सामग्री पर जाएँ

दिल्ली मेट्रो रेल

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
दिल्ली मेट्रो
Delhi Metro

जानकारी
क्षेत्रदिल्ली, भारत
यातायात प्रकारत्वरित यातायात
लाइनों की संख्या
स्टेशनों की संख्या१३५[]
प्रतिदिन की सवारियां१६,००,००० प्रतिदिन[]
प्रचालन
प्रचालन आरंभ२४ दिसम्बर, २००२
संचालकदिल्ली मेट्रो रेल कॉरपोरेशन लिमिटेड
तकनीकी
प्रणाली की लंबाई१६१ किलोमीटर (१०० मील)[]
पटरी गेज१,६७६ मि.मि. (५ फी. ६ इं.) (ब्राड गेज)

दिल्ली मेट्रो रेल भारतक राजधानी दिल्ली कऽ मेट्रो रेल परिवहन व्यवस्था छी जे दिल्ली मेट्रो रेल निगम लिमिटेड द्वारा सन्चालित अछि। एहिक शुभारम्भ २४ दिसम्बर, २००२ कऽ शहादरा तीस हजारी लाईन सँ भेल छल।[] एहि परिवहन व्यवस्थाकऽ अधिकतम गति ८०किमी/घन्टा (५०मील/घन्टा) राखल गेल अछि है आ ई हरेक स्टेशन पर लगभग २० सेकेन्ड धरि रुकैत अछि। ट्रेन सभक निर्माण दक्षिण कोरियाक कम्पनी रोटेम (ROTEM) द्वारा कएल गेल अछि। दिल्लीक परिवहन व्यवस्थामे मेट्रो रेल एक महत्वपूर्ण कड़ीकऽ रूपमे अछि। एहीसँ पहिले यातायातक बढ़ बोझ सड़क पर छल। प्रारम्भिक अवस्थामे एहिक योजना छह (६) मार्ग दिस चलऽक छल जे दिल्लीके बहुतो हिस्सा कऽ जोड़ैत छल। ई प्रारम्भिक चरण २००६ मे पूरा कएल गेल। बादमे एकर विस्तार राष्ट्रीय राजधानी क्षेत्र सँ सटल शहरसभ गाजियाबाद, फरीदाबाद, गुड़गाँव आर नोएडा धरि कएल गेल। एही परिवहन व्यवस्थाक सफलता सँ प्रभावित भऽ भारतक दोसर राज्यसभ जेनाकी उत्तर प्रदेश[][][], राजस्थान[][], कर्नाटक[], आन्ध्र प्रदेश[] एवं महाराष्ट्र[] मे सेहो एकरा चलाबऽक योजनासभ बनि रहल अछि। दिल्ली मेट्रो रेल व्यव्स्था अपन शुरुआती काल सँ ही ISO १४००१ प्रमाण-पत्र अर्जित करऽमे सफल रहल अछि जे सुरक्षा आ वातावरणक दृष्टि सँ खुब महत्वपूर्ण अछि।

सेप्टेमबर २०११ मे संयुक्त राष्ट्र द्वारा "स्वच्छ विकास तन्त्र" योजनाक माध्यमसँ हरित गृह ग्याससभमे कमी लाबऽक लेल दिल्ली मेट्रोकऽ दुनियाक पहिल "कार्बन क्रेडिट" देलक जहिके अन्तर्गत एकरा सात साल धरिकऽ लेल ९५ लाख डलर मिलत।[१०]



मेट्रो रेल मार्ग

[सम्पादन करी]
फाइल:Delhi-metro-map-hindi.jpg
दिल्लीक भूमिगत रेलक मानचित्र। अहिमे स्थान सभक नाम हिन्दी (देवनागरी)मे देल गेल अछि।
येलो लाइन
ब्लू लाइन

प्रथम चरण ई रेल व्यवस्थाक प्रमच रण (फेज I) मे मार्गक कुल लम्बाई लगभग ६५.११ किमी अछि जाहिमे १३ किमी भूमिगत एवं ५२ किलोमीटर एलीवेटेड मार्ग अछि।

द्वितीय चरण (फेज II)के अन्तर्गत समुचा मार्ग कऽ लम्बाई १२८ किमी होएत एवं एहिमे ७९ स्टेशन होएत , एही चरणके २०१० धरि पूरा करऽक लक्ष्य रहल छल।[११][१२]

तृतीय चरण (फेज III) (११२ किमी) एवं IV (१०८.५ किमी) लम्बाई कऽ बनाबऽक प्रस्ताव अछि जेकरा क्रमश: २०१५ एवं २०२० तक पूरा किये जाने की योजना है। इन चारों चरणो का निर्माण कार्य पूरा हो जाने के पश्चात दिल्ली मेट्रो के मार्ग की कुल लंबाई ४१३.८ किलोमीटर की हो जाएगी जो लंदन के मेट्रो रेल (४०८ किमी) से भी बडा बना देगी।[१२][१३][१४][१५] दिल्लीक २०२१ मास्टर प्लानक अनुसार बादमे मेट्रो रेल दिल्लीके उपनगरसभ धरि लऽक जाएक सेहो योजना अछि।


