सामग्री पर जाएँ

छिन्दवाड़ा

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
छिन्दवाड़ा
कर्न सिटी
नगर
छिन्दवाड़ा रेलवे स्टेशन
छिन्दवाड़ा मध्य प्रदेशपर अवस्थित
छिन्दवाड़ा
छिन्दवाड़ा
भारतीय राज्य मध्य प्रदेशक मानचित्र
निर्देशाङ्क: २२°०४′N ७८°५६′E / २२.०७°N ७८.९३°E / 22.07; 78.93निर्देशाङ्क: २२°०४′N ७८°५६′E / २२.०७°N ७८.९३°E / 22.07; 78.93
देश भारत
राज्यमध्य प्रदेश
जिलाछिन्दवाड़ा
सरकार
 • अङ्गछिन्दवाड़ा नगर निगम
 • विधायककमलनाथ (कांग्रेस)
क्षेत्रफल
 • कुल११० किमी (४० वर्गमाइल)
उन्नतांश
६७५ मिटर (२२१५ फिट)
जनसङ्ख्या
 (सन् २०११)
 • कुल२,६०,५७५
भाषासभ
 • आधिकारिकहिन्दीअङ्ग्रेजी
 • क्षेत्रीयहिन्दी, गोन्डीमराठी
समय क्षेत्रयुटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय)
पिन
४८०००१, ४८०००२, ४८०००३
दूरभाष कोड०७१६२
सवारी दर्ताMP-28
लिङ्गानुपात.९६६ /
वेबसाइटchhindwara.nic.in/en/

छिन्दवाड़ा भारतक मध्य प्रदेश प्रदेशमे अवस्थित एक प्रमुख शहर छी। छिन्दवाड़ा नगर, दक्षिण-मध्य मध्य प्रदेश राज्य, मध्य भारत, कुलबेहराक धारा बोदरीक तटपर अवस्थित अछि। ई ६७१ मीटरक उचाइ पर सतपुड़ाक खुल्ला पठार पर अवस्थित अछि आ उपजाऊ कृषि भूमिसँ घेरल अछि, जकर बीचमे आमक बगैचा अछि आ एकर उत्तर-पश्चिममे कम उचाइक उबड़ खाबड़ पहाड़ आ दक्षिणमे नागपुरक मैदान दिस ढलान अछि। पठारक दक्षिणी आ पूर्वी भागमे चौराई गहूँक उपजाऊ मैदान अछि। नागपुरक मैदान कपास आ ज्वारक खेतीक समृद्ध क्षेत्र अछि आ ई सम्पूर्ण क्षेत्रक सभसँ समृद्ध आ सर्वाधिक जनसङ्ख्या वला भाग छी। वानगङ्गा, पेंच आ कन्हान नदीसभ एहि क्षेत्रक जल निकासी करैत अछि। एहि ठामक माटि बजरीयुक्त आ जल्दी सूखए वला अछि। अपेक्षाकृत कम वर्षाक बावजूद एतौका मौसम विशेष रूपसँ स्वास्थ्यवर्द्धक आ खुशनुमा अछि। एहि नगरक नाम 'छिन्द' अर्थात् खजुर सन दिखय वला गाछक नाम पर राखल गेल अछि। छिन्दवाड़ामे माटिसँ बनल एक दुर्ग अछि, जतय सन् १८५७ कऽ विद्रोहसँ पहिने सेनाक शिविर छल। सन् १८६७ मे ई नगरक नगरपालिकाक गठन भेल छल।

उद्योग आ व्यापार

[सम्पादन करी]

ई शहर रेल आ सड़कक महत्वपूर्ण मिलनकेन्द्र पर बसल अछि। एकर अगलबगलक पठारी क्षेत्रमे कोइला, टिन, जस्ता, बक्साइट आ सङ्गमरमरक खनन होइत अछि। कपासक व्यापार आ कोइलाक ढुवानी ई नगरक मुख्य गतिविधिसभ छी। कपास ओटाई आ आरा मिल एहि ठामक मुख्य उद्योग अछि। पठारमे व्यापक रूपसँ पशुपालन होइत अछि। स्थानीय स्तर पर ई नगर माटिक बर्तन तथा जस्ता, पीतल आ कांस्यक आभूषण आ चमड़ाक वस्तुसभक निर्माणक लेल विख्यात अछि। माचागोरा बाँध, जे बड्ड पैघ अछि, एहि ठाम पानि पहुँचाबयक लेल नहि अछि। ई नगर स्थानीय व्यापारक केन्द्र अछि आ पशु, अनाज आ भवन निर्माणक लकड़ीक बिक्रीक लेल एतय साप्ताहिक हाट बजार लगैत अछि।

