नवजोत सिंह सिद्धू

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
नवजोत सिंह सिद्धू
क्रिकेटर राजनेता नवजोत सिंह सिद्धू
सान्सद, लोकसभा
कार्यकाल
२००४–२०१४
पूर्वाधिकारीरघुन्नदन लाल भाटिया
उतराधिकारीअमरिन्दर सिंह
निर्वाचन क्षेत्रअमृतसर
व्यैक्तिक विवरण
जन्मपटियाला, पञ्जाब
राजनैतिक दलआवाज-ए-पञ्जाब
निवासपटियाला

नवजोत सिंह सिद्धू (अंग्रेजी: Navjot Singh Sidhu, पञ्जाबी: ਨਵਜੋਤ ਸਿੰਘ ਸਿੱਧੂ, जन्म: २० अक्टूबर १९६३, पटियाला) भारतके पूर्व क्रिकेट खिलाड़ी (बल्लेबाज) एवं अमृतसर लोक सभा सीटसँ भारतीय जनता पार्टीके पूर्व सान्सद छी। खेलसँ सन्यास लेबऽ के बाद पहिल ओ दूरदर्शन पऽ क्रिकेटक लेल कमेन्ट्री आरम्भ केलक ओकर बाद राजनीतिमे सक्रिय रूपसँ भाग लेबऽ लागल। राजनीतिके अलावा ओ टेलीविजनके छोट पर्दा पर टी.वी. कलाकारक रूपमे सेहो अपन पहिचान बनौने अछि। टी.वी. सीरियल बिग बोसके कारण सेहो ओ चर्चित रहल।[१]

सन्क्षिप्त जीवनी[सम्पादन करी]

नवजोत सिंह सिद्धू कऽ जन्म भारतमे पञ्जाब प्रान्तक पटियाला जिलामे भेल। १९८३सँ १९९९ धरि ओ क्रिकेटके माँजल खेलाड़ी रहल; क्रिकेटसँ सन्यास लेबऽके पश्चात हुन्का भारतीय जनता पार्टी द्वारा लोकसभाकऽ टिकट देलक। ओ राजनीतिमे खुलिकऽ हाथ अज्मेलक आर भाजपाके टिकट पर २००४मे अमृतसरक लोकसभा सीटसँ सान्सद चुनल गेल। हुन्का पर एक व्यक्ति कऽ गैर इरादतन हत्याके आरोप लगाकऽ मुकदमा चलाएल गेल आर अदालत द्वारा हुन्का तीन सालक सजाय सुनेलक। जकर बाद ओ लोकसभाक सदस्यतासँ तत्काल त्यागपत्र दकऽ उच्चतम न्यायालय में याचिका दायर की। उच्चतम न्यायालय द्वारा निचली अदालत की सजा पर रोक लगाने के पश्चात उन्होंने दुबारा उसी सीट से चुनाव लड़ा और सीधे मुकाबले में कांग्रेस प्रत्याशी व पञ्जाबक वित्त मन्त्री सुरिन्दर सिङगला कऽ ७७६२६ भोटक भारी अन्तरसँ हरेलक। सिद्धू पञ्जाबी सिक्ख भेलाक बादो पूर्णतया शाकाहारी अछि।[२] सन्योगसँ हुन्कर पत्नीक नाम सेहो नवजोत छी। पत्नी नवजोत कौर पेशासँ चिकित्सक छी आर पटियालामे जहि ठाम सिद्धूके स्थायी निवास अछि, ओहि ठाम रहैत अछि।

क्रिकेट कैरियर[सम्पादन करी]

