नीता अम्बानी
नीता अम्बानी Nita Ambani | |
---|---|
![]() नीता अम्बानी | |
जन्म | [१] | १ नवम्बर १९६३
राष्ट्रियता | भारतीय |
मातृसंस्था | नरसी मोन्जी कलेज अफ कमर्स आ इकोनामिक्स (बि.कम) |
व्यवसाय | रिलायन्स फाउन्डेसनक अध्यक्ष धीरूभाई अम्बानी अन्तर्राष्ट्रिय विद्यालयक अध्यक्ष |
प्रसिद्धि कारण | रिलायन्स इन्डस्ट्रिज, मुम्बई इन्डियन्स, सामाजिक कार्य |
जीवनसाथी(सभ) | मुकेश अम्बानी (वि. १९८५) |
बालबच्चा | इशा अम्बानी (बेटी) आकाश अम्बानी (बेटा) अनन्त अम्बानी (बेटा) |
सम्बन्धी | धीरूभाई अम्बानी (ससुर) अनिल अम्बानी (देबर) टीना अम्बानी (ननद) |
नीता अम्बानी (जन्म: नवम्बर १, १९६३) रिलायन्स फाउन्डेसनक संस्थापक आ अध्यक्ष[३] तथा रिलायन्स इन्डस्ट्रिजक गैर- कार्यकारी निर्देशक छी ।[४] ओ भारतक सभ सँ धनीक व्यक्ति मुकेश अम्बानीक पत्नी आ रिलायन्स इन्डस्ट्रिजक संस्थापक धीरूभाई अम्बानीक पुतहू छी। नीता अम्बानी धीरूभाई अम्बानी अन्तर्राष्ट्रिय विद्यालयक संस्थापक आ अध्यक्ष सेहो छी।[५][६]
४० बिलियन अमेरिकी डलर बराबरक पारिवारिक सम्पति भेल अम्बानी भारतक सभ सँ धनीक महिला छी।[७][८][९] ओ इन्डियन प्रिमियर लिगक क्रिकेट टिम मुम्बई इन्डियन्सक सह-मलकानि छी ।[१०] अम्बानी बहुतो सम्मानसभ सँ सम्मानित भेल अछि जहिमे सन् २०१६ केर फोर्ब्सद्वारा जारी कएल गेल सूची अनुसार एसियाक सभ सँ प्रभावशाली व्यवसायी महिला नेतृ आ[११] इन्डिया टुडेक पचास उच्च आ शक्तिशाली भारतीय महिलाक सूचीमे हिनकर नाम सूचीकृत कएल गेल छल।[१२] ओ भारतक पहिल महिला छी जे अन्तर्राष्ट्रिय ओलम्पिक समितिक सदस्यक रूपमे निर्वाचित भेल अछि।[१३]
अम्बानीकें परोपकार, शिक्षा आ कला क्षेत्रमे उल्लेखनीय काजक लेल न्यू योर्क महानगरीय सङ्ग्रहालयद्वारा सम्मानित कएल गेल छल ।[१४][१५][१६]
सुरुवाती जीवन
नीता अम्बानी (दलाल)[१७] कऽ जन्म १ नवम्बर १९६४ मे मुम्बईक एक मध्यम-वर्गीय गुजराती परिवारमे भेल छल ।[१८][१९][२०] नीताक पिता बिरलाक एक कम्पनीमे उच्चाधिकारी छल । नीताक भारतीय शास्त्रीय नृत्य भरतनाट्यम्मे बाल्यकाले सँ बड्ड रूचि छल आ ओ ई नृत्यक अध्ययन आ प्रस्तुतीकरण सेहो केलक । नीता अपन उच्च शिक्षा मुम्बईक प्रसिद्ध नरसी मोन्जी कलेज अफ कमर्स आ इकोनामिक्स सँ पुरा केनए छल ।
करियर
नीता अम्बानी सन् २००३ जुनमे धीरूभाई अम्बानी अन्तर्राष्ट्रिय विद्यालयक स्थापना करि एकर अध्यक्ष बनल । ई विद्यालय मुम्बईक लोकप्रिय विद्यालयसभमे सँ एक छी ।[२१][२२] समुचा भारतमे ई ३७ नामी विद्यालयसभमे शामिल अछि जे देशमे प्रतिष्ठित अन्तर्राष्ट्रिय बेक्केलोरेट कार्यक्रम उपलब्ध करवैत अछि । एकर बाद नीता धीरूभाई फाउन्डेसनक स्थापना करि एकर अध्यक्ष बनल ।[२३] ओ रिलायन्स इन्डस्ट्रिज आ संयुक्त राष्ट्र सङ्घीय एड्स न्यूनीकरण कार्यक्रमक सेहो हिस्सा छी । नीता अम्बानी रिलायन्स इन्डस्ट्रिजक सामाजिक आ समाजसेवा सँ जुड़ल काजसभ देखैत अछि ।[२४]ओ मुम्बई इन्डियन्स टिमक मलकानि सेहो छी ।[२५] सन् २०१४ मे नीताके रिलायन्स इन्डस्ट्रिजक कार्यसमितिमे निर्वाचित कएल गेल ।[२६]
