छिन्नमस्ता भगवती
छिन्नमस्ता भगवती | |
---|---|
[[Image:
ऊपर सँ नीचा दिस: छिन्नमस्ता भगवतीक प्रतिमा आ दक्षिण दिशा सँ मन्दिरक दृश्य। |280px|alt=|]] | |
निर्देशाङ्क: | २६°४०′०″उ॰ ८६°४४′५५″पू॰ / २६.६६६६७°N ८६.७४८६१°Eनिर्देशाङ्क: २६°४०′०″उ॰ ८६°४४′५५″पू॰ / २६.६६६६७°N ८६.७४८६१°E |
नाम | |
अन्य नामसभ: | शक्रेश्वरी देवी |
वास्तविक नाम: | छिन्नमस्ता भगवतीक मन्दिर |
अवस्थिति | |
देश: | नेपाल |
राज्य/अञ्चल: | सगरमाथा |
जिला: | सप्तरी |
स्थान: | सखडा, छिन्नमस्ता |
कला आ संस्कृति | |
मुख्य देवता: | छिन्नमस्ता भगवती |
प्रमुख पर्व: | बिजया दशमी या दशहरा |
छिन्नमस्ता भगवती [सखड़ेश्वरी भगवती] मन्दिर सप्तरी जिलाकऽ राजविराज सँ दक्षिण सीमावर्ती क्षेत्र छिन्नमस्ता गाउँपालिका कऽ सखड़ा गाममे अवस्थित अछि । छिन्नमस्ता भगवती मनोकामना पूर्ण केनिहार शक्तिपीठसभमें सँ एक पीठ मानल जाईत अछि आ नेपाल आ भारतक आमजनमानसक बड्का आस्थाके केन्द्र अछि ।[१]
इतिहास
[सम्पादन करी]प्राचिन इतिहास आर किवंदन्तीके अनुसार, सन् १०९७में मुसलमान आक्रमण कालमें कर्नाटकके कर्नाटवंशी राजा नान्यदेव भागि पाटली पुत्र होइत मिथिला आएल आ सिम्रौनगढ (बारा)मे अपन राजधानी कायम कएने छल । एहि नान्यदेव वंशके पाँचम पिढीके शक्रसिंह देव राजा भेल । ऊ नाबालक पुत्र हरिसिंह देवके राजगद्दीपे राखि कऽ निर्वासित जीवन बिताबैल सप्तरी अएलाह। तखनि जङ्गलस भरल ई स्थानमें जङ्गल सफा करि कालमें भेटल भगवती मूर्तिके ओ अपन कुलदेवीक रूपमें स्थापना करलक आ अपन नामसँ देवीकें नाम शक्रेश्वरी राखने छल । देवीके शीर नैभेलाक कारणसँ किछु समयके बाद छिन्नमस्ता भगवती नाम राखल गेल छल ।[२] एहि ठाम दशमी (दशहरा) में सर्धालु भक्तजन सभक नेपाल आ भारतक बिहार सँ पैग सङ्ख्यामे माँताकें भक्तसभ दर्शन करबाक लेल आबैत अछि दशहराकें १० दिन धरि एहि ठाम पूजा पाठ केनिहार भक्तसभक खूब भीर रहैत अछि ।
मूर्तिक विशेषता
[सम्पादन करी]भगवतीक मूर्ति कारी रङ्गक छै। मूल मूर्तिके पैरक निचा पाड़ाक शीर स्पष्ट छै। मूल मूर्तिके कात दुनु बगल अन्य मूर्तिसभ अछि। स्थापित मूर्ति भैरवी चामुण्डा, छिन्नमस्ता, दक्षिणकाली आ महिष मर्दिनीक मूति अछि।[३]
सम्बन्धित पृष्ठ
[सम्पादन करी]सन्दर्भ सूची
[सम्पादन करी]- ↑ "प्रसिद्ध शक्तिपीठ सखडेश्वरी"। गोरखापत्र। अन्तिम पहुँच १० नवम्बर २०१४।
- ↑ मेचीदेखि महाकाली भाग- १
- ↑ यादव श्यामसुन्दर,शखड़ेश्वरी भगवती शक्तिपीठ दर्शन,
बाहिरक स्रोत
[सम्पादन करी]विकिमिडिया कमन्समे छिन्नमस्ता भगवतीसँ सम्बन्धित मिडिया अछि।आकृति:Preview warning |
विकिमिडिया कमन्समे Chinnamasta Temple,Saptariसँ सम्बन्धित मिडिया अछि।आकृति:Preview warning |