नवजोत सिंह सिद्धू
व्यक्तिगत जानकारी
पुरा नामनवजोत सिंह सिद्धू
अन्य नामसिक्सर सिद्धू, शेरी, शेरी पाजी
बल्लेबाजी शैलीदाहिना हाथके बल्लेबाज
गेन्दबाजी शैलीमध्यम गतिके गेदबाज
काजबल्लेबाज
अन्तर्राष्ट्रिय जानकारी
राष्ट्रिय पक्ष
टेस्ट पदार्पण (टोपी १६६)१२ नवम्बर १९८३ v वेस्ट इन्डीज
अन्तिम टेस्ट६ जनवरी १९९९ v न्यूजीलैन्ड
ओडिआई पदार्पण (टोपी ६१)९ अक्टूबर १९८७ v ऑस्ट्रेलिया
अन्तिम ओडिआई२० सितम्बर १९९८ v पाकिस्तान
गृह टिम जानकारी
वर्षटिम
१९८१–२०००पञ्जाब
खेल जीवनी तथ्याङ्क
प्रतियोगिता टेस्ट क्रिकेट एक दिवसीय अन्तर्राष्ट्रीय म्याच प्रथम श्रेणी क्रिकेट "ए" श्रेणी क्रिकेट
म्याच ५१ १३६ १५७ २०५
रन स्कोर ३२०२ ४,४१३ ९,५७१ ७,१८६
बल्लेबाजी औषत ४२.१३ ३७.०८ ४४.३१ ४१.७७
१००/५० ९/१५ ६/३३ २७/५० १०/५५
उत्कृष्ट स्कोर २०१ १३४ (आउट नै*) २८६ १३९
कूल बल १०४ १०
विकेट
गेन्दबाजी औषत
एक पारीमे ५ विकेट
एक म्याचमे १० विकेट
उत्कृष्ट गेन्दबाजी
क्याच/स्टम्प ९/– २०/– ५०/– ३१/–
स्रोत: espncricinfo, १ जनवरी २००९

नवजोत सिंह सिद्धू द्वारा १९८३सँ लकऽ १९९९ धरि पूरा सत्रह साल क्रिकेट खेला। टेस्ट क्रिकेटमे ओ पहिल म्याच वेस्ट इन्डीजक टीमके विरुद्ध १९८३ साल अहमदाबादमे खेललक जाहिमे ओ बस १९ रन बनाऽ पाओल। एकर बाद ओ १९८७के विश्व कप क्रिकेटक भारतीय टीममे शामिल कएल गेल। ओ कुल पाँचमे सँ चारि म्याच खेललक आ प्रत्येक म्याचमे अर्धशतक ठोकलक। पाकिस्तानके खिलाफ शारजाहमे खेलैत १९८९मे ओ पहिल शतक लगौने छल। ग्वालियरक मैदान पऽ १९९३ मे ओ इङग्लैण्डके विरुद्ध नॉट आउट रहैत १३४ रन बनौलक जे की हुन्कर एकदिवसीय अन्तरराष्ट्रीय क्रिकेट मुकाबला म्याचमे सर्वश्रेष्ठ स्कोर छल। १९९९मे क्रिकेटसँ सन्यास लेबऽके बाद मीडियाके देल गेल एक इन्टरव्यूमे सिद्धू कहने छल कि एक क्रिकेट समीक्षकक टिप्पणीसँ आहत भऽक ओ क्रिकेटके अलविदा कहि रहल अछि अन्यथा हुन्कर खेल एतेक खराब नै छल। १९८७के विश्व कपमे हुन्कर शानदार भागीदारीकऽ एतेक जल्दी भुला देल जाइत एकर ओ स्वप्नमे सेहो कल्पना नै केने छल।[३]


सिद्धू द्वारा तीन बेर १९९३, १९९४ आ १९९७के समय प्रति वर्ष ५००-५००सँ अधिक टेस्ट रन बनौने अछि। प्रथम श्रेणी म्याचमे मात्र १०४ गेन्द खेलिकऽ बनाओल गेल २८६ रन हुन्कर जीवनक सर्वश्रेष्ठ स्कोर छी। १९९४मे वेस्ट इन्डीज दौराके समय ओ एकदिवसीय म्याचमे ८८४ रन बनौलक आर पाँच शतक ठोकऽ वला पहिल भारतीय होबऽक गौरव सेहो प्राप्त केलक। सिद्धूके जीवनक बेहतरीन क्षण तब आएल जब १९९६-९७मे वेस्ट इन्डीजके खिलाफ टेस्ट क्रिकेटमे ११ घण्टा लम्बा पारी खेलने छल ओ २०१ रन बनेलक। १९९३-९४मे श्रीलङकाके खिलाफ आठ छक्काक मददसँ १२४ रनक धुआँधार पारी आर १९९७-९८ मे आस्ट्रेलियाके टीमक विरुद्ध चारि-चारि अर्द्धशतक हुन्कर यादगार कारनामा छी जे ओ क्रिकेटके मैदानमे खेलैत करि देखेलक।[४]