जामनगर शहरी परियोजना
सन् १९९७ मे, रिलायन्स मेगा रिफाइनरीकें कर्मचारीसभक लेल कम्पनी शहरी परियोजना निर्माणमे नीता अम्बानी शामिल छल । ई परियोजनामे पूर्ण योजनाबद्ध तरिका सँ वृक्षारोपण आ पर्यावरण अनुकूल कोलोनी स्थापित करवाक लेल प्रस्ताव कएल गेल छल जहिमे १७,००० सँ अधिक कर्मचारी बास करि सकैत छल । आई, जामनगर परिसरमे लगभग १,००,००० सँ अधिक आमक गाछी अछि जतय विविध पक्षीसभ अपन बनाए लेने अछि ।[२७]
रिलायन्स फाउन्डेसन
नीता अम्बानी रिलायन्स फाउन्डेसन चलबैत अछि । फाउन्डेसन एक भारतीय परोपकारी पहल छी जकरा सन् २०१० मे नीता अम्बानी स्थापित केनए छल । ई रिलायन्स इन्डस्ट्रिज लिमिटेड सँ सम्बद्ध अछि आ भारतक सभ सँ पैग निजी फाउन्डेसन छी ।[२८]ई फाउन्डेसन विशेष रूप सँ शिक्षा, खेल, स्वास्थ्य, ग्रामीण परिवर्तन, शहरी नवीनीकरण, आपदा प्रतिक्रिया, महिला सशक्तिकरण, कला प्रचार आ भारतक समृद्ध सांस्कृतिक विरासतक संरक्षणक क्षेत्रसभमे पहल करैत अछि ।[२९][३०] गुजरात, चेन्नई आ कश्मीरमे आएल बाढ़ि, केदारनाथ त्रासदी, मराठवाड़ा सूखा इत्यादि सहित भारतक विभिन्न भागमे आएल प्राकृतिक आपदाक समयमे आपदा प्रबन्धन, राहत आ बचाव अभियान आ पुनर्वास प्रयासमे रिलायन्स फाउन्डेसन सभ सँ आगा रहल अछि ।[३१][३२][३३][३४]
मुम्बई इन्डियन्स
अम्बानी इन्डियन प्रिमियर लिगक टिम मुम्बई इन्डियन्सक सह-मलकानि छी ।[३५] अम्बानीक टिम सन् २०११ आ २०१३ मे च्याम्पियन्स लिग टि२० आ [३६] सन् २०१३, २०१५ आ २०१७ मे इन्डियन प्रिमियर लिगक उपाधि जितने अछि ।[३७][३८]
अम्बानी मुम्बई इन्डियन्सद्वारा समाजकें किछ वापस दै कऽ लेल 'एजुकेसन फर अल' (इएफए) नामक पहलकें नेतृत्व केनए अछि ।[३९] इएफए नामक ई पहल ७०,००० सँ अधिक वञ्चित बच्चासभ धरि पहुँचाएल गेल अछि आ विभिन्न मिडिया आ डिजिटल प्लेटफर्मक उपयोग करि शिक्षाक लेल आवश्यक जागरूकता सृजना कएल गेल अछि ।[४०][४१][४२]
धिरूभाई अम्बानी अन्तर्राष्ट्रिय विद्यालय
नीता धिरूभाई अम्बानी अन्तर्राष्ट्रिय विद्यालयक संस्थापक आ अध्यक्ष छी । ई विद्यालयकें विविध प्रकाशनसभ निरन्तर भारतक श्रेष्ठ विद्यालयके क्रममे रखैत आएल अछि ।[४३] ई विद्यालयकें लगातार चारि वर्ष सँ भारतक उत्कृष्ट विद्यालयक रूपमे एजुकेसन वर्ल्ड प्रथम स्थानमे दर्ज केनए अछि ।[४४][४५][४६] पछिला ५ वर्षमे मुम्बईकें उत्कृष्ट विद्यालय क्रमाङ्कमे एकरा एनडिटिभी आ हिन्दुस्तान टाइम्स चारि बेर प्रथम स्थान देनए अछि ।[४७][४८][४९]
आइओसी सदस्यता
सन् २०१६ जुन ३ कें, स्विस निर्णायकमण्डलद्वारा अन्तर्राष्ट्रिय ओलम्पिक समिति (आइओसी) मे सदस्यताक लेल मनोनीत आठ उम्मेदवारसभमे सँ नीता सेहो एक उम्मेदवार छल ।[५०][५१][५२] ई नव सदस्यसभक निर्वाचन अगस्त २०१६ कें पहिल सप्ताहमे १२९अम आइओसी शत्रक समयमे आयोजित कएल गेल छल ।[५३][५४] सन् २०१६ अगस्त ४ कें दिन अम्बानी आइओसीक सदस्यक रूपमे निर्वाचित[५५] पहिल भारतीय महिला छी ।[५६]
निजी जीवन