वर्तमान मार्ग (फेज़-I)

[सम्पादन करी]

जनवरी २०१८ धरिक स्थिति अनुसार जहिमे फेज तीनक एक्स्टेन्शन सेहो शामिल अछि:

मार्ग का नामसङ्ख्यास्टेशनसभक बीचके दूरीलम्बाई (किमी)स्टेशनसभक सङ्ख्याट्रेन्सभक सङ्ख्या
 रेड लाइनदिलशाद गार्डन - रिठाला२५.०९२१३१ ट्रेन
 येलो लाइनसमयपुर बादली - हुडा सिटी सेन्टर४९.००३७६० ट्रेन
 ब्लू लाइननोएडा सिटी सेन्टर - द्वारका सैक्टर २१४९.९३४४७० ट्रेन
 ब्लू लाइनयमुना बैङ्क - वैशाली८.७४७० ट्रेन
 ग्रीन लाइनमुन्डका - इन्द्रलोक१५.१४१४१६ ट्रेन
 ग्रीन लाइनअशोक पार्क मेन - कीर्ति नगर३.३२१६ ट्रेन
 वायलेट लाइनकश्मीरी गेट - एस्कर्ट्स मुजेसर४०.३४३२४४ ट्रेन
 ओरेन्ज लाइननई दिल्ली - द्वारका सैक्टर २१२२.७०८ ट्रेन

कुल लम्बाई = २०९ किमी[]

फेज II कऽ मार्ग

[सम्पादन करी]
रङ्गीन मानचित्र

द्वितीय चरण (फेज II) के अन्तर्गत समुचा मार्गक लम्बाई १२८ किमी होएत एवं एहिमे ७९ स्टेशन होएत से एखन निर्माणाधीन अछि ।[१२][१६]

फेज III कऽ मार्ग

[सम्पादन करी]

ई फेज कऽ २०१५ मे पूरा होबऽ का लक्ष्य राखल गेल छल जहिमे बहुतो लाईनसभक विस्तार समावेश अछि :-

कुल लम्बाई = ११२ किमी[१७]


फेज चारि (IV)

[सम्पादन करी]
दिल्ली मेट्रो - २००४

एकर पूरा होबऽक लक्ष्य २०२० धरि राखल गेल अछि। जहिमे निम्नाकित नव मार्ग या पुरान मार्गों सभक विस्तार होएत :-

कुल लम्बाई = १०८.५ किमी[१८]

कुल लम्बाई सम्पूर्ण चरण सभके मिलाकऽ = ४१३ किमी[१८]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]


बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. 1 2 3 "मेट्रो नोएडामे प्रवेश करैत अछि, लोग सभक यात्रा कऽ आदतसभमे परिवर्तन करबाक", Dnaindia.com।
  2. "द टाईम्स ऑफ़ इन्डिया:दिल्ली मेट्रो अध्यक्ष किराया वृद्धि कऽ सही ठहराबैत अछि", २००९-११-१५ कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २००९-११-१५ |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  3. "Delhi Metro: It all started 15 Xmas days ago"
  4. मेरठ में मेट्रो की संभावना तलाशेगी डीएमआरसी| ५ जून, २००९|याहू जागरण)
  5. गाजियाबाद आ लखनऊमे मेट्रो ट्रेन प्रोजेक्ट कऽ मन्जूरी| वर्ल्ड न्यूज़| ३ फरवरी, २००९)
  6. गाजियाबाद आ लखनऊमे मेट्रो ट्रेन प्रोजेक्ट कऽ मन्जूरी| याहू जागरण|३ फरवरी, २००९)
  7. आब जयपुरमे सेहो मेट्रो ट्रेन[permanent dead link] ५ जून, २००९
  8. मेट्रो जयपुर सर्वे शुरु[permanent dead link]
  9. 1 2 3 हैदराबाद, बेङ्गलौरमे होएत मेट्रो ७ अप्रिल, २००६ बीबीसी, हिन्दी
  10. [ http://www.khaskhabar.com/delhi-metro-awarded-first-carbon-credit-by-un-092011265395212630.html विश्वक प्रथम यूएन कार्बन क्रेडिट दिल्ली मेट्रोकऽ], खासखबर २६ सेप्टेमबर, २०११
  11. द हिन्दू: न्यू देल्ही न्यूज़, देल्ही मेट्रो कॉन्फ़िडेन्ट ऑफ मीटिंग डेडलाइन
  12. 1 2 3 दिल्ली मेट्रो मास्टरप्लान २०२१
  13. विस्तारों का मानचित्र, डीएमआरसी देखें
  14. द टाइम्स अफ इन्डिया
  15. डिस्कवरी चैनल: २४ आवर्स विद देल्ही मेट्रो
  16. द हिन्दू: न्यू देल्ही न्यूज़, देल्ही मेट्रो कॉन्फ़िडेन्ट ऑफ मीटिंग डेडलाइन
  17. "डीएमआरसी मानचित्र", २००६-१२-११ कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २००६-१२-११ |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  18. 1 2 "डीएमआरसी", २००६-१२-११ कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २००६-१२-११ |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)