राजनीतिक जीवन[सम्पादन करी]

सिद्धू भारतीय जनता पार्टीके टिकट पर अमृतसर लोकसभा निर्वाचन क्षेत्रसँग २००४क लोकसभा चुनाव जीतलक। राजनीतिमे आबऽसँ बहुत समय पूर्व १९८८मे सिद्धू कऽ कोनो गुरनामसिंहक इरादतन हत्याके सिलसिलामे सह-आरोपी बनाओल गेल छल।[५] हुन्का पटियाला पुलिस द्वारा गिरफ्तार करि जेल भेज देल गेल छल। हुन्का पर आरोप इ छल कि ओ गुरनामसिंहक हत्यामे मुख्य आरोपी भूपिन्दर सिंह सन्धूक सहायता केने अछि जबकि सिद्धू द्वारा इ आरोपसभ कऽ गलत बताओल गेल छल।[६] सिद्धू द्वारा कोर्टमे इ दलील देल गेल कि ओ इ मामलामे पूरा तरह निर्दोष अछि आर शिकायतकर्तासभ द्वारा हुन्का झूठमे फँसाएल गेल अछि।[५] सिद्धूक इ दलील पर मृतक गुरनामसिंहके भतीजा जसविन्दर सिंह द्वारा कहल गेल कि ओ घटनाक प्रत्यक्षदर्शी छी आ सुप्रीम कोर्ट धरिमे एकरा सिद्ध करि देत।[७]


जब ओ सान्सद बनि गेल तऽ हुन्का खिलाफ पुरान केसक फाइल खोलि देल गेल। दिसम्बर २००६मे अदालतके अन्दर हुन्कापऽ मुकदमा चलाओल गेल। उपलब्ध गवाहिसभके आधार पर नवजोत सिंह सिद्धूकऽ चलति सड़क पर भेल झगड़ामे एक व्यक्तिक घातक चोट पहुँचाकऽ ओकर गैर इरादतन हत्याके लेल तीन साल कैदक सजाय सुनायल गेल। सजायक आदेश होइते ओ लोकसभाक सदस्यतासँ जनवरी २००७मे त्यागपत्र दकऽ उच्चतम न्यायालयमे याचिका ठोकि देलक।[८]उच्चतम न्यायालय द्वारा निचली अदालत द्वारा देल गेल सजाय पर रोक लगाबैत फरवरी २००७मे सिद्धूके अमृतसर लोकसभा सीटसँ दोबारा चुनाव लड़ऽक इजाजत दऽ देलक।[९]


कमेण्ट्रेटर आर टी.वी. कलाकार[सम्पादन करी]

जब भारतीय क्रिकेट टीम २००१मे श्रीलङ्काके दौरा पर गेल तखन सिद्धू द्वारा बतौर कमेण्ट्रेटर निम्बूज स्पोर्टजके लेल काम केलक। बादमे हुन्का ई.पी.एन.एस. स्टार स्पोर्ट्स द्वारा अपन च्यानल पर अनुबन्धित करि लेलक आर ओ "वन लाइनर कॉमेडी" करऽ लागल। हुन्का इ कार्यसँ अपार लोकप्रियता सेहो हासिल भेल।[१०]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Mask eventually must fall in 'Bigg Boss' house: Navjot Siddhu"मूलसँ 2012-10-28 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2017-02-20 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  2. "The Telegraph - Calcutta : Look"। Telegraphindia.com। 2007-03-11। अन्तिम पहुँच 2012-07-23
  3. "Navjot Singh Sidhu In Aap Ki Adalat Part 1"। IndiaTV। 2010-04-19।
  4. Navjot Sidhu at Cricinfo
  5. ५.० ५.१ State Of Punjab vs Navjot Singh Sidhu And Anr. on 6 दिसम्बर 2006
  6. "Navjot Sidhu surrenders, lodged in Patiala jail"मूलसँ 2012-10-28 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2017-02-20 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  7. nchro.org
  8. "Sidhu convicted sentence suspended till जनवरी ३१, 2007"मूलसँ 2007-02-16 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2007-02-16 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  9. "Sidhu's conviction stayed"मूलसँ 2007-01-27 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2017-02-20 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  10. सिद्धू सिक्सर्स (विकीक्वोट पर)


बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]