नीताक जन्म रविन्द्रभाई दलाल आ पूर्णिमा दलालक सुपुत्रीक रूपमे भेल छल ।[५७] नीताक बाहिन ममता दलाल एक विद्यालय शिक्षिका छी ।[५८] मुम्बईक एक मध्यमवर्गीय परिवारमे नीताक पालनपोषण भेल छल । ओ एक निपुण भरतनाट्यम् नर्तकी छी ।[२७]
विद्यालय शिक्षिकाक रूपमे ओ मुकेश अम्बानी सँ भेट केनए छल । सन् १९८५ मे ओ प्रमुख भारतीय व्यापारी धीरूभाई अम्बानीक पुत्र मुकेश अम्बानी सँ विवाह केनए छल । विवाहक किछ साल धरि ओ विद्यालय शिक्षिकाक रूपमे काज केनए छल ।[२७]
ई दुनू कियो कऽ २ पुत्र आ १ पुत्री अछि । आकाश आ इशा अम्बानी जेठ अछि तँ अनन्त अम्बानी सभ सँ छोट अछि । आकाश अम्बानी जे ब्राउन विश्वविद्यालय सँ अर्थशास्त्रमे स्नातक केनए अछि वर्तमानमे रिलायन्स जियो इन्फोकमक मुख्य योजनानिर्माणकर्ता छी ।[५९] इशा अम्बानी, येल विश्वविद्यालय सँ मनोविज्ञानमे स्नातक केनए अछि आ वर्तमान समयमे रिलायन्स जियो इन्फोकम आ रिलायन्स रिटेलक निर्देशक छी ।
पुरस्कार
जमीनी खेल पर हिनकर पहल कऽ लेल, अम्बानीके भारतक राष्ट्रपति सँ 'राष्ट्रिय खेल प्रोत्साहन पुरस्कार २०१७' प्राप्त भेल । हिनका ई पुरस्कार रिलायन्स फाउन्डेसनक अध्यक्षक रूपमे प्राप्त भेल ।[६०][६१]
टाइम्स अफ इन्डियाद्वारा हिनका भारतीय खेलक सर्वश्रेष्ठ कर्पोरेट समर्थन कऽ लेल पुरस्कृत कएल गेल।[६२] [६३] [६४]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
- ↑ "Nita Ambani celebrates her 50th birthday with family in Kashi", The Economic Times, अन्तिम पहुँच १८ अप्रैल २०१६।
- ↑ "Nita Ambani [Biography]", Matpal, मूलसँ २६ दिसम्बर २०१८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १८ अप्रैल २०१६।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "Reliance Foundation - INDIA CSR - India's Largest CSR News Network", मूलसँ २६ दिसम्बर २०१८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १८ अप्रैल २०१६।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "Nita Ambani Becomes First Woman Director on Reliance Board - NDTV", profit.ndtv.com, अन्तिम पहुँच १८ अप्रैल २०१६।
- ↑ "How Nita Ambani was courted", हिन्दुस्तान टाइम्स, २००९-०१-०२, मूलसँ २०११-१०-२८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१०-१२-३१।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ Sengupta, Somini (२००८-०५-०७), "Bright Lights and Big Money in India’s New Cricket League", The New York Times, अन्तिम पहुँच २०१०-१२-३१।
- ↑ "How Nita Ambani was courted", www.hindustantimes.com, अन्तिम पहुँच १९ अप्रैल २०१६।
- ↑ "Nita Ambani Met Breuer Nasreen Mohamedi-artnet News", artnet News (en-USमे), अन्तिम पहुँच २०१६-०४-१८।
- ↑ Crow, Kelly (२०१६-०३-१०), "India’s Richest Woman Eyes the Art World", Wall Street Journal, आइएसएसएन 0099-9660, अन्तिम पहुँच २०१६-०५-०२।
- ↑ "Nita Ambani hosted a party for IPL 2015 Champions Mumbai Indians - Firstpost", Firstpost (en-USमे), अन्तिम पहुँच २०१६-०४-१८।
