सामग्री पर जाएँ

सुल्तानगञ्ज

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
सुल्तानगञ्ज
Sultanganj
शहर
सुल्तानगञ्ज अवस्थित प्रसिद्ध अजगवीनाथ शिवमन्दिर
सुल्तानगञ्ज अवस्थित प्रसिद्ध अजगवीनाथ शिवमन्दिर
देश भारत
राज्यबिहार
जिलाभागलपुर
जनसङ्ख्या
 (२०११)
  कुल५२८९२
भाषासभ
  आधिकारिकअंगिकाहिन्दी
समय क्षेत्रयुटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय)
डाक कोड
८१३२१३
सवारी दर्ताBR-10

सुल्तानगञ्ज (अङ्ग्रेजी: Sultanganj) भारतक बिहार राज्यक भागलपुर जिलामे अवस्थित एक ऐतिहासिक स्थल छी ।[]गङ्गा नदीक तट पर बसल अछि । एतय बाबा अजगबीनाथक विश्वप्रसिद्ध प्राचीन हिन्दू मन्दिर अछि । उत्तरवाहिनी गङ्गा होमएके कारण साओन[] मासमे बहुतेक सङ्खयामे काँवरियासभ देश आ विदेशक विभिन्न स्थान सँ गङ्गाजल भरि बाबाधामक यात्रा आरम्भ करैत अछि ।[][]

धार्मिक महत्व

[सम्पादन करी]

सुल्तानगञ्ज एक प्राचीन बौद्ध धर्मक केन्द्र छी जतय बहुतेक बौद्ध विहारसभ वाहेक एक स्तूपक अवशेष सेहो प्राप्त भेल अछि । सुल्तानगञ्जमे बाबा अजगबीनाथक विश्वप्रसिद्ध आ प्राचीन मन्दिर अछि । सुल्तानगञ्ज सँ एक विशाल गुप्तकालीन कलाक बौद्ध प्रतिमा भेटल अछि, जे वर्तमानमे बर्मिङ्घम (इङ्ल्यान्ड) कऽ सङ्ग्रहालयमे सुरक्षित अछि । ई बुद्ध प्रतिमा दुई टन सँ बेसी भारी तथा दुई मीटर उँच अछि । ई प्रतिमामे महात्मा बुद्धक शीश पर कुञ्चित केश तँ अछि मुदा ओकर चारो दिस प्रभामण्डल नै अछि ।

ई ताम्र प्रतिमा नालन्दा शैलीक प्रतीत होएत अछि मुदा सुप्रसिद्ध इतिहासकार राखाल दास बनर्जी एकरा पाटलिपुत्र शैलीमे निर्मित मानने अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "History Of Sultanganj", blessingsonthenet.com, अन्तिम पहुँच २०१८-०९-१०
  2. "Shrawani Mela inaugurated - Times of India", The Times of India, अन्तिम पहुँच २०१८-०९-१०
  3. "सुल्तानगंज के लिए रवाना हुआ कावरियाें का दल", Dainik Bhaskar (हिन्दीमे), अन्तिम पहुँच २०१८-०९-१०
  4. "छह घंटे तक जाम में फंसे रहे गोरगामा के कांवरिया", Dainik Jagran (हिन्दीमे), अन्तिम पहुँच २०१८-०९-१०

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]