सामग्री पर जाएँ

मध्य रेलवे (भारत)

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
मध्य रेल
८- मध्य रेल
मध्य रेलक मुख्यालय छत्रपति शिवाजी टर्मिनस
आरम्भ तिथि१९५१वर्तमान
पूर्ववर्तीग्रेट इन्डियन पेनिनसुला रेलवे, सिन्धीसभ स्टेट रेलवे, धौलपुर रेलवे आर अन्य
ट्रयाक पटरीमिश्रित
मुख्यालयमुम्बई

मध्य रेल, भारतीय रेलक १६ सबसँ बड़का अञ्चलसभमे सँ एकटा अञ्चल छी आ अहिक मुख्यालय मुंबईमे छत्रपति शिवाजी टर्मिनस (पहिने भिक्टोरिया टर्मिनस)मे स्थित अछि । अहिके अन्तर्गत भारतक पहिल यात्री रेल लाइन सेहो आबैत छै, जहिमे १६ अप्रैल १८५३ क मुम्बईसँ ठाणेके बीच चलाओल गेल छल ।

मध्य रेलके अंतर्गत महाराष्ट्रक अधिकांश, कर्नाटकके उत्तर-पूर्वी क्षेत्र आ मध्य प्रदेशक दक्षिणी हिस्सा आबैत अछि। अही रेल अंचल कs गठन ५ नवम्बर १९५१ कs बहुतो सरकारी स्वामित्व वला रेलसभ कs मिलाकs कएल गेल छल, जाहीमें ग्रेट इंडियन पेनिनसुला रेलवे, पूर्व रियासत ग्वालियरक सिंधिया स्टेट रेलवे, निजाम स्टेट रेलवे आ धौलपुर रेल शामिल छल।

पहिले उत्तरी मध्य प्रदेश, छत्तीसगढ़ आर दक्षिणी उत्तर प्रदेशक इलाका सेहो मध्य रेल अंचलक अंतर्गत आबैत छल जकर कारण अही क्षेत्र, रेलपथक लंबाई आ कर्मचारिसभ कs संख्याके हिसाबसं भारतक सबसं बड़का रेल अंचल बनि गेल छल। अप्रैल २००३ में अही क्षेत्रसभ मिलाकs एकटा नया रेल अंचल पश्चिम मध्य रेल कऽ गठन कएल गेल ।


एकरे अंतर्गत आबऽबला मंडल छी: मुंबई, भुसावल, पुणे, शोलापुर आर नागपुर

क्रमाङ्कनामसङ्क्षेपस्थापना समयमुख्यालयमण्डल
१.उत्तर रेलवेउरे१४ अप्रैल, १९५२दिल्लीअम्बाला, फिरोजपुर, लखनऊ, मुरादाबाद
२. पूर्वोत्तर रेलवेउपूरे१९५२गोरखपुरइज्जत नगर, लखनऊ, वाराणसी
३.पूर्वोत्तर सीमान्त रेलवेपूसीरे१९५८गुवाहाटीअलीपुर द्वार, कटिहार, लामडिङ, रङ्गिया, तिनसुकिया
४.पूर्व रेलवेपूरेअप्रैल, १९५२कोलकाताहावड़ा, सियालदह, आसनसोल, मालदा
५.दक्षिणपूर्व रेलवेदपूरे१९५५कोलकाताआद्रा, चक्रधरपुर, खड़गपुर, राँची
६.दक्षिण मध्य रेलवेदमरे२ अक्टुबर, १९६६सिकन्दराबादसिकन्दराबाद, हैदराबाद, गुन्टकल, गुन्टूर, नांदेड़, विजयवाड़ा
७.दक्षिण रेलवेदरे१४ अप्रैल, १९५१चेन्नईचेन्नई, मदुरै, पालघाट, तिरुचुरापल्ली, त्रिवेन्द्रम, सलेम (कोयम्बतूर)
८.मध्य रेलवेमरे५ नवम्बर, १९५१मुंबईमुंबई, भुसावल, पुणे, शोलापुर, नागपुर
९.पश्चिम रेलवेपरे५ नवम्बर, १९५१मुंबईमुम्बई सेन्ट्रल, वदोदरा, रतलाम, अहमदाबाद, राजकोट, भावनगर
१०.दक्षिण पश्चिम रेलवेदपरे१ अप्रैल, २००३हुबलीहुबली, बैंगलोर, मैसूर
११.उत्तर पश्चिम रेलवेउपरे१ अक्टुबर, २००२जयपुरजयपुर, अजमेर, बीकानेर, जोधपुर
१२.पश्चिम मध्य रेलवेपमरे१ अप्रैल, २००३जबलपुरजबलपुर, भोपाल, कोटा
१३.उत्तर मध्य रेलवेउमरे१ अप्रैल, २००३इलाहाबादइलाहाबाद, आगरा, झांसी
१४.दक्षिणपूर्व मध्य रेलवेदपूमरे१ अप्रैल, २००३बिलासपुर जिलाबिलासपुर, रायपुर, नागपुर
१५.पूर्व तटीय रेलेवेपूतरे१ अप्रैल, २००३भुवनेश्वरखुर्दा रोड, सम्बलपुर, विशाखापत्तनम
१६.पूर्वमध्य रेलवेपूमरे१ अक्टुबर, २००२हाजीपुरदानापुर, धनबाद, मुगलसराय, समस्तीपुर, सोनपुर
१७.कोंकण रेलवे†केआर२६ जनवरी, १९९८नवी मुम्बईकोनो नै

कोंकण रेलवे भारतीय रेलके एकटा अनुषाङ्गिक इकाईके रूपमे परन्तु स्वायत्त रूपसँ परिचालित होमएवला रेल व्यवस्था छी जकर मुख्यालय नवी मुम्बईके बेलापुरमे राखल गेल अछि। ई सीधा रेलवे बोर्ड एवं केन्द्रीय रेलमन्त्रीके निगरानीमे काम करैत अछि।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]