- ↑ Karmali, Naazneen, "Meet Nita Ambani, The First Lady Of Indian Business", Forbes, अन्तिम पहुँच २०१६-०४-१८।
- ↑ "High and Mighty rankings: 1 to 50", indiatoday.intoday.in, अन्तिम पहुँच २०१६-०५-०२।
- ↑ "Rio 2016: Nita Ambani is first Indian IOC member", indianexpress.com, २०१६-०८-०५, अन्तिम पहुँच २०१७-०३-०६।
- ↑ "The Metropolitan Museum for Art, New York has felicitated Nita Ambani for her philanthropic efforts.", vogue (en-USमे), अन्तिम पहुँच २०१७-०१-२५।
- ↑ "The Metropolitan Museum for Art, New York has felicitated Nita Ambani for her philanthropic efforts.", timesofindia.indiatimes (en-USमे), अन्तिम पहुँच २०१७-०१-२५।
- ↑ "Telegraph: philanthropist-nita-ambani-art-investing-culture-transforming", www.telegraph.co.uk, २०१७-०३-१४, अन्तिम पहुँच २०१७-०३-०६।
- ↑ "Nita Ambani’s sis is a school teacher | Latest News & Updates at Daily News & Analysis", dna (en-USमे), अन्तिम पहुँच २०१६-०४-१८।
- ↑ Divya, T.S. (अप्रैल २५, २०१६), "Nita Ambani has come a long way to be an Asian biz leader", Manorama News।
- ↑ "Nita Ambani’s father passes away", The Indian Express, २०१४-०७-०३, अन्तिम पहुँच २०१६-०४-१८।
- ↑ Jainani, Deepa, "Birthday gift: Ambanis likely to lend corporate hand in cleaning ghats of Varanasi", The Financial Express, अन्तिम पहुँच २०१६-०४-१८।
- ↑ "Nita M. Ambani", Da-is.org, मूलसँ २०१४-०२-०१ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१०-१२-३१।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ Priya Tanna (२००५-०८-१९), "Nita Ambani speaks her mind", DNAIndia.com।
- ↑ "MPW 2015: Nita Ambani runs India's largest CSR initiative", www.businesstoday.in, अन्तिम पहुँच २०१६-०४-१८।
- ↑ Rajiv Sharma (२०१०-०५-०६), "DAF in Nita Ambani's Responsible Hands", Indiaprwire.com, अन्तिम पहुँच २०१०-१२-३१।
- ↑ "2016 IPL Player Auction: Mumbai Indians owner Nita Ambani to meet Ricky Ponting to discuss strategy", International Business Times, India Edition (En-USमे), मूलसँ २०१८-१२-२६ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१६-०४-१८।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "Nita Ambani becomes first woman director in jio- Times of India", The Times of India, अन्तिम पहुँच २०१६-०४-१८।
- ↑ २७.० २७.१ २७.२ Naazneen Karmali (अप्रैल ६, २०१६), "Meet Nita Ambani, The First Lady Of Indian Business", Forbes।
- ↑ "Reliance Foundation", Wikipedia (en-USमे), २०१७-०६-१६।
- ↑ "Nita Ambani honoured by the Met, New York, for Reliance Foundation's philanthropic initiatives", Firstpost (en-USमे), २०१७-०१-२६, अन्तिम पहुँच २०१७-०८-०५।
- ↑ "Times Of India"।
- ↑ The Business, Standard, "10 Cr Aid for flood hit Gujarat - The Business Standard", www.business-standard.com, अन्तिम पहुँच २०१७-०८-०९।
