बिन्दु भट्ट

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
बिन्दु भट्ट
Bindu Bhatt
२०१८ मे गुजराती विश्वकोश ट्रस्टमे बिन्दु भट्ट
निवासी नामબિંદુ ગીરધરલાલ ભટ્ટ
जन्मबिन्दु गिरधरलाल भट्ट
(१९५४-०९-१८) १८ सितम्बर १९५४ (उमर ६९)
जोधपुर, राजस्थान
पेशाकथाकार, उपन्यासकार, आलोचक आ अनुवादक
भाषागुजराती, हिन्दी
राष्ट्रियताभारतीय
शिक्षा
  • मास्टर अफ आर्टस
  • पिएचडी
मातृसंस्थागुजरात विश्वविद्यालय
अवधिआधुनिक गुजराती साहित्य
शैलीsछोट कथा, उपन्यास
उल्लेखनीय कामसभ
  • मिरा याज्ञिकनी डायरी (१९९२)
  • अखेपातर (१९९९)
उल्लेखनीय पुरस्कारसाहित्य एकेडमी अवार्ड (२००३)
जीवनसाथीहर्षद त्रिवेदी (१९९१ - वर्तमान)
बाल-बच्चाजयजित त्रिवेदी

हस्ताक्षर
बिन्दु भट्ट
Academic background
ThesisModern Hindi Novel: New Facets of Fiction and Form
Doctoral advisorभोलाभाई पटेल
Academic work

बिन्दु भट्ट (गुजराती: બિંદુ ભટ્ટ) एक गुजराती भाषाक उपन्यासकार, कथाकार, आलोचक आ अनुवादक छी। ओ भारतक गुजरात राज्य सँ सम्बन्धित अछि आ विशेषत अपन रचना गुजराती भाषामे लिखैत अछि। हुनकर उपन्यास अखेपातर (१९९९) कें वर्ष २००३ कऽ लेल साहित्य एकेडमी पुरस्कार सँ सम्मानित कएल गेल छल। हुनकर अन्य महत्वपूर्ण कृतिसभमे 'मीरा याज्ञिकनी डायरी' (१९९२) आ बन्दनी (२००९) सम्मलित अछि।[१]

प्रारम्भिक जीवन[सम्पादन करी]

बिन्दु भट्टक जन्म १८ सितम्बर १९५४ कें जोधपुर, राजस्थानमे भेल छल। हिनकर पिताक नाम गिरधरलाल आ माताकें नाम कमलाबेन छी। बिन्दुकें जन्म भेलाक किछ साल बाद हिनकर परिवार लिम्बाडी आ फेर अहमदाबाद बसाइसराई केनए छल । बिन्दु अपन प्रारम्भिक विद्यालय शिक्षा लिम्बाडीकें बिए कन्या विद्यालय सँ पुरा केनए छल। तहिना ओ अपन उच्च शिक्षा सन् १९७६ मे अहमदाबादक एचके आर्ट्स कलेज सँ कलामे स्नातक आओर सन् १९७८ मे स्कूल अफ ल्याङ्ग्वेज, गुजरात विश्वविद्यालय सँ हिन्दी साहित्यक सङ्गे अपन विषयक रूपमे कलामे स्नातक केनए छल। ओ अपन विद्यावारिधिकें पढाई पुरा केनए अछि। सन् १९८३ मे एहि विश्वविद्यालय सँ भोलाभाई पटेलक अगुवाईमे हुनकर शोध कार्यक लेल (आधुनिक हिन्दी उपन्यास: उपन्यास आ रूपक नयाँ पहलु) विषयक उपर अपन शोध कार्य केनए छल। सन् १९९१ मे, ओ एक गुजराती लेखक आ कवि हर्षद त्रिवेदी सँ विवाह केनए छल[२]

करियर[सम्पादन करी]

ओ एक व्याख्याताक रूपमे अपन करियर शुरू केलक आ बादमे गुजरातीहिन्दी भाषा मे लिखनाए शुरू केनए छल। ओ एम शाह आर्ट्स एन्ड साइन्स कलेज, सुरेन्द्रनगरमे ६ वर्ष धरि हिन्दी साहित्यक अध्यापन करेनाए छल। ओ सन् १९९१ मे उमा आर्ट्स एन्ड नथिबा कमर्स महिला कलेज, गान्धीनगरमे सम्मलित भऽ गेल आ एखनो ओ ओतय एक एसोसिएट प्रोफेसर आ हिन्दी विभागक प्रमुखक रूपमे काज कऽ रहल अछि।[१]

कार्यसभ[सम्पादन करी]

बिन्दुकें पहिल उपन्यास 'मीरा याज्ञिकनी डायरी' सन् १९९२ मे प्रकाशित भेल छल जे दुई महिलासभक बीच समलैङ्गिक सम्बन्ध सँ सम्बन्धित अछि। ई कृतिकें सिन्धी भाषामे सेहो अनुवाद कएल गेल अछि आ एकर अनुवादकें साहित्य एकेडमी, नयाँ दिल्लीद्वारा पुरस्कृत कएल गेल छल। हुनकर दोसर उपन्यास 'अखेपरार' सन् १९९९ मे प्रकाशित भेल छल, जकर हिन्दी भाषा, सिन्धी भाषा, मराठी भाषा, कच्छी भाषा, राजस्थानी भाषाअङ्ग्रेजी भाषा सहित कयन भाषासभमे अनुवाद कएल गेल अछि। विनोद मेघानीद्वारा ई कृतिकें अङ्ग्रेजीमे अनुवाद कएल गेल अछी जे एखन अप्रकाशित अछि। बिन्दु भट्ट अपन पुस्तक 'बन्धनी' (२००९) कऽ सङ्ग लघु कथा शैलीमे अपन लेखन यात्रा आरम्भ केनए छल।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. १.० १.१ Vyas, Rajnee (2009). Moothi Uncheran Gujaratio (A collection of biographies). Ahmedabad: Gurjar Granth Ratna Karyalay. pp. 84. आइएसबिएन 978-81-8480-286-3. 
  2. "Kavi Harshad Trivedi- Gujarati Kavi Poet"Kavilok (गुजरातीमे)। 2007-01-10। अन्तिम पहुँच 2016-03-05

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]