श्वेता बासु प्रसाद

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
श्वेता बासु प्रसाद
Shweta Basu Prasad
जन्म
श्वेता बासु प्रसाद

(१९९१-०१-११) जनवरी ११, १९९१ (उमर ३३)
राष्ट्रियताभारतीय
व्यवसायअभिनेत्री
सक्रिय वर्ष२००२–वर्तमान
जीवनसाथी(सभ)रोहित मित्तल (वि. २०१८)
अभिभावक(सभ)अनुज प्रसाद
सर्मिस्था बासु
सम्बन्धीराहुल (भाए)


श्वेता बासु प्रसाद एक भारतीय अभिनेत्री छी। ओ अपन करियरक शुरुआत एकटा बाल कलाकारक रुपमे हिन्दी चलचित्र सँ केनए छल। एकर बाद ओ तेलुगु, बङ्गालीतमिल सिनेमामे सेहो मुख्य अभिनेत्रीक रुपमे अभिनय केनए अछि। सन् २००२ मे श्वेता बासु बलिउड चलचित्र मकडी मे एकटा बाल कलाकारक भूमिका निभेलक जकर प्रशंसा चलचित्र विशेषज्ञसभ सेहो केनए छल आ एहि चलचित्रक लेल हुनका सर्वश्रेष्ठ बाल कलाकारक लेल राष्ट्रिय चलचित्र पुरस्कार सहो प्राप्त भेल छल।

प्रारम्भिक जीवन[सम्पादन करी]

श्वेता बासु प्रसादक जन्म जमशेदपुर, बिहारमे भेल छल (जे एखन झारखण्डमे अछि)। एकर बाद ओ अपन परिवारक सङ्ग वाल्यकालमे मुम्बई चलि गेल।[१] हुनकर पिता अनुज बिहार सँ अछि आ माता सरमिष्टा पश्चिम बङ्गाल सँ अछि।[२] श्वेताक दादा इन्टेलिजेन्स ब्युरोमे एक प्रमुख परिचालन अधिकारीक रूपमे सेवानिवृत्त भेल छल। हुनकर पिता अनुज श्रीराम केन्द्र, नयाँ दिल्ली सँ एक निर्देशन आ अभिनय डिप्लोमा धारक छी। श्वेता आरएन पोडार उच्च विद्यालय, सेन्टाक्रुज, मुम्बई सँ वाणिज्यकें अध्ययन केनए छल। ओ अपन माताक पहिल नाम 'बासु' सेहो अपन स्क्रीन नाममे जोड़लक। [३]

करियर[सम्पादन करी]

११[४] वर्षक आयुमे प्रसाद अपन अभिनय करियरक शरूआत केनए छल। हुनकाद्वारा अभिनित पहिल चलचित्र 'मकडी' छी। विशाल भारद्वाजद्वारा निर्देशित 'मकडी' चलचित्रमे ओ बहु भूमिका 'चुन्नी' आ 'मुन्नी' कें किरदार निभेलक, जकरा लेल हुनका सर्वश्रेष्ठ बाल कलाकारक लेल राष्ट्रिय चलचित्र पुरस्कार सेहो प्राप्त भेल छल। एकटा बाल कलाकारक रुपमे ओ 'करिश्मा का करिश्मा' आ 'कहानी घर घर की' जका टिभी धारावाहिकमे सेहो काज केनए छल।[५] सन् २००५ मे, ओ चलचित्र 'इकबाल' मे खदिजा नामक किरदारक रुपमे अभिनय केनए छल। ई चलचित्रमे हुनकर दमदार अभिनयक लेल हुनका ५म् कराची अन्तर्राष्ट्रिय चलचित्र उत्सवमे सर्वश्रेष्ठ सहायक अभिनेत्रीकें पुरस्कार सहित कयन पुरस्कार प्राप्त भेल।[६]सन् २००८ मे ओ तेलुगु सिनेमा 'कोठा बंगारू लोकं' सँ करियर शुरू केलक आ ई चलचित्र व्यावसायिक रुप सँ सफल रहल।

फिल्मोग्राफी[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Interview with Shweta Basu Prasad". www.idlebrain.com. Retrieved 2008-10-30.
  2. "Interview with Shweta Basu Prasad". www.idlebrain.com. Retrieved 2008-10-30.
  3. Shweta Prasad's name games. Hindustan Times (2007-11-26). Retrieved on 2012-06-21.
  4. "Interview with Shweta Basu Prasad". www.idlebrain.com. Retrieved 2008-10-30.
  5. PIB Press Releases. Pib.nic.in (2003-07-26). Retrieved on 2012-06-21.
  6. 5th KaraFilm Festival – Karachi International Film Festival 2005. Karafilmfest.com. Retrieved on 2012-06-21.

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]