- ↑ "10 Cr Aid for flood hit Gujarat - India.com", www.india.com, अन्तिम पहुँच २०१७-०८-०९।
- ↑ "Reliance Foundation Will Help In Flood Affected Villages Of Gujarat - Bhaskar.com", www.bhaskar.com, अन्तिम पहुँच २०१७-०८-१०।
- ↑ "Reliance Foundation will adopt four flood affected villages in Gujarat.-Lokamt.com", www.lokmat.com, अन्तिम पहुँच २०१७-०८-१०।
- ↑ "IPL Team Owners list: All you need to know about them", २०१६-०४-११, अन्तिम पहुँच २०१६-०८-०४।
- ↑ Express, The New Indian, "Mumbai Indians, the new CLT20 champions - The New Indian Express", www.newindianexpress.com, मूलसँ २०१८-१२-२६ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१६-०८-०४।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "It's been a fantastic year for Mumbai Indians: Nita Ambani - Times of India", अन्तिम पहुँच २०१६-०८-०४।
- ↑ "Anant Ambani cheers with mom Nita, brother Akash as MI register first IPL 2016 win", २०१६-०४-१४, अन्तिम पहुँच २०१६-०८-०४।
- ↑ "IPL 2016: For MI, venue may change but cause remains | Latest News & Updates at Daily News & Analysis" (en-USमे), २०१६-०५-०८, अन्तिम पहुँच २०१६-०८-०४।
- ↑ "Mumbai Indians Dedicate its Home Match for EFA Initiative", मूलसँ २०१८-१२-२६ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१६-०८-०४।
- ↑ "Mumbai Indians ‘Education for All’ initiative brings smiles to underprivileged kids", अन्तिम पहुँच २०१६-०८-०४।
- ↑ "IPL 2015: Mumbai Indians dedicate its home match for EFA initiative - Times of India", अन्तिम पहुँच २०१६-०८-०४।
- ↑ "Leading Education Portal in India - Education news, Institute Ranking & Reviews, Education Jobs, Products, Resources & Services :: Education World.", Educationworld.in, मूलसँ २०१७-०८-०५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१७-०८-०५।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "Leading Education Portal in India - Education news, Institute Ranking & Reviews, Education Jobs, Products, Resources & Services :: Education World.", Educationworld.in, मूलसँ २०१७-०८-०५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१७-०८-०५।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "Top school Ranking 2015 :: Educationworld.in", Educationworld.in, मूलसँ २०१५-०९-१२ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१७-०८-०५।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "Education World Ranks DAIS as Top School Again", मूलसँ २०१७-०८-०१ मे सङ्ग्रहित।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "HT Top Schools survey: The 10 best schools in Mumbai", hindustantimes.com/ (अङ्ग्रेजीमे), २०१४-०९-०३, अन्तिम पहुँच २०१७-०८-०५।
