सामग्री पर जाएँ

सागरिका घाटगे

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
सागरिका घाटगे
Sagarika Ghatge
Sagarika Ghatge
घाटगे एक फ्यासन कार्यक्रममे
जन्म
सागरिका घाटगे

१९८६ (उमर ३८–३९)
राष्ट्रियताभारतीय
व्यवसायमोडल, चलचित्र अभिनेत्री
सक्रिय वर्ष२००७–वर्तमान
प्रसिद्धि कारणचक दे! इन्डिया
जीवनसाथी(सभ)जहीर खान (वि. २०१७)


सागरिका घाटगे एक भारतीय मोडल आ चलचित्र अभिनेत्री छी जे सन् २००७ मे प्रदर्शित चक दे! इन्डिया नामक चलचित्रमे प्रीती सभरवाल कऽ भूमिकाक सङ्ग अपन अभिनय करियरक शुरुआत केनए छल। सन् २०१५ मे एक भारतीय रियाल्टी कार्यक्रम 'फियर फ्याक्टर' मे प्रतिस्पर्धीकें रूपमे भाग लऽ फाइनल धरि पहुँचैमे सफल भेल छल।[] ओ एक राष्ट्रिय स्तरकें भारतीय खेलाडी सेहो छी।

प्रारम्भिक जीवन

[सम्पादन करी]

सागरिकाकें जन्म महाराष्ट्रक कोल्हापुरमे भेल छल। हिनकर पिताक नाम विजेयन्द्र घाटगे[]आ माताक नाम उर्मिला घाटगे छी। कोल्हापुरमे सागरिका मात्र आठ वर्ष धरि रहल। ओकर बाद ओ मेयो कौलेज गर्ल्स स्कूलमे अध्ययनक लेल राजस्थानक अजमेर शहर चलि गेल।[] ओ कोल्हापुरकें शाहू महाराजक माध्यम सँ भारतक पूर्व शाही घराना सँ सम्बन्धित अछि, हिनकर पिता कागल क पूर्व शाही परिवार आ हिनकर दादी सीता राजे घाटगे इन्दौरक तुकोजीराव होलकर तृतीयकें बेटी छी। सागरिकाकें एक टा भाए अछि। सागरिका एक राष्ट्रिय स्तरीय हकी खेलाड़ी छल।

हेजल कीच आ फतेमा अगरकरक सङ्ग सागरिका घाटगे

सन् २००७ मे सागरिका घाटगे अपन पहिल बलिउड चलचित्र चक दे! इन्डियामे भारतीय महिला राष्ट्रिय हकी टिमकें एक काल्पनिक सदस्य प्रीती सबरवालकें भूमिका निर्वाह केनए छल जकर बाद रिबक इन्डिया हिनका अपन उत्पाद राजदुत घोषित केनए छल।[] ओ फ्यासन पत्रिका आ विभिन्न फ्यासन कार्यक्रममे अपन प्रस्तुति दर्शाए चुकल अछि। सागरिका सन् २००९ कें चलचित्र 'फक्स' मे उर्वशी माथुरक भूमिका निर्वाह केनए छल। ओकर बाद ओ 'मिले ना मिले हम' नामक चलचित्रमे कमैयाकें भूमिका निर्वाह केनए छल। घाटगेकें पहिल मुख्य भूमिकामे चित्रित चलचित्र रस छल जहिमे ओ इमरान हाशमीकें विपरीत अभिनय केनए अछि आ ई चलचित्र सन् २०१२ अक्टुबर २४ कें प्रदर्शन कएल गेल छल। सतिश राजवाडेद्वारा निर्देशित मराठी चलचित्र 'प्रेमची घोष्ता' मे घाटगे अभिनेता अतुल कुलकर्नी सङ्गे अभिनय केनए छल। ई घाटगेद्वारा अभिनित पहिल मराठी चलचित्र छल जे सन् २०१३ मे प्रदर्शित कएल गेल छल।[] सन् २०१५ मे पञ्जाबी चलचित्र 'दिलदारियाँ' मे अभिनय करवाक लेल ओ पञ्जाबी भाषा सिखलक।[] सन् २०१७ मे प्रदर्शित कएल गेल 'इरादा' हुनकर पैग पर्दामे अभिनय कएल गेल अन्तिम चलचित्र छी। एखन ओ 'मनसुन फुटबल' नामक चलचित्रक अभिनयमे व्यस्त अछि।

व्यक्तिगत जीवन

[सम्पादन करी]

सन् २०१७ अप्रैल २४ कें घाटगे भारतीय क्रिकेट टिमक खेलाडी जहीर खान सङ्गे सगाईकें घोषणा केनए छल।[] ई दुनू जोड़ी सन् २०१७ नवम्बरमे विवाह केनए छल।[]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "I miss playing hockey: Sagarika Ghatge", Times of India, अन्तिम पहुँच ९ फरबरी २०१७ 
  2. "Mistaken identity for Sagarika Ghatge", Times of India, अन्तिम पहुँच २०१८-०६-०२ 
  3. "I’m determined & focused: Sagarika", Times of India 
  4. "Sagarika Ghatge is Reebok's brand ambassador", अन्तिम पहुँच २३ Feb २०१२ 
  5. "Premachi Goshta Marathi Movie Cast", Marathi Stars 
  6. "Sagarika Ghatge learns Punjabi for her next movie!", Can India News, अन्तिम पहुँच ११ अक्टुबर २०१५ [permanent dead link]
  7. "Zaheer Khan announces engagement with actress Sagarika Ghatge", The Indian Express, अन्तिम पहुँच २४ अप्रैल २०१७ 
  8. "पहले भी हुआ क्रिकेट और बॉलीवुड का मिलन" 

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]