  • हिन्दुस्तान युनिलिभर एक बहुराष्ट्रिय कम्पनी अछि, जे मूल रूपसँ इङ्ल्यान्डक अछि। पहिने एहि कम्पनीक नाम हिन्दुस्तान लिभर लिमिटेड छल। छिन्दवाड़ा हिन्दुस्तान युनिलिभर लिमिटेड छिन्दवाड़ासँ ५ किमी दूर गाम लहगडुआमे अवस्थित अछि। ई कम्पनी सन् २००८ मे ७५ वर्ष पूरा केलक। हिन्दुस्तान युनिलिभरमे २१० कर्मचारी अछि, जे चारि बेर अप्पन अप्पन समयमे काज करैत अछि। छिन्दवाड़ा उद्योग तीनटा मुख्य उत्पाद बनाबैत अछि: रिन वासिङ साबुन, ह्विल वासिङ पाउडर आ सर्फ एक्सल वासिङ पाउडर। ई मध्य प्रदेशमे हिन्दुस्तान युनिलिभरक एकमात्र कारखाना छी। सन् २००७ मे एहि कम्पनी केर उत्पादन ७०,००० इकाई छल।[]
  • रेमन्ड समूह: रेमन्ड छिन्दवाड़ा संयन्त्र, जे सन् १९९१ मे स्थापित कएल गेल छल, छिन्दवाड़ासँ ६५ किमी दूर स्थित एक अत्याधुनिक एकीकृत विनिर्माण सुविधा छी। १०० एकड़ (०.४० वर्ग किलोमिटर) भूमि पर निर्मित, ई संयन्त्र प्रिमियम शुद्ध ऊन, ऊन मिश्रित आ पोलिएस्टर विस्कोस सुटिङक उत्पादन करैत अछि।[]
  • वेस्टर्न कोलफिल्ड्स लिमिटेड: वेस्टर्न कोलफिल्ड्स छिन्दवाड़ाक प्रमुख कम्पनी छी, एहिठाम लगभग दस हजार लोक एक साथ काज करैत अछि।

संस्कृति

[सम्पादन करी]

छिन्दवाड़ा जिलामे आदिवासी जनसङ्ख्या बहुसङ्खयक अछि। आदिवासी समुदायमे गोन्ड, परधान, भारिया, कोरकू शामिल अछि। जिलामे हिन्दी, गोन्डी, उर्दू, कोरकू, मुसाई आदि अनेक भाषासभ प्रचलित अछि। अधिकांश आदिवासी लोक गोन्डी आ मराठी मिश्रित हिन्दी भाषामे बाजैत अछि।

जिलामे सभसँ बेसी मनाएल जाए वाला सांस्कृतिक समारोह उत्सवमे पोला, भुजलिआ, मेघनाथ, अखाड़ी, हरिज्योति आदि शामिल अछि। गोटमार मेला पाण्डुरणाक एकटा अनोखा आ विश्व प्रसिद्ध मेला छी। प्रत्येक वर्ष शिवरात्रीक दिन 'चौरागढ़' पर 'महादेव मेला' मनाओल जाइत अछि।

छिन्दवाड़ा अनेक प्रसिद्ध मन्दिर आ मस्जिदक घर छी। छिन्दवाड़ा आ आसपासक गामसभमे अनेक उत्सव आ नृत्यसभ मनाओल जाइत अछि। सेला नृत्य, गेड़ी नृत्य, नागपञ्चमी नृत्य आदि किछु नाम अछि। आसपासक गामसभमे प्रसिद्ध उत्सवसभमे चौथाक दङ्गल आ पञ्चमीक मेला शामिल अछि।

