आकृति:मुख्य लेख/दिसम्बर, २०१९

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
मदर टेरेसा

मदर टेरेसा (२६ अगस्त १९१०- ५ सितम्बर १९९७)क जन्म अग्नेसे गोङ्क्से बोजसियुक नामसँ एक अल्बेनियाली परिवारमे उस्कुब, ओटोमन साम्राज्य (एखन सोप्जे, म्यासेडोनिया)मे भेल छल। मदर टेरसा रोमन क्याथोलिक नन छल, जकरा भारतीय नागरिकता छल। ओ सन् १९५० मे कोलकातामे मिसनरिज अफ च्यारिटीक स्थापना केनए छल । ४५ वर्षधरि गरीब, बीमार, अनाथ आ असहाय व्यक्तिसभक मद्दति केलक आ सङ्गे च्यारिटीक मिसनरिजक प्रसारक मार्ग प्रसस्त केनए छल।

सन् १९७० तक ओ गरीब आओर असहायक लेल अपन मानवीय कार्यसभक लेल प्रसिद्द भेल छलीह, माल्कोम मुगेरिजक बहुत रास वृत्तचित्र आ पुस्तक समथिङ ब्युटिफुल फर गड मे हिनकर उल्लेख कएल गेल अछि। ओ सन् १९७९ मे नोबेल शान्ति पुरस्कार आ सन् १९८० मे भारतक सर्वोच्च नागरिक सम्मान भारत रत्न प्राप्त केनए छल। मदर टेरेसाक जीवनकालमे मिसनरिज अफ च्यारिटीक कार्य लगातार विस्तृत भेल छल आ हुनकर मृत्युक समयधरि ई संस्था १२३ देशमे ६१० मिसन नियन्त्रित करि रहल छल। (पूरा लेख...)