सौरभ चण्डीदास गाङ्गुली (उच्चारण (सहायताजानकारी); जन्म ८ जुलाई १९७२) मुख्य रूपसँ दादाभारत क्रिकेट टिमक पूर्व खेलाडी आ कप्तान छी । वर्तमान समयमे, ओ बङ्गाल क्रिकेट एसोसिएसनक अध्यक्ष छी[२] आ विजडन इन्डियासंग सम्पादकीय मण्डलक अध्यक्ष सेहो छी ।[३]ओ भारतक सबसँ सफल कप्तानसभमे सँ एक छी । पश्चिम बङ्गालक एक सामान्य परिवारमे जन्मल सौरभ गाङ्गुली अपन भाई स्नेहशीष गाङ्गुलीक कारण क्रिकेटक संसारमे आएल छल । अपन क्रिकेट करियरक शुरुआत ओ विद्यालय दिससँ राज्य स्तरीय टिममे खेलैत केनए छल । वर्तमान समयधरि उनि एकदिवसीय अन्तर्राष्ट्रिय म्याचमे सर्वाधिक रन बनेनिहार खेलाडीसभक श्रेणीमे ५अम स्थानमे अछि तँ १०,००० रन बनेनिहर ५अम खेलाडी आ सचिन तेन्दुलकर बाद दोसर भारतीय खेलाडी छी ।[४] क्रिकेट पत्रिका विजडनक अनुसार ओ अखनधरिक सर्वश्रेष्ठ एकदिवसीय ब्याट्सम्यानक श्रेणीमे छैठम स्थानमे अछि ।[५]