सामग्री पर जाएँ

पाग

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
मिथिलाक लाल पाग

पाग नेपालभारतक मिथिला क्षेत्रमे बसोबास केनिहार मैथिलसभ द्वारा माथपर पहिरल जाएत अछि। एकरा हिन्दू वेद तथा संस्कृत भाषामे सिरवश्त्रम कहल गेल अछि। एकर प्रयोग मिथिलाक पारम्परिक सभ्यताक प्रदर्शन करैत अछि। ई सम्मान आ गर्वक प्रतीक होइत अछि।[]

इतिहास आ शैली

[सम्पादन करी]

प्राचीन समयमे एकरा पात आदिसँ बनाएल जाएत छल, मुदा एखन एकरा कपड़ासँ बनाएल जाए लागल अछि।[] विशेष रूपसँ ई लाल, पीयर अथवा उज्जर रङ्गक भैटेत अछि। पागक संस्कृति बचेवाक लेल विभिन्न अभियान चलाएल जा रहल अछि। कालान्तरमे मुख्य रूपेँ पाग मिथिला क्षेत्रक ब्राह्मणकायस्थ समूह द्वारा[] लगाएल जाइत छल मुदा वर्तमान समयमे एकर प्रयोग मिथिलाक प्रत्येक समुदाय द्वारा कएल जाइत अछि।[]लाल रङ्गक पाग दुल्हा आ पूजा पाठ मे पुरुष द्वारा लगाएल जाएत अछि। पीयर रङ्गक पाग मुख्य रूपेँ वैवाहिक उत्सव मे सम्मिलित होमएवला लोकसभ द्वारा लगाएल जाइत अछि तँ छोट बच्चा आ प्रबोधकसभ उज़्जर रङ्गक पाग लगबैत छथि।[]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. http://timesofindia.indiatimes.com/city/patna/Donning-Mithilas-paag-in-Houses/articleshow/53480415.cms
  2. "Archive copy", मूलसँ २०१८-०३-०७ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०२०-११-१७
  3. http://shodhganga.inflibnet.ac.in/bitstream/10603/16641/7/07_chapter%203.pdf
  4. http://www.jansatta.com/duniya-mere-aage/pagg-tradition-in-mithila/47943/
  5. "Archive copy", मूलसँ २०१७-०८-०२ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०२०-११-१७ |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]