सामग्री पर जाएँ

स्मृति मन्धाना

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
Smriti Mandhana
स्मृति मन्धाना
व्यक्तिगत जानकारी
पुरा नामस्मृति श्रीनिवास मन्धाना
जन्म (१९९६-०७-१८) १८ जुलाई १९९६ (उमर २८)
मुम्बई, महाराष्ट्र, भारत
बल्लेबाजी शैलीबामा हाथ सँ बल्लेबाजी
गेन्दबाजी शैलीराईट आर्म मीडियम पेस
काजबल्लेबाज
अन्तर्राष्ट्रिय जानकारी
राष्ट्रिय पक्ष
टेस्ट पदार्पण (टोपी ७५)१३ अगस्त २०१४ v इङ्ल्यान्ड
अन्तिम टेस्ट१६ नवम्बर २०१४ v दक्षिण अफ्रीका महिला
ओडिआई पदार्पण१० अप्रिल २०१३ v बंगलादेश महिला
अन्तिम ओडिआई१२ अप्रिल २०१८ v इङ्ल्यान्ड महिला
ओडिआई पोसाक क्रम१८
टि२०आई पदार्पण५ अप्रिल 2013 v बंगलादेश महिला
अन्तिम टि२०आई९ जून २०१८ v पाकिस्तान महिला
खेल जीवनी तथ्याङ्क
प्रतियोगिता टेस्ट वनडे टी२० अं
म्याच ४१ ३६
रन स्कोर ८१ १,४६४ ७६७
बल्लेबाजी औषत २७.०० ३७.५३ २४.७४
१००/५० ०/१ ३/११ ०/५
उत्कृष्ट स्कोर ५१ १३५ ७६
कूल बल
विकेट
गेन्दबाजी औषत
एक पारीमे ५ विकेट
एक म्याचमे १० विकेट
उत्कृष्ट गेन्दबाजी
क्याच/स्टम्प 0/– १२/- ५/–
स्रोत: ईएसपीएन क्रिकइन्फो, 12 April 2018

स्मृति मन्धाना एक भारतीय महिला क्रिकेट खेलाडी छी, जे भारतीय महिला क्रिकेट टिम कऽ लेल खेलैत अछि । []ओ मुख्य रूप सँ बामा हाथसँ बल्लेबाजी करैत अछि जे २०१७ कऽ महिला []क्रिकेट विश्व कपमे दु शतक सेहो लगेने छल । इनकर जन्म मुम्बई, महाराष्ट्र मे १८ जुलाई १९९६ क भेल छल ।[]

प्रारम्भिक आ निजी जीवन

[सम्पादन करी]

मन्धानाक जन्म सन् १९९६ जुलाई १८ मुम्बई भारतमे स्मिथ आ श्रीनिवास मन्धानाक घरमे भेल छल। [][]जखन ओ २ सालक छल त हुनकर परिवार मधावनगर, साङगलीमहाराष्ट्रमे स्थानान्तरित भ गेल छल जत ओ अपन प्रारम्भिक शिक्षा पुरा केलक। हुनकर पिता आ भाई, श्रवण दुनु साङगलीक लेल जिल्ला स्तर पर क्रिकेट खेलैत छल जहि कारण ओ क्रिकेटर बनैक लेल अपन भाई सँ प्रेरित भेल छल जखन हुनकर भाई महाराष्ट्र अन्डर १६ खेलने छल। ९ वर्षक आयुमे ओ महाराष्ट्र अन्डर १५ क टीममे चुनल गेल छल। ११ वर्षक आयुमे हुनका महाराष्ट्र अन्डर १९ क टीमक लेल चुनल गेल छल।[] मन्धानाक परिवार हुंकार क्रिकेट गतिविधिसभमे बहुत निकटता सँ सम्मलित अछि। हुनकर पिता श्रीनिवास, एक रासायनिक वितरक भेलाक बादो हुनकर क्रिकेट कार्यक्रम क देखभाल करैत अछि, हुनकर माता स्मिता हुनकर आहार, कपडा आ अन्य सङगठन कार्यभारक सम्हारैत अछि, आ हुनकर भाई श्रवण अखनो नेट्सम हुनका गेन्दबाजी करैत अछि।

मन्धानाक पहिल सफलता हुनका तब भेटल जब ओ अक्टुबर २०१३ मे भेल एकदिवसीय म्याचमे डबल शतक हासिल करैवाली पहिल भारतीय महिला बनल। गुजरात क विरुद्ध माहाराष्ट्रक लेल खेलैत, ओ वडोदरामे आलेम्बिक क्रिकेट ग्राउन्ड पर वेस्ट जोन अन्डर १९ टूर्नामेन्टमे १५० गेन्द पर नाबाद २२४ रन बनेलक। २०१६ महिला च्यालेन्जर ट्रफीमे, मन्धाना भारत रेडक लेल बहुत खेलमे तीन अर्धशतक क मदद सँ, आ अपन टीमक भारत ब्लूक विरुद्ध फाइनलमे ८२ गेन्द पर नाबाद ६२ रन बनाक ट्रफी जीत लेलक।[]

सन् २०१६ सितम्बरमे, मन्धानाक महिला बिग बाश लिग (WBBL) क लेल ब्रिस्बेन हीटक साथ एक सालक लेल अनुबन्धित कएल गेल छल, आ हरमनप्रीत कौरक साथ, लिगक लेल हस्ताक्षरित होएवाला पहिल दु भारतीयमे सँ एक बएन गेल।[]

अन्तर्राष्ट्रिय स्टारक कैरियर

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "The prodigious journey of Smriti Mandhana" (अङ्ग्रेजीमे), ईएसपीएन क्रिकइन्फो, अन्तिम पहुँच ९ जून २०१८ 
  2. "2017 ICC Women's World Cup | Smriti Mandhana | Cricketer | Chef |", Sportzwiki, २ जुलाई २०१७, अन्तिम पहुँच ९ जून २०१८ 
  3. "7 Things You Ought To Know About Smriti Mandhana, India's Latest Sensation In Women's Cricket", indiatimes.com (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच ९ जून २०१८ 
  4. Patnaik, Sidhanta (७ सितम्बर २०१४), "Mandhana’s journey from Sangli to England", Wisden India, अन्तिम पहुँच २८ अक्टुबर २०१६ 
  5. Swamy, Kumar (१७ अगस्त २०१४), "Smriti Mandhana logs Test win on debut in UK", The Times of India, अन्तिम पहुँच २८ अक्टुबर २०१६ 
  6. Kishore, Shashank (१८ मार्च २०१६), "The prodigious journey of Smriti Mandhana", ESPNcricinfo, अन्तिम पहुँच २८ अक्टुबर २०१६ 
  7. "Smriti makes good use of Dravid's bat, scores double ton", The Times of India, ३१ अक्टुबर २०१३, अन्तिम पहुँच २३ अक्टुबर २०१६ 
  8. "India Women stars relishing Big Bash opportunity", International Cricket Council, १७ अक्टुबर २०१६, मूलसँ २४ दिसम्बर २०१८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २८ अक्टुबर २०१६  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]