trust appoints Nritya Gopal Das as Chairman, Champat Rai as General Secretary", Jagranjosh.com, अन्तिम पहुँच २०२०-०८-१३ 
  5. http://egazette.nic.in/WriteReadData/2020/215935.pdf
  6. DelhiFebruary 5, Poulomi Saha New; February 5, 2020UPDATED:; Ist, 2020 15:16, "Sri Ram Janmabhoomi Teerth Kshetra: PM Modi announces formation of Ayodhya temple trust", India Today 
  7. Modi, Narendra (फरबरी ५, २०२०), "Today we take a historic step ahead towards building a grand Ram Temple in Ayodhya!", Twitter 
  8. Varma,Anuja, Gyan (फरबरी ५, २०२०), "Modi announces 15-member trust for temple in Ayodhya", Livemint 
  9. "Archive copy", मूलसँ २०२३-११-२४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०२३-११-२४ 
  10. https://indianexpress.com/article/explained/ayodhay-verdict-ram-temple-trust-babri-masjid-6254985/lite/

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]