छिन्दवाड़ा (सन् १९८१-२०१०, चरम सन् १९०८-२०१२)-कऽ लेल मौसम जानकारी
महिना जन फर मार्च अप्रैल मई जुन जुलाई अगस्त सित अक्टु नव दिस वर्ष
अधिकतम °से (°फे) रेकर्ड ३६٫०
(९७)
३७٫०
(९९)
३८٫७
(१०२)
४२٫५
(१०९)
४७٫६
(११८)
४४٫७
(११२)
४०٫३
(१०५)
३४٫०
(९३)
३८٫६
(१०१)
३८٫०
(१००)
३५٫५
(९६)
३३٫४
(९२)
४७٫६
(११८)
अधिकतम °से (°फे) औषत २५٫३
(७८)
२८٫०
(८२)
३२٫२
(९०)
३७٫५
(१००)
३९٫२
(१०३)
३५٫७
(९६)
२९٫८
(८६)
२८٫१
(८३)
२९٫४
(८५)
३०٫३
(८७)
२८٫३
(८३)
२६٫१
(७९)
३०٫८
(८७)
न्यूनतम °से (°फे) औषत ८٫८
(४८)
११٫४
(५३)
१५٫४
(६०)
२०٫९
(७०)
२४٫३
(७६)
२३٫४
(७४)
२१٫८
(७१)
२१٫३
(७०)
२०٫७
(६९)
१६٫७
(६२)
१२٫१
(५४)
८٫७
(४८)
१७٫१
(६३)
न्यूनतम °से (°फे) रेकर्ड १٫६
(३५)
२٫८
(३७)
७٫०
(४५)
९٫६
(४९)
१४٫६
(५८)
१०٫०
(५०)
९٫३
(४९)
९٫६
(४९)
१०٫६
(५१)
२٫८
(३७)
२٫१
(३६)
१٫१
(३४)
१٫१
(३४)
औषत वर्षात मीमी (इञ्च) १०٫६
(०٫४२)
१८٫४
(०٫७२)
१७٫९
(०٫७)
७٫३
(०٫२९)
१३٫०
(०٫५१)
१४७٫३
(५٫८)
२६५٫२
(१०٫४४)
२२९٫२
(९٫०२)
१७१٫२
(६٫७४)
४२٫०
(१٫६५)
१९٫७
(०٫७८)
४٫६
(०٫१८)
९४६٫२
(३७٫२५)
वर्षात दैनिक औषत १٫३ १٫५ १٫६ ०٫९ १٫३ ७٫६ १४٫१ १३٫२ ८٫६ २٫९ ०٫७ ०٫३ ५३٫८
औषत नमी (%) (at 17:30 IST) ४५ ४१ ३७ ३३ ३५ ५३ ७२ ७५ ७३ ६२ ५० ४७ ५२
स्रोत: भारत मौसम विज्ञान विभाग[][]

उल्लेखनीय लोकसभ

[सम्पादन करी]
  • कमल नाथ, मध्य प्रदेशक १८हम् मुख्यमन्त्री []
  • निर्मला श्रीवास्तव, धर्मगुरु
  • मुबीन सौदागर, भारतीय स्ट्यान्ड-अप कमेडियन आ मिमिक्री कलाकार
  • नकुल नाथ, भारतीय राजनीतिज्ञ, छिन्दवाड़ासँ संसद सदस्य
  • अनुसुइया उइके, भारतीय राजनीतिज्ञ, छत्तीसगढ़क राज्यपाल
  • भावना डेहरिया, अन्तर्राष्ट्रिय पर्वतारोही
  • पाखी टायरवाला, भारतीय लेखिका आ चलचित्र निर्देशक

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "HUL wins four awards at Spikes Asia 2012 | 2012 | Hindustan Unilever", www.hul.co.in, मूलसँ २०१३-०१-२४ मे सङ्ग्रहित। 
  2. "Raymond Admin", मूलसँ २०१८-०१-०४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०२३-११-२० 
  3. "Station: Chhindwara Climatological Table 1981–2010", Climatological Normals 1981–2010, India Meteorological Department, जनवरी २०१५, पृ: 189–190, मूलसँ ५ फरबरी २०२० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २८ दिसम्बर २०२० 
  4. "Extremes of Temperature & Rainfall for Indian Stations (Up to 2012)", India Meteorological Department, दिसम्बर २०१६, पृ: M११६, मूलसँ ५ फरबरी २०२० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २८ दिसम्बर २०२० 
  5. त्रिपाठी, अजय (१८ नवम्बर २०२३), "छिन्दवाड़ा का एक गांव जहां किसी ने नहीं डाला वोट, कमलनाथ के लिए खड़ी होगी मुश्किल?", hindi (हिन्दीमे), अन्तिम पहुँच २० नवम्बर २०२३ 

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]