- ↑ "HT Top Schools survey 2016: The 10 best schools in Mumbai", hindustantimes.com/ (अङ्ग्रेजीमे), २०१६-०९-१९, अन्तिम पहुँच २०१७-०८-०५।
- ↑ "Meet The Winners Of Education Awards 2016", Education Awards (en-USमे), २०१७-०२-१५, अन्तिम पहुँच २०१७-०८-०५।
- ↑ "Nita Ambani nominated to IOC", AFP, Livemint, जून ४, २०१६, अन्तिम पहुँच जुलाई १४, २०१६।
- ↑ Rao, K Shriniwas (जून ३, २०१६), "Nita Ambani nominated to International Olympic Committee", TNN, The Times of India, अन्तिम पहुँच जुलाई १४, २०१६।
- ↑ PTI (३ जून २०१६), "Nita Ambani nominated to IOC", The Indian Express, अन्तिम पहुँच १० जून २०१६।
- ↑ "IOC EXECUTIVE BOARD TO PROPOSE EIGHT NEW MEMBERS TO SESSION IN RIO DE JANEIRO", IOC, ३ जून २०१६, अन्तिम पहुँच ३ जून २०१६।
- ↑ "Nita Ambani, first Indian woman to be nominated to IOC", The Hindu, ४ जून २०१६, अन्तिम पहुँच १० जून २०१६।
- ↑ "Olympics-Indian cricket team owner Ambani among eight new IOC members" (en-INमे), मूलसँ २०१८-१२-२६ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१६-०८-०५।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "Nita Ambani becomes first Indian woman member of IOC - Times of India", अन्तिम पहुँच २०१६-०८-०५।
- ↑ Express News Service (जुलाई ३, २०१४), "Nita Ambani’s father passes away", The Indian Express।
- ↑ "Nita Ambani’s sis is a school teacher", Daily News and Analysis, Feb ८, २००८।
- ↑ Ruchika Mehta (जुलाई २०, २०१४), "My legacy only motivates me: Akash Ambani", The Times of India।
- ↑ {{Cite surya son of pitchaia &dehandran linked is very loving boy is one she marriedrl=http://indianexpress.com/article/sports/sport-others/reliance-foundation-awarded-rashtriya-khel-protsahan-award-4819916/%7Ctitle=reliance-foundation-awarded-rashtriya-khel-protsahan-award 2017.-/indianexpress.com|website=/indianexpress.com|access-date=2017-08-30}}
- ↑ "nita-ambani-awarded-rashtriya-khel-protsahan-award.-/abpasmita.abplive.in", /abpasmita.abplive.in, मूलसँ २०१७-०८-३१ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१७-०८-२९।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "Times of India Sports Award TOISA", अन्तिम पहुँच २०१८-०२-२७।
- ↑ "Mahindra Scorpio Times of India Sports Award TOISA", अन्तिम पहुँच २०१८-०२-२६।
- ↑ "Mahindra Scorpio TOISA: Nita Ambani receives Best Corporate Supporter of Indian Sports award", अन्तिम पहुँच २०१८-०३-०१।
बाह्य जडीसभ
![]() |
विकिमिडिया कमन्समे नीता अम्बानीसँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |
- रिलायन्स फाउन्डेसन वेबसाइट सङ्ग्रहित २०१५-०८-२० वेब